Latest News

Monday, May 18, 2020



सम्प्रति मैथिली साहित्यिक स्वघोषित महान ज्ञानी लोकनिक प्रादुर्भावसँ मिथिलाक पावन भूमि धन्य भेल अछि! हुनक ज्ञान दर्शनक चतुर्दिक प्रसारसँ मिथिला महमह कS रहल अछि ! 'अप्पन मनक मर्जी बौहकेँ कहथिन भौजी' केओ कि कS सकैत छनि? तहिना किछु दिन पहिने न्याय, नव्यन्यायकेँ केओ स्कूल ऑफ लॉ कहि मिथिलाक दार्शनिक परंपराक नव उदाहरण प्रस्तुत कएलनि। मिथिलाक न्याय दर्शनकेँ ओ कर्मकांड कहि अपन ज्ञान दर्शनक नव परिभाषा गढ़लथि !
मिथिलामे रावण वध परंपरा पछिमाहा कायस्थक देन अछि, हुनका जरबैत देखि मोन जरि जाएत छनि ! एहन महान पराक्रमी, प्रकाण्ड विद्वान संगहि उद्भट पांडित्यक व्यक्तित्वकेँ एहि तरहेँ उपहास उडाएब असनातनीय कृत अछि ! मिथिलासँ एहि ब्राह्मण विरोधी परंपराक उन्मूलन हेतु आगू अभियान सेहो चलएबाक विचार बना रहल छथि ! माता जानकी हुनक कल्याण करथि से हमर मंगलकमना।
जातीय कट्टरताक ओ परम् विरोधी छथि! हिनकर श्रीमुखसँ सदिखन मधुरस तकपैट समरस समाजक परिकल्पना लेल अहर्निश आकुल व्याकुल रहैत देखल जाएत छथि ! समाजमे जाति वर्ग धर्मसँ ऊपर उठि सदिखन मानवीय मूल्यक रक्षार्थ दुब्बर भेल रहैत छथि ! मानवताक प्रति हिनक सहृदयता संवेदनशीलता सर्वसमावेशी समाज लेल उत्कृष्ट उदाहरण प्रस्तुत करैत छथि !
रामकृष्ण परमहंस, स्वामी विवेकानंद आओर महात्मा गांधी जी जकाँ सर्वधर्म समभाव हुनक मूल मंत्र छनि ! धर्म जाति वर्ग हिन्दू-मुसलमानसँ पहिने नीक इंसान बनि मानव धर्मक निर्वहन लेल समाजमे सदति प्रयासरत रहैत छथि ! वाम दहिन मध्य पंथकेँ ओ बूड़ि पंथ मानैत छथि ! हिनक दृष्टिकोणमे वैचारिक पोषपुत होयब घरमे बान्हल कुकुर समान होयत अछि जे बेरबेर स्वामी भक्तिमे चेतनाशून्य, विवेकशून्य भS हुलकैत रहैत अछि ! ज्ञान ध्यान मान सम्मान स्वाभिमान सभटा हुनकर चरनचारणमे जिआन कS लैत अछि !ओहन लोक पर सदैव हुनकर वक्रदृष्टि रहैत छनि ! जे हिनका घांचमे नहि बैसि सकलाह तँ तामसे टीक ठाड़ भS जाएत छनि !
ओ एहि धराक अद्भुत प्राणी छथि, जे केओ हिनकर विचारसँ असहमति भेलाह कि झट दS दुर्वासा बनि नक्सली, मिशनरी, तबलीगी होयबाक श्राप तँ दए दैत छथि, परञ्च आब ओ नवका शब्द #भीमटा कहि आत्मसंतुष्ट होयत छथि। भीमटा मतलब जे अंबेडकरक अनुयायी छथि, यथा दलित गरीब पिछड़ा जाति। जनिकर नाम लैत राष्ट्रवादी सरकार नहि थकैत छथि, हुनका लोकनिकेँ ओ फुटली आँखि नहि सोहाएयत छनि। एहन राष्ट्रवादी जनवादी समाजवादी विरले भेटत ! आ ताहु सभसँ जँ छाती नहि जुड़ाएयत छनि तँ सीधे भगवान परसुराम जकाँ मान स्वाभिमानक गरदनि छोपS लगैत छथि मुदा विनम्रताक समक्ष सकपका जाएत छथि। टिटही टेकल पहाड़ !!
संघ कार्यालयसँ लSक केंद्रीय कार्यालय धरि भीमराव अंबेडकर आ महात्मा गांधी जीक फोटू देखि हिनकर कोढ़ फाटैत छनि ! हिनका भ्रम छनि जे हमरोसँ बेसी केओ बुधिआर 'एको हम न द्वितीय अस्ति' जँ फोटू टाँगहिकेँ छनि तँ हमर पसीनक होयतैक..मुदा 'होइहैं ओहि जे राम रचि राखे'...मोन मसोरि कS रहि जाएत छथि। सीताराम हुनक आत्मशांति प्रदान करथि। एखन बस एतबे फेर कहिओ ता धरि घरमे रहू, कोरोनासँ लड़ू। जयमिथिला
मैथिलित्वक भाव मिथिलाक जनमानसमे किनसाइते कहिओ श्रद्धा भावे आएल हएत ! देशमे एखनहुँ अनेकानेक क्षेत्र विद्यमान अछि, जाहिठामक लोक अपन क्षेत्रीय अस्मिता लेल एकदिन धूमधामसँ उत्सव मनबैत, जनजागृति कS छिड़िआयल सभकेँ संगठित करबाक प्रयास करैत छथि। ओहि क्षेत्रक विकासक प्रति कर्तव्यबोध जगबैत छथि। ओ अपन सांगठनिक शक्तिसँ सरकारकेँ सेहो संज्ञान लेबाक लेल विवश कS दैत अछि मुदा एतय अपन अपन पसीनक खोधलीमे पड़ल एक दोसराक मुह दुसैत समय गुदश कS रहल छथि !
मैथिल समाज खण्ड विखण्ड भेल गौरवे आन्हर भेल छथि! केओ किनकोसँ कम नहि, सभकेँ सभ अहंकार रूपी रथ पर सबार दुर्योधनक प्रतिबिंब बनल ताल ठोकैत भेटैत छथि ! उजरल पजरल लूटल कुटल डीह लेल किनकोमे कनिओ दरेग नहि ! मुट्ठी भरि मगहिया नित नव नव षड्यंत्र कS मिथिलाक चीरहरण कS रहल अछि आ हमरा सभ धृतराष्ट्र जकाँ सहैत एकरा नियति मानि जीवन काटि रहल छी। आब तँ मान स्वाभिमान पर चाहे केओ कतबो प्रहार करय, फराक नहि पड़ैत अछि। कारण दिनचर्या बला विषय बनि गेल अछि। अभ्यस्त एना भेल छी जे आब कतबो केओ थुड़ैत हो किंवा गरिआबैत हो, आत्माकेँ नहि कचोटैत अछि। चेतनाशून्य मृतात्मा सँग हाड़ मांसक मनुख मात्र छी।
एकदिन अपन जन्मडीह लेल जँ किछु पल सोचि सकी, किछु अद्भुत आ अद्वितीय कS सकी तँ कदाचित मिथिलाक दुर्दिन पड़ा जाएत आ एकटा सुखद भाग्योदय देखि सकैत छी। आगामी 1 मई 2020 जानकि नवमी अछि। माँ जानकीसँ पैघ मैथिलक प्रतीक आओर किछु नहि भS सकैए ! मैथिली नामसँ सेहो माँ जानकि जानल जाएत छथिन। मिथिला आ मैथिलक अस्मिता लेल जानकी नवमी समस्त मिथिला संगहि जतय हमरा सभ रहैत छी ओतय पूजा अर्चना सँग उत्सव रुपे मनाबी से हमर निवेदन। ट्विटर पर सेहो भोरसँ सांझ धरि ट्रेंड कराबी जाहिसँ समस्त संसार जानकीनवमी जानि सकैए।
जय माँ जानकी। जयमिथिला
#जानकीनवमी


रेलगाड़ीक पटरी सपनोमे नहि सोचि सकल हएत जे कहिओ हमर एहनो भाग्योदय हएत की एकहि पटरी पर रेलगाड़ी आ मनुक्ख संगहि सँग दौड़त? रेलेगाड़ी जकाँ मनुख सेहो एखुनका उसैन देमय बला प्रचंड रौंदमे निर्भय निधोख भS अभीष्ट लक्ष्य दिस भागल चलल जा रहल अछि। बाट घाटक उबड़-खाबड़ पूल पहाड़ पाथड़ नोकगर धरिगर भरिगर रोड़ी पर रेले जकाँ अपन नियति मानि अनवरत दौड़ल जा रहल अछि। ओ रेले जकाँ कोरोनाक महामारीसँ नहि अपितु अपन इंजिन हेतु ईंधन जुटएबाक लेल बेस भयाक्रांत अछि।
तालाबंदीक उपरांत अन्यान्य प्रकारक बदलैत परिदृश्य सोझा अबैत रहल अछि। तालाबंदीक शुरुआत 25 मार्च 1.0 दोसर 3 मई 2.0 आ वर्तमानमे 3.0 मतलब तेसर चलि रहल अछि जे 17 मई धरि चलत आ क्रमशः फेर काल परिस्थितिक अनुमानक उपरांत निर्णय लेल जाएत। परञ्च एहि संकट कालक मध्य सगरो दिस त्राहि त्राहि मचल अछि। कोरोनाक डर तँ नामात्रे बुझु मुदा पेटमे लागल आगिक डरे लोक बेसी डेराएल अछि। यथा प्रवासी दिहाड़ी जन मजूर राजमिस्त्री रिक्सा ठेला चालक संगहि बाटक कात करोटमे छोट मोट दोकान करनिहार सभक धैर्य जबाब दS देलक आ ओ सभ प्रवाससँ मोहभंग कS अपन अपन जन्मडीह दिस विदा भS गेल अछि।
केंद्र सरकार आ राज्य सरकार द्वारा एहि संक्रमण कालमे संकटसँ उबारS लेल प्रवासी जन मजूर, निर्धन लोक सभ लेल कएको तरहक घोषणा भेल। राशन पानि, यात्रा हेतु बस, ट्रेन आदि इत्यादिक व्यवस्था भेल। मुदा हड़बड़ीमे उठाओल गेल द्विविधा बला डेगक परिणाम डगमगाएले भेटल। सरकार निम्न मध्यम वर्गीय लोकक भरोसा नहि जीत सकल। कमड़ा भाड़ा, अन्न पानि सँग अव्यवस्थाक अराजकता डरे भुक्खल पियासल पएरे साइकिले जेना फुरेलै तहिना सुरक्षित स्थान दिस विदा भेल।
मुख्य मार्ग पर पुलिसिया लाठी सेहो खएलक, फेर ओ सभ रेलक पटरीक लिख धएलक आ निडर भS राति दिन चलैत रहल। कतहु साइकिल बलाकेँ गाड़ीसँ पीच देल गेल तँ कतहुँ पटरी पर सुतल लोक पर मालगाड़ी चढ़ि गेल, तँ कतेको चलिते चलिते प्राणान्त कS लेलक। ट्विटर पर सक्रिय संवेदनशील सरकारकेँ तँ काते कS देल जाए परञ्च प्रतीत होयत अछि जेना आम जनक मानवीय संवेदना सेहो शून्य भS गेल होय।निर्धन पीड़ित शोषित जन मजूरक हृदयाभाव, ओकर अन्तर्मनक पीड़ा आब हमरा सभक ओछ्, चेतनाशून्य हृदय धरि नहि पहुँचैत अछि। मृत्य तँ आब समाजमे दैनिक समाचारक भाग भS गेल अछि। तेँ केओ मालगाड़ीसँ पिचाई वा ट्रेन आ बस आदिसँ, बेसी अंतर नहि पड़ैत अछि। सरकारी ट्विटर पर संवेदनाक ट्वीट्स संगहि सोसल साइट पर पीड़ा बला काल्पनिक इमोजी दS सचेत मानवताक प्रति अपन धर्म निर्वहन कS पुनः महानिद्रामे लीन भS जाएत अछि।
सुनल जाएत अछि जे विपत्ति यथार्थमे नव विधि विधान व्यवस्थाक जन्म दैत अछि। तेँ भरोसा अछि जे एहि कराल कालक अंतोप्रांत एकटा नव परिकल्पनाक सँग नवका भारतमे सामाजिक सांस्कृतिक धार्मिक आर्थिक राजनीति आदि सभठाम पुनर्जागरण देख सकब। सभगोटे सुखी रहू, सुरक्षित रह। दूरी बनएबाक अछि अज्ञानतासँ, धर्मांधतासँ, पाश्विक प्रवृति बला दानवतासँ नहि की मानवतासँ।
जयमिथिला । जयमैथिली । जयजय मिथिलाक्षर
फोटो साभार : Niraj Jha जीक वालसँ