Latest News
Showing posts with label News. Show all posts
Showing posts with label News. Show all posts

Monday, June 20, 2016

विगत साल जखन राजपथ पर 35000 व्यक्ति एक सँग योगा कार्यक्रम में भाग लक एकटा विश्व में कीर्तिमान स्थापित कएलाह संगहि योग के व्यापक मतलब सेहो लोक सभ परिचित भेल। योग के साफ़ साफ़ मायने होय छैक जोडब आ जोडब् के मायने नहि मात्र अपन लोक आ देश अपितु वैश्विक स्तर पर जोड़ल गेल। योग सँ शारीर के मोन सँ मोन के आत्मा सँ आर आत्मा के परमात्मा सँ जोड़ल जएत अछि। लगभग 5000 साल पुरान शारीरिक मानसिक आर आध्यत्मिक अभ्यास हमरा स्वयं सँ जोड़ैत अछि। योग सिखय बाला के संख्या लगभग 40% धरि सालाना वृद्धि भ रहल अछि। खर्च में कमी आ उत्पाद बढ़ेबाक लेल देश के लगभग 50% कम्पनी में योग करायल जएत अछि। योग प्रशिक्षक केर माँग नै मात्र भारत में अपितु वैश्विक स्तर पर बढ़ि रहल अछि। अहि लेल देश में योग के 14 लाख स्कुल, 50 कॉलेज आ विश्वविद्यालय में अहि सन्दर्भ में पढ़ाएल जा रहल अछि। योग के आब केंद्रीय विद्यालय में प्रथमिकता देल जएत।

एकर आर्थिक सन्दर्भ में एकटा खबर के मोताबिक योग आउर आयुर्वेद में लगभग विश्व में 120 अरब के बाजार छैक। एक साल में योग उद्योग 50% सँ बढ़िकय 2.50 लाख करोड़ रुपैया धरि पहुँच गेल अछि।वैश्विक स्तर पर एकर व्यवसाय 5 लाख करोड़ सँ बेसी भ चुकल अछि। इ कॉमर्स कम्पनी में सेहो योग के सन्दर्भ में  80% सँ बेसी व्यवसाय बढ़ि गेल अछि। देखल जए तखन योग के मायने व्यापक थिक मुदा योग के धर्म आउर राजनीती दृष्टिकोण सँ देखब उचित थिक या नहि। योग के कारण्र सँ लोकक मानसिक संतुलन  चुस्त दुरुस्त मस्त आ योग्य बनि जएत अछि। योगा के विषय में 27 सितम्बर कय यूनाइटेड नेसन् में जखन प्रधानमंत्री अपन बात रखला आशा नहि छल कि अतेक शीघ्र 177 देशक समर्थन भेट जएतन्हि। 21 जून भारतीय पञ्चांग के आधार पर योग दिवस मनेबाक तारीख राखल गेल जेकर सर्वसम्मत सँ स्वीकार कएल गेल। योग बीमार के निक करय बाला व्यायाम मात्र नहि थिक अपितु कौशल विकास के लेल योग एकटा विद्या अछि। "मोन चंगा त कठौती में गंगा" आउर चंगा मोन के लेल योग आवश्यक औजार अछि।

अंतिम एकटा आर बात जे अहिठाम चर्चा कएनाइ बड़ जरुरी थिकैक कि पश्चात् संस्कृति सँ हम बूझि ने कुन कुन डे के अपना लेलहुँ अछि।  अनगिनत अछि जेना मदर डे, फादर डे, वैलेंटाइन डे, रोज़ डे, चॉकलेट डे आर बहुते रास डे जे पश्चिमी देशक बाजार नुक्का छिप्पी खेलते हमरा सबहक माथ पर ठेल देलक आ हमरा सबके  मनाब पड़ैत अछि, आ जँ बिसरि गेलहुँ या नै त घर में घुरपेंच लागि जएत।

जखन अतेक सब डे पश्चिमी संस्कृति के हमरा सब आब अपने बुझैत छी तखन योग जे नै मात्र शरीर मोन आत्मा सँ जोड़ैत अछि अपितु देश विदेश के एक सूत्र में बान्हि रहल अछि। एहन उत्सव के हर्षोल्लास सँ मनेबा में कोनो दिक्कत नहि? आ नै एकरा धर्म आ राजनीती चश्मा सँ देखबाक चाहि।

दुनिया में सबसँ बड़का रोग कि, की कहत लोग? कोना प्रतिक्रिया करत लोग ? लोकक काज छै निक बेजाए सोचब से सोच दियौ लेकिन अपन संकल्पित काज के प्रति ईमानदार कोशिस करैत रहबाक चाहि। ओ दिन बेसी दूर नहि जे लक्ष्य अछि समय सीमा के भीतर देखबै साकार हेबे टा करत।

ओना त परिवार में सेहो मतभिन्नता देखल जएत रहल अछि, जखन कोनो निक आ बेजाए विषय पर चर्चा करैत छी? चर्चा कयला सँ समाधान अबैत अछि लेकिन जखने विषयान्तर होयत अछि तखन घमासान सेहो होयत अछि। मुदा बुझ में आबि जएत छैक कि के विषय सँ भागि रहल छथि या टारि देबाक प्रयास क रहल छथि? समाज सेहो परिवारे सँ बनैत अछि तें एहने परिणामक अपेक्षा कमोवेश समाज सँ भेटत से बूझि लिय। लेकिन अपन डेग तखने रोकबाक अछि जखन लक्ष्य धरि पहुँच जएब अन्यथा कोनो तरहक विघ्न बाधाक मुँह तोड़ि जबाब देबाक सामर्थ राखक अछि।

मिरानसे( मिथिला राज्य निर्माण सेना) जेकर चर्चा आब मैथिल के मध्य  मिथिला में खूब भ रहल अछि। जनमन में पृथक मिथिला राज्य निर्माण के लेल मिरानसे अपन नेतृत्व में संघर्ष करबा लेल माँ जानकी के सेना जेकाँ  तैयार क जा रहल अछि। ओना मिरानसे केर स्थापना तिन साल पहिने दिल्ली में भेल छल आ तहिया सँ आई धरि छोटमोट बहुते रास प्रदर्शन आ धरना कतेको स्थान पर करैत रहलाह।

लेकिन पटना चिंतन शिविर के बाद लोकक सोच में क्रांतिकारी परिवर्तन देखल गेल। सहभागी लोकनिक वैचारिक क्रांति सँ समाज में जनक्रांति के वातावरण तैयार भ रहल अछि। जनक्रांति एकटा आंदोलन में परिवर्तित भ आगामी दरिभंगा 8-9 नवंबर दू दिनक महाअधिवेशन बिहार सँ मुक्ति के लेल गर्जना हएत। जेकर सूत्रधार मैथिलगन स्वयं हेताह। गर्जना सँ सुतल शासन प्रशासन के आँखि खोल पर मजबूर होब पड़तानि। मिथिला राज्य हमर अधिकार अछि आ हम लक रहब।

"आब मानि जाऊ" नहि त बाद में पछतेबा सँ कोनो लाभ नहि भेटत। आऊ एकजुट प्रयास कय माँ जानकी केर भूमि के बिहार सँ मुक्त कय अपन कर्ज के चुकता करू। मातृभूमि केर आजादी लेल राज्य सरकार सँ लक केंद्र सरकार धरि मिथिला राज्य के संबैधानिक दर्ज देब पर विवश होम पड़तानि।
जय हो मैथिल जय हो मिथिला जय माँ जानकी।

Tuesday, June 14, 2016

मिथिलाक फ़ास्ट फ़ूड दही चुरा चीनी प्रसिद्ध अछि ते बुझना जएत अछि जेना एतौका लोक दही-चुरा खा केँ अपन खुनक गर्मी खत्म भ गेल छनि या कोकैनि गेल छनि। मिथिलावासिक निष्क्रियता रूढ़िवादिता स्वहित पोषण के कारणे मिथिला समाज अपन दुर्दशा पर हक्कन कनैत रहल अ एखनहुँ कानि रहल छथि। जनमानस केर विकास आ सामाजिक विकास पर  शासन आ व्यवस्था कहियौ गम्भीर नहि रहल। विकास के परिधि सँ मिथिला सभ दिन उपेक्षित रहल।

दोसर सबसँ पैघ समस्या एतौका लोक के छै, जे रहय छै कीछो नहि मुदा बड्ड बजबाक आदत होय छैक। छुच्छे गप्प हाँकेनाइ हिनकर स्वभाव में छनि। चुनौतिक सामना करबाक चाहि मुदा तकर साहस जुटेबा के प्रयास नहि करताह मुदा हतोत्साह करबा में कनिको पाछु नै रहैछ। संकट सँ सामना करबाक क्षमता जेना बिसरा देने अछि। आर जँ कियो आगु आबि किछू मिथिलाक हित के लेल संघर्ष करबा लेल एकजुट होबाक आग्रह करैत अछि तखन अनर्गल तर्क कुतर्क कय असल मुद्दा के खदिया में झाँपि देबय चाहै छथि।

बिना आन्दोलन के सहज रुपे कियो नहि पृथक मिथिला राज्य देत किएक त मिथिला बिहार के लेल मान सम्मान या नाक छैक। बिहार के लेल संबैधानिक मजबूरी छैक लेकिन सरकार पिछलग्गू बनाकय राखय चाहैत छथि। अपन मान सम्मान आर माँ जानकी भूमि केर बिहार सँ पृथक राज्यक संबैधानिक दर्जा भेटय ताहि हेतु समर्पण भाव सँ संगठित भ संघर्ष करि तखन परिणाम आशानुरूप हएत। सबहक साथ हएत तखने सबहक समग्र विकास हएत। 

एकटा आउर प्रमुख कारण मिथिला के विकास के लेल जरुरी छै,जेना धानक बिया के एक जगह सँ उफारि कय दोसर जगह रोपला सँ ओकर समग्र विकास होय छैक जेना पैघ गाछक निचा में छोट गाछ कखनो निक जेकाँ विकसित नहि भ सकैए तहिना कथित मिथिला राज्यक विकास तखने स्वस्फुर्ती आ समग्रता सँ हएत जखन बिहार सँ पृथक मिथिला राज्यक संबैधानिक दर्जा भेट जएत। पटना चिंतन शिविर में ठोकि बजाकय अभियान के सिद्धांत, भविष्य के कार्यक्रम और संगठनात्मक खाँचा पर विमर्श सुखद आ सराहनीय रहल। बस आब अनर्गल दुष्प्रचार नहि हमरा सभ के सामूहिक लेल गेल निर्णय के सम्मानपूर्वक आत्मसात करबाक चाहि आउर एकजुट भ कदमताल कय कुम्भकर्णी सरकार के जगेबाक प्रयास करबाक चाहि।

जनिकर रोम रोम शिवमय अछि।
वएह विष ग्रहण करैत अछि।।
दुनिया की जरैत हिनका,
जनिकर श्रींगारे अंगार होयत अछि।। हर हर महादेव।।
जय मिथिला जय माँ जानकी।

Tuesday, May 31, 2016

काल्हि खन बिहार के बारहवीं क्लास में सर्वोच्च स्थान प्राप्त कएनिहार के टीवी पर रिपोर्ट देखि रहल छलहुँ। जँ रिपोर्टर होइतहुँ तखन हिनका सभके शुभकामना स्वरूप दू दू चमेटा पहिने लगैतहुँ फेर कॉलेज प्रशासन पर देशक भविष्य के सँग मजाक करबाक लेल गदहा पर बैसाक कय मुह पर कालिख पोति गामे गामे फेरी लगैबतहुँ। मुदा अफ़सोच अछि ई सब सम्भव नहि छैक लेकिन शिक्षा के नाम पर बिहार के सँग गन्दा मजाक देखिकय करू कि कुपित छी दुखी छी,मोन जहर जेकाँ भ गेल अछि।

विशुन राय कॉलेज एहन ओछ काज के लेल पछिला साल सेहो अपन पहचान बनेने छल जाहि लक परिणाम के रोकि देने छल मुदा अहि बेर त गजबे कय देलक, कहू जे आर्ट के टोपर अछि ओकरा अपना विषय धरि के बारे में ज्ञान नै छनि? पोलिटिकल साइंस के पोडिकल साइंस कहलखिन आ दोसर सबाल कि की पढाई कएलहुँ ? तखन कहैए छथिन खाना बनाब के बारे में,आब कहू की ई पूरा बिहार के नाम माटि में फेंट देलक की नै? नाक कटबा देलक ई छुतहर सब ? साइंस के टोपर सेहो फुस निकलालाह। हिनकर माय बाप के सेहो बूझक चाहि के विद्यार्थी के मार्क शीट कहिया धरि के याद राखै छैक? याद मात्र ओकर ज्ञान आ आत्म विश्वास छैक जे जिनगी भरि लोकक स्मृति में रहैत अछि।

नीतिश जी अपन दारूए के लक जतय ततय बौरा रहल छथि। हिनका अपन राज्य में ई सब आफद नै देखाय दैत छनि। दारु की भेट गेलनि बुझै छथिन 2019 धरि चाँद पर चलि जएब, मुदा बुझा रहल अछि जे परिस्थिति बनि रहल छै कहिं एकटा लोकोक्ति छै ने कि "चौबे गेलाह छब्बे होम दुबे भ कय अएलाह"। आ जँ एहने स्थित रहि गेल मतलब नितीश जी दारू बोतल लक बौआइत रहत इमहर ओम्हर तखन धोबी के गदहा नै घर के नै घाट के रहताह से निश्चित बुझु।

एकटा बात आर कह चाहब की एकरा सब के लेल वास्तव में हम सब जिम्मेदार छी। हम कालिदास जेकाँ अपने बैसल ठाड़ के कुल्हारी सँ काटि रहल छी, अपने हाथ सँ अपन बच्चाक भविष्य के गला घोइंटि रहल छी? लग्गी सँ घास खुएब से नहि हएत, सबके आगु आब पड़त आ लालू यादव के नजदीकी विशुन राय कॉलेज के संस्थापक बच्चन राय के खिलाफ आवाज बुलन्द करय पड़त। कारण बिहार में शिक्षा के नाम पर जनमानस के ठकबाक इतिहास बहुत पुरान अछि आ अहि सँ जे वास्तव में निक निष्ठावान बुद्धिमान छात्र थिक हुनका लोकनि के समस्या बढ़ि रहल अछि। निक लोक के आगु बढ़य पड़त , एखन अनपढ़ मूढ़ लोकक सरकार में चारु कात बोलबाला अछि, देश में सबस बेसी एखन शोषण छात्र संग भ रहल अछि जे भविष्य के लेल शुभ संकेत कदापि नहि भ सकए?

एखनहुँ ध्यान दियौ की जँ किछ बेसी नै त एहन गलत काज जे भविष्य पर प्रभावित करय बाला अछि, ओकरा सकारात्मक रुपे प्रतिकार करू। जय मैथिल जय मिथिला जय जय मैथिली।

Saturday, May 14, 2016

अजीब देश है जिस गृह मंत्रालय के पास देश भर के तमाम खुफिया जानकारी होती है उसी का एक अफसर  गायब हो गया। मंत्रालय का एक से एक भेद और उसी भेद के चक्कर में भ्र्ष्टाचार में फंस गया। CBI ने उनके घर पर छापा मारा था एक फ़ाइल के चक्कर में उनसे फिर पूछताछ होनी थी लेकिन उससे पहले गृह मंत्रालय का ये भेदिया एक चिट्ठी छोड़कर भाग गए।

केंद्रीय गृह मंत्रालय के अंडर सेक्रेटरी आनंद जोशी ने खत में लिखा की मैं देश का सेवा ईमानदारी से करता रहा हूँ लेकिन मेरा ईमानदारी  कुछ अफसरो को अच्छा नही लगा और मेरे ऊपर भ्रष्टाचार का मामला दर्ज कर दिया जिससे मैं बहुत ही मानसिक तनाव से गुजर रहा हूँ। आरोप है की विदेशो जे जो चन्द NGO के लिए आती है उस फ़ाइल में सीबीआई ने कुछ गरबरियाँ पायी जिसके विषय में आरोपी बनाया था। दरअसल FCRA (Foreign Contribution Regulation Act)की मंजूरी के लिए NGO से पैसे वसूलने की जानकारी थी।

यहाँ तक अपने सीनियर के खिलाफ वो जाँच के लिए बोल रहे थे की वो उन्हें मानसिक रूप से परेशान कर रहे है। लेकिन अचानक बेगुनाही साबित करने से पहले टूट कैसे गया ? आनंद जोशी ने जो आरोप लगाया वो हिला देने बाली है। वो कहते है की फोर्ड फाउंडेशन को काली सुची से बहार करने लिए उसकी कीमत 200 करोड़ रुपये लगाईं गई थी लेकिन वो बिकने के लिए तैयार नही हुए तो झूठे मामले में फंसा दिया गया। हमे उनके हाँ में हाँ नही मिलाने की सजा दिया है। तीस्ता तलवार की NGO सबरंग से जुडी फ़ाइल गायब होने की बात हुई बाद में वो फाइले मिल भी गई परन्तु अभी तक यह एक राज ही है कि कैसे फाइल अपने आप ऑफिस पहुच गया।

लेकिन उनके घरवाले कहते है की ये मंत्रालय की बड़े मंत्री की साजिस है। आरोप है कि अहम सरकारी जानकारी के आधार पर NGO को FCRA का नोटिस जारी कर उनसे पैसा वसूलते थे। इस कैटगोरी में वो NGO शामिल है जिसे विदेशो से मोटी रकम मिलते थे। परन्तु जोशी ने साफ़ साफ़ कहा था की उन्हें ईमानदारी की सजा मिल रही है। एक आनंद जोशी जो फाइले घर ले गए और किसीको खबर तक नही लगी और आज एक चिट्ठी छोड़कर ऐसे गायब हो गए ये बहुत बड़ा सबाल है सीबीआई के लिए। क्योंकि सच को सामने लाने के लिए आनंद जोशी को ढूँढना बहुत जरुरी है।

Wednesday, April 27, 2016

हम तो इसी बात से खुश हो जाते है कि चलो 50 साल बाद किसी महिला ने जिमनाष्ट में ओलम्पिक के लिए क्वालीफाई किया है।दीपिका कर्माकार की कामयाबी के जश्न की अभी दो दिन भी नही बीते की हमे पता चल गया की आखिर क्या वजह है की हमे जश्न के ऐसे मौके नही मिलते ? क्या वो दूरियां है की हमारे खिलाडियों को ओलम्पिक की पदक नही मिलते ? क्रिकेट की चमक दमक के बिच हमारे ओलम्पिक खिलाड़ियों की दुर्दशा देखकर शर्म सी आती है। घर में एक आदमी भी बीमार पर जाय तो पूरी व्यवस्था गड़बड़ हो जाती है लेकिन यहाँ तो पूरी व्यवस्था ही बीमार है। हर कीसी की ख्वाहिस होती है की ओलम्पिक में हमारी झोली पदको से भर जाय लेकिन ये कैसे सम्भव हो जब सरकार से लेकर खेल संघ खिलाडियों से ठगी करने में लगे हो?  जवाहरलाल नेहरू स्टेडियम में खिलाडियों की ओलम्पिक की तयारी देखकर लगता है जैसे चक दे इंडिया के जगह ठग दे इंडिया रख देना चाहिए।

जिस खिलाडियों के आँखों में सोने की पदक की सपना हो लेकिन उन्हें सोने को बिस्तर ना मिले। कहाँ से मिलेगा मेडल ? जब मैदान में पसीना बहाने के बाद कमरे के नल में पानी ना हो ? कहाँ से होगा चक दे इंडिया जब मैदान से लौटने के बाद घर में बिजली नही मिलेगी ? घर की AC काम नही कर रहा हो, सोने का विस्तर ना हो फिर गुदरी के लाल से सोने की मेडल की आश करना क्या ईमानदारी है ?

कुछ ही महीने बचे है रियो ओलम्पिक प्रतियोगिता की। खिलाड़ी जी जान से मैदान में पसीना बहा रहे है। मेडल के लिए पसीने से मिट्टी गूँथ रहे है सरकारे उनकी सेवा में बिछी जा रही है और द्रोणाचार्य के देश में उनकी दुर्दशा की टोपी खूँटी पर टाँग रखी है। दिल्ली के जवाहरलाल यूनिवर्सिटी के हॉस्टल में देश भर के चुनिंदा खिलाड़ी इन दिनों ठहरे हुए है, इस उम्मीद में की ओलम्पिक में तिरँगा लहराएंगे, लेकिन सोने का मेडल लाने बाले के लिए सोने का व्यवस्था नही है। फ़टे हुए विस्तर टूटे हुए पलंग पर सोने बाले ओलम्पिक के खिलाडी से हम सोने की मेडल की उम्मीद करते है। हमारे देश में ओलम्पिक में लगे खिलाड़ियों की ऐसी दुर्दशा और व्यवस्था में रहने को मजबूर किये गए है जिससे एक ही जुमला कह सकते है ठग दे इंडिया।ओलम्पिक से लगे खिलाड़ी दिन भर मैदान में पसीना बहाती है और रात को इसकी व्यवस्था पसीना चूस लेती है लेकिन ये अजायबघर के सजाबत से ज्यादा कुछ नही है। कमरे की दिबारे टूटी हुई है तारे इधर उधर बिखरी नजर आ रही है और शिकायत पर समाधान हो जाय तो काहे का ठग दे इंडीया। दिल्ली के भीषण गर्मी में प्रैक्टिस के बाद कमरे पर पहुचने के बाद पता चलता है की पानी ही नही है, डस्टबिन तक नही है, गन्दगी के अम्बार में रहने को मजबूर है ओलम्पिक में देशभक्ति गुमान का झन्डा लहराने बाला। ये गली मोहल्ले के खिलाड़ी नही रहते है यहाँ देश के लिए खेलने बाले राष्ट्रीय और अन्तर राष्ट्रीय स्तर के खिलाड़ी का व्यवस्था है ये। इन्ही से उम्मीद रियो ओलम्पिक में राज करने का लेकिन सचमुच में व्यवस्था देखा जाय तो यह ठग दे इंडिया है।

सबाल है कि इस बिमारी और बदइंतजामी का जिम्मेदार कौन है ? भारतीय ओलम्पिक संघ इस जिम्मेदारी से कैसे बच सकता है ? स्पोर्ट अथॉरिटी ऑफ़ इंडिया इस जिम्मेदारी से कैसे किनारा कर सकती है ? सरकार का खेल महकमा इस जिम्मेदारी से कैसे मुँह मोड़ सकता है ? लेकिन यही सच है कि ओलम्पिक मेडल बाले नारों के बिच खिलाड़ियों के बुनियादी सुविधा मुहैया करबाने का जबाबदेह कोई नही होना चाहता ? हसीन पलो के उन्ही दिनों में आज के प्रधानमंत्री जी ने बोला था की अगर सेना के जवानो को अलग से ट्रेनिंग दी जाय तो 5 - 10 मेडल यूँ ही आ जायेगा लेकिन आज की हकीकत देखिये की मेडल लाने बाले की मजबूरी पर कोई बोलने को तैयार नही है ? ओलम्पिक खिलाड़ियों के नसीब में अच्छे दिन कब आएंगे ये किसी को नही पता ? कोई जिम्मेदार लेने को तैयार नही होता ऐसी सूरतो का ? भारतीय ओलम्पिक संघ के पास इस दुर्दशा का कोई जबाब नही है ? स्पोर्ट अथॉरिटी ऑफ़ इंडिया के पास इसका कोई जबाब नही है ? खेल संघो के पास भी इसका कोई जबाब नही है ? और ना ही भारत के सरकार के पास इसका कोई जबाब है ? कोई नही बताता कि ओलम्पिक खिलाड़ियों के लिए ये मामूली सहूलियत क्यों नही मयस्सर होता ?

किसी देश में ऐसा नही होता कि दुनिया के सबसे बड़े मुकाबले में हिस्सा लेने बाले खिलाड़ियों को इस हाल में रखा जाता ? छोटे छोटे देश भी अपने खिलाड़ियों के लिए कम से कम  बुनियादी सुविधा तो जूटा ही लेते है ?लेकिन हमारे खिलाड़ियों को ऐसे तबेले में झोंक दिया जाता है जैसे भारत की नही सोमालिया के खिलाड़ी हो ? तिन चार पदक आ जा रहे है तो इनके जज्बे की आरती उतारिये वर्ना हमारे खिलाड़ी मैदान में बाद में परास्त होते है अपने व्यवस्था से लड़ते लड़ते उनका हौसला पहले ही पस्त हो जाते है।

यही सब वजह है कि हम ओलम्पिक खेलों में कहीं नही ठहरते ? सवा अरब से ज्यादा की उम्मीदे हर बार धराशायी होती जाती है। आखिर क्या वजह है की जिस देश में क्रिकेटर को भगवान की तरह पूजा जाता है वहाँ दूसरे खेल के खिलाड़ी विस्तर, बिजली और पानी तक को मोहताज है। पैसों का खेल हर बार असली खेल पर भारी पड़ता है। नाम शोहरत पैसा इज्जत इफराद से बरसती है क्रिकेटर को, बाकि खेलो का हाल ये है की मामूली सुविधा को तरसते है ये खिलाड़ी। क्रिकेट भी खेल है और फुटबॉल बॉक्सिंग,कार्राटे, हॉकी, टेनिस कुश्ती लेकिन क्रिकेट के अलाबा हर खेल दम तोड़ते नजर आते है। ऐसा नही है की सरकार खेलो पर खर्च नही करती है ? करोड़ों रुपये खर्च होते है लेकिन वैसे ही होते है जैसे दूसरे सरकारी योजनाओ पर। इसी साल खेल की बढ़ाबा देने और खिलाड़ियों को तैयार करने के लिए 381 करोड़ रुपये का बजट बनाया गया है जी पिछले साल से 12 करोड़ रुपैया ज्यादा है।लेकिन इतने खर्च पर भी खिलाडियों को मामूली सुविधा नही मिलती। हालाँकि इतना पैसा क्रिकेट की तुलना में कुछ भी नही है ? फिर भी इतने पैसो से खिलाडियों को बुनियादी सुविधा तो दी ही जा सकती है ?

खेलो के विकास के लिए सरकार ने स्वायत्य फेडरेशन बनाया है।इनकी देख रेख और खेल के सामान की आपूर्ति के लिए भारतीय प्राधिकरण नामक व्यवस्था रख दिया है लेकिन खुद ही सफेद हाथी बन गया। हर ओलम्पिक में हम चाहते है की खिलाड़ी पदको का भरमार करे, सोने चांदी के पदको से हमारी झोली भर जाय लेकिन उम्मीद पर सुविधाओं का वजन रखने में सरकारो का खोखलापन खुलकर सामने आ जाता है। सोचिये की भारत में खिलाड़ियों के चयन के लिए कोई अन्तर रास्ष्ट्रीय अकादमी नही है क्योंकि ट्रेनिंग के लिए भी कोई ढंग की व्यवस्था नही है ? खेल संघो में राजनीती से जुड़े लोगो का दबदबा है। बाकायदा रिसर्च हुई है इस बात पर की भारत ओलम्पिक में क्यों पिछड़ जाती है ? क्योंकि खेल ट्रेनिंग सुविधा के लिए पैसे चाहिए जैसा की चाइना और अमेरिका करते है लेकिन हम अपने खिलाडियों की बोझ समझते है और ऐसे में कोई पदक आ भी जाय तो इसे इत्तेफाक ही समझिये। बीमारी चाहे जितनी बड़ी हो वो लाइलाज नही होती नियत की वजह सारी बीमारियां बढ़ती चली जाती है।

Saturday, April 23, 2016

कैसे ब्रांडेड आइसक्रीम के नाम पर ठंढा जहर बेचा जा रहा है ?क्यों उस आइसक्रीम को खाकर बच्चे बीमार पर रहे है ? ये आइसक्रीम आपको अस्पताल पहुंचा सकता है। आज हर घर से जुडी सबसे बड़ा पड़ताल ओपरेसन आइसक्रीम।शहर के डिम लाइट पर चौराहो पर बिकने बाली ठंढे आइसक्रीम आपके लिए जहर है। जरुरी नही है कि जो ऊपर से रैपर उतारा है वो अंदर भी हो।  सबसे पहले ठंडे मीठे जहर के पड़ताल के लिए दिल्ली के नरेला इलाका से शुरुआत हुई । इस इलाके में फैक्ट्री के भरमार है। फैक्ट्री मालिक से पूछे जाने पर की उनके घर शादी है और उन्हें आइसक्रीम ऑर्डर करनी है उन्होंने किसी भी ब्रांडेड कम्पनी की आइसक्रीम यहाँ से ले सकते है दरअसल उनके पास असली रैपर है, लेकिन जहाँ इसे बनाया जा रहा है वह स्थान गंदगी से भरपूर है और लोग गंदे और नंगे हाथ से आइसक्रीम कप में भर रहा है।

दूसरा पड़ताल दिल्ली के ही त्रिलोकपुरी के एक फैक्ट्री में हुआ फैक्ट्री का नाम है लक्ष्मी आइसक्रीम वहाँ के नजारा होश उड़ा देने के लिए काफी था क्योंकि वहां गन्दे पानी में मैंगो आइसक्रीम बन रही थी और गन्दगी इतनी थी की वहां खड़ा होना मुश्किल था। उस फैक्ट्री में सबसे बड़ा जो सच आया उसके बारे में कल्पना करना भी मुश्किल है। वहाँ भी किसी भी ब्रांडेड कम्पनी का आइसक्रीम मिल सकती है लेकिन मात्र रैपर असली कम्पनी का होगा, आइसक्रीम नकली होगा।अब ये समझना मुश्किल नही होगा की ब्रांडेड आइसक्रीम के नाम पर ठंडा मीठा जहर आपके सेहत को कितना बीमार कर सकता है ये समझ सकते है ? 

ये सिर्फ दिल्ली में ही नही बेचीं जा रही है दरअसल पँजाब और हरियाणा के सड़को पर बेचीं जा रही आइसक्रीम की भी पड़ताल में पता चला की दूध से बनने बाली ये आइसक्रीम में दूध ही नही है। बिहार के फैक्ट्री में पता चला की माफिया लगा है ऐसे कामो में । ये ऐसा मकड़जाल है जिसमे आइसक्रीम के शौक़ीन फंसते है और बीमार हो जाते है।

मथुरा के शेरगढ़ में जहाँ आइसक्रीम खाकर 30 बच्चे बीमार होकर सीधे अस्पताल पहुँच गए।पुरे इलाके में हड़कम मच गया। अस्पताल में जांच से पता चला की इनके हालात आइसक्रीम खाने से बिगड़ी है। दरअसल बच्चों ने वही नकली आइसक्रीम खाई थी ।

अब सबसे बड़ा सबाल यह है कि नकली आइसक्रीम बनती कैसे है ? दरअसल नकली आइसक्रीम में मिलबटी दूध का इस्तेमाल होता है।जिलेटीन, गस्टेड पाउडर, मैदा और ना जाने कितने हानिकारक रंगो का प्रयोग होता है। वाशिंग पाउडर भी मिलाये जाते है। मिठास देने के लिए सस्ती आर्टिफीसियल चीनी भी मिलाई जाती है जैसे स्परोटोर, जलोटिन सैकरीन जो की बेहद खतरनाक होती है । इन चीजो से कैंसर जैसे बीमारी भी हो सकती है।

बिहार में पड़ताल के बाद पता चला की पूरा का पूरा माफिया लगा हुआ है इस जहरीला ठंडे मीठे की अबैध फैक्टरी चला रहा है। बिहार के शेखपुरा जिले से पटना तक में आइसक्रीम बेचीं जाती है।लेकिन यहाँ कैसे बनती है ये फैक्ट्री की हालात देखकर पता चलता है।बेहद गन्दे पानी से बनाया जा रहा है, फैक्ट्री में चारो ओर से बदबू आ रहा है।जमीन पर गिरे हुए आइसक्रीम को धोकर फिर से बेचने के लिए फ्रिज में रखा जाता है।

बिहार के मुंगेर में इनकी कई फैक्टरियां है लेकिन यहाँ बड़े ब्रांड के नाम पर सिर्फ बीमारी ही तोहफा है। इस कैसे ब्रांडेड आइसक्रीम के नाम पर ठंढा जहर बेचा जा रहा है ? इस रिपोर्ट का मतलब आपको डराना नही है आपको आगाह करना है। ये मुनाफाखोर चन्द रुपयो के लिए बच्चों के सेहत से भी खिलबाड़ करने से नही चुकते है जरूरत है थोडा सावधान रहने की।आइसक्रीम तो अपनेआप में एक इन्फेक्शन है लेकिन ऐसी आइसक्रीम खाने के बाद जी इन्फेक्शन फैलता है उसका इलाज ही बुखार है।

दरअसल बताना यह है की जो आप खा रहे है ये सच में आइसक्रीम है या ठंडा मीठा जहर। इस गोरखधंधे में लगे लोगो के खिलाप सरकार कितना शख्त करवाई करती है ये देखने बाली बात है वैसे तिन राज्य दिल्ली यूपी बिहार के स्वस्थ महकमा सचेत हुए है लेकिन सिर्फ दावों से नही इस मर्ज की दबाई ठीक से करनी पड़ेगी। आप आइसक्रीम मजे में खा सकते है मगर ये पता रहे की जो खा रहे है वो सही में आइसक्रीम है कही ठंडा जहर तो नही। तो आपको ही रखना होगा ध्यान क्योकि अपनी सेहत का मालिक आप ही है। दुर्घटना घटी क्योंकि सावधानी हटी।

Thursday, April 21, 2016

प्रगतिशील समाज बनेबाक लेल पलायन जरूर करक चाहि किएक त खेतिहर किसान व मजदूरक स्थिति कहियौ अतेक निक नहि रहल कि मात्र खेतिवारी सँ पारिवारिक दायित्व के संग सामाजिक दायित्व के निर्वाहन मर्यादित जेकाँ कयल जा सकय। मुदा नहि कोनो काज सँ निक कि परिवारक सब कियो एकहि में ओझराएल रहू। किसान आ संगहि मजदुर दुनूक स्थिति राम भरोसे कहक चाहि मतलब ओतेक निक नहि छल। किसान कहियो नहि चाहैथि कि मजदूर गाम सँ दूर कमें खटे लेल जाए।समस्याक अम्बार रहैत छल। फसल निर्भरता प्रकृति के दया संग जुड़ल छल आर ई एखनहुँ धरि अछि। कोनो सरकारी सिचाई व्यवस्थाक ठोस संसाधन नहि। किसान जेकाँ मेहन्तिया कियो नै जे जरल वैसाखक रौद हुए चाहे भादवक वरखा सदिखन अपन काज में लीन रहैत अछि मुदा फसल अनुकूल वा नीके होयत तकर सुनिश्चित करय बाला कियो नहि मतलब सब किछ भाग्य पर निर्भर करैत अछि। सरकारी सहायता के नाम पर त मरलाक उपरान्त श्रद्धांजली जेकाँ सहानुभूति किछू भेट जायत अछि।

अपन रोजी रोटीक आश , सुन्दर भविष्य के कामना  हेतु लोक गाम घर सँ दूर जए लागल। शुरुआत में लोक हमरा गाम सँ दरिभंगा पटना धरि जएत छलाह फेर मोरंग नेपाल जतय हमर बाबूजी सेहो जुट मिल्स जोगबनी में अपन पूरा उमर बिता देलखिन्ह। फेर कलकत्ता दिल्ली पंजाब आदि आदि...आब एकरा अहाँ किछ कहि सकय छिऐ ई अपनेक विवेक पर निर्भर करैत अछि कि एहन पलायन के वरदान वा अभिशाप। हमरा लेल वरदान स्वरूप अछि किएक त बाबूजीक जोगबनी पलायन सँ हमर घरक स्थिति सहजता सँ निक आ आर्थिक रूपेण सुदृढ़ भेल जाहि सँ सभक शिक्षा घर द्वारक आवश्यकता सब पूरा भेल। तें रोजी रोटीक लेल घर जा धरि नहि छोड़बै ता धरि सुखी आ सम्मानजनक जीवन जिनाइ दुरूह बात कहि सकय छि। बिनु माया के किछू नै भेटत आ गाम घर में किछू नै क रहल छि तखन बाहर नहि जएब त कोना पूरा हएत अपन जिनगीक सपना ?

आई स्वयं जँ पलायन नहि कयने रहितहुँ तखन हमर स्थिति भगवाने भरोसे रहैत। गाम में एखनहुँ संगी लोकनि जे पड़ल रहलाह एखन धरि ओहिना पड़ल छथि। दिन भरि दलाने दलाने तास खेलैत अपन समय के बरबाद कय रहल छथि।ते पलायन के अर्थ विकास अछि, निक जीवन यापन करबाक साधन अछि, देश परदेश सँ साक्षात्कार होबाक अवसर अछि, स्वयं के विशाल बाजार में खोलक आ सिद्ध करबाक अवसर प्रदान करैत अछि। पलायन आर्थिक रूप सँ सबल बनेबा में अहम भुमिका प्रदान करैत अछि।

मुदा किछू विशेष वर्गक पलायन जे भ रहल अछि एकर प्रमुख कारण हम सब स्वयं छी। जेना हमर मिथिलाक पहचान छल माटिक खिलौना आ बहुते रास वर्तन जाहि सँ हमरा सब कुम्हार पर निर्भर रहैत छलहुँ आ ई कुम्हारक रोजी रोटीक प्रमुख साधन छल मुदा आजुक परिस्थिति में कनिको ध्यान नहि छनि की हुनकर जीविका कोना चलैत हेतै ? साल में एक बेर दिया बातिक त्यौहार अबैत अछि। सगरो दिशा एकर खूब चर्चा होयत अछि। माटिक दिया संगहि वर्तन सब कुम्हार सँ हम सब मंगबैत छलहुँ। मुदा आई हम सब बिसरि गेलहुँ अपन सांस्कृतिक धरोहर के , मिथिलाक माटिक दिया केर। लोक चाइनीज बाजार सँ सस्ता आ रंग विरंगी देखिकय उठाक ल अबैत छथि । एहन स्थिति में हिनकर अस्तित्व खतरा में पड़ि गेल अछि आब जखन पाय कौडिक दिक्कत हेतै तखन कि पलायन के अलाबा आर की कय सकए। पलायन के एतय कि कहबै वरदान वा अभिशाप।

पलायन मात्र अपन बिहारक समस्या नहि अछि। ई सब ठामक समस्या अछि कतौ कम त कतौ बेसी मुदा पलायन सगरो राज्य में भ रहल अछि आ यएह एकटा विकासक साधन छैक। मुदा चुनाव के समय में पलायन एकटा पैघ मुद्दा बनि जायत अछि जेना कोनो हैजा आ जिनको वाइरस अपन प्रचण्ड रूप में आबि गेल हुए। नेतागण अनर्गल प्रचार करय लगैत अछि कि जेना हिनके लग समाधान छनि। गुजरात पंजाब राजस्थान आदि केर लोक जखन पलायन के पश्चात् कामयाब भ गेल तखन हिनकर महिमामण्डित कयल जएत अछि मुदा बिहार आर यूपी के लोक पलायन बाद सफलताक शिखर पर रहितो तिरस्कार आ बीमार जेकाँ परिभाषित कएल जएत अछि। प्रोत्साहित जँ करबाक साहस नहि हुए तखन किनको हस्तोत्साहित करबाक अधिकार सेहो नै छनि। आन राज्यक पलायन उत्थान अछि मुदा बिहार के पलायन पतन किएक ? इहो कोनो षड्यंत्र भ सकये की बिहारी सब कूपमण्डूक रहय आर निक अवसर सँ वंचित रहय।

महाराष्ट्र गुजरात में अन्धाधुन्ध कल कारखाना छैक  तें कि पटेल समाज के लोक अमरीका सँ अपन होटल बंद कय गुजरात में आबि गेलै की ? सबाल एकटा आओर कि अतेक रास उद्योग धंधा के राहितो किसान केर आत्महत्या किएक नहि रुकि रहल छैक ? चलु मानि गेलहुँ बिहार बीमारू प्रदेश अछि मुदा बिहार में एखन धरि किसान आत्महत्या के खबर किएक नहि सुनल गेल ? कारण हमरा सब अपन मेहनत मजदूरी ईमानदारी आर जिम्मेदारी निक जेकाँ बुझैत छी। काम धाम कय गुजर बसर कयनाइ इज्जत आ मर्यादा बाला काज ठीक वनिस्पत बेरोजगारी सँ आत्महत्या। पलायन रुकि गेला सँ गरीबी मजदूरी समाप्त नै हएत आ नै जिनगी के सबाल ? बिहार में सेहो निक सिस्टम होबक चाहि मुदा विकास के लेल पलायन करैत रहक चाहि। तखने लोक विदेश में जाकय कम्पनी खोलत आ मुम्बई में जाकय अपन नाम चमकैत। सपना नमहर अछि तखन पलायन जरुर करू। बिहार में रहि बिहार सँ बाहर के लेल सेहो सोचु।

राजनिती के कनि काल के लेल ताख पर राखि सोचु विदेशो में ओत के प्रधानमन्त्री आर राष्ट्राध्यक्ष ओत रहय बाला भारतीय के खूब प्रसंसा करैत अछि हुनकर मनोबल बढ़ेबाक प्रयास करैत अछि । अपन देशक प्रधानमंत्री सही खूब मेगा शो रोक्किंग शो करैत अछि मुदा यएह प्रसंसा देश भरि में मेहनत करय बाला मजदूर के लेल होबक चाहि कि नही ? मुदा एतय बिहार के लोक के सगरो स्थान घुमि घुमि कय मात्र दोस गिनेबाक काज करै छथि। अहि दुष्प्रचार के कारण हमरा सभक लोक के समय समय पर महाराष्ट्र में मारि पिटाई गारि गंजन सेहो सह पड़ैए। ई बिहार के प्रति दोहरा चरित्र नै तखन की कहबै ?

जँ वास्तव में सरकार सम्बेदंशील छथि बिहारी पलायन के लक तखन हिनका लेल कल्याणकारी योजना केर बात करथि मुदा हमरा देशक दुर्भाग्य कि एतय चुनाव अबिते बिहार के सम्पूर्ण विश्व पटल पर मात्र पलायन नामक प्राणी के खूब प्रचार करैत छथि फेर बिसरि जायत छथि अगिला  चुनाव धरि।

Wednesday, April 13, 2016

बिहार में चुनावी बहार
एखन गाम घर में उत्सव जेका वातावरण अछि कारण एकटा चैती दुर्गापूजा के धूमधाम दोसर मुखिया चुनावक। विगत किछ वरख सँ मुखिया चुनाव के उमीदबारी में सेहो धन बल के पर्याप्त जोर रहए। स्थिति एहन अछि कि जे कनिको स्वयं के सोझगर बुझैत छथि चुनावी दंगल मर ठाड़ भेल छथि। एकटा गाम स एगो आध गो नै लगभग सबटोला सँ ठाड़ भेल छथि आ कोनो कोनो टोला सँ दू दूटा व्यक्ति ठाड़ छथि।

लोकतन्त्र में चुनाव व्यवस्था के निक

लोकतन्त्र में हमरा सब के अधिकार देल गेल अछि तें किनको मनाही नै छै। नामांकन पत्र संगहि 1000/- रुपैया जमानत राशि जमा कय कियो ठाड़ भ सकए। ठाड़ भेल व्यक्ति में स बहुतो के मुखिया के पद आर काज प्रणाली संगहि अधिकार के विषय में कोनो जानकारी नै छन्हि। शौकिया तौर पर सेहो ठाड़ छथि नै किछ त लोक नाम जानि जएत दोसर वर्चस्व देखेबाक सेहो रेस लागल अछि।

कुमार विश्वास के लिखल एकटा पँक्ति आजुक परिदृश्य में सटीक कहि सकय छी-
"मन्च जबसे अर्थदायक बन गए है
तोतला भी गितगायक बन चुके है।
राजनीती इस कदर गिरने लगी है,
जेबकतरे भी विधायक बन गए है"।।

स्पष्ट रूप सँ हमर आशय ई अछि कि लोकतन्त्र में एखन लोक के स्थान कतौ नै अछि आ तन्त्र में पद पर बैसल बाबू लोकनि अपन अधिपबी  त्य कय लोकतन्त्र के वास्तव उद्देश्य सँ भटका देने छथि।  लोक रोजी रोटी रोजगार के साधन बूझि गेलखिन्ह जखन कि पंचायती राज के अतंर्गत गाम घर स जुड़ल समस्या के मुखिया राज सरकार के बिच कड़ी के काज करै छथि। सरकारी योजना के गाम में निक जेका योजना के सुचारू ढंग स जनहित में लागु कएनाइ हिनकर प्रमुख जिम्मेदारी होय छन्हि।

मतदान के माध्यम सँ जितल व्यक्ति के पहिल जिम्मेदारी मतदाता के समस्या क निदान निक जकाँ करबाक चाहि। निस्वार्थ सेवा भावना मुखियाक पहिल प्रार्थमिक्ता होबक चाहि। मुदा एखन जे व्यक्ति चुनाव में अन्धाधुन्ध रुपैया खर्च करै छथि हिनका सँ ईमानदार प्रयास निस्वार्थ भाव सँ बईमानी बुझु किएक जे खर्च करताह पहिने अपन जेबी भरि चुनाव में भेल खर्च के बराबर करताह फेर अपन फायदा पहिने बाद में दोसर आर कोनो काज पर ध्यान देताह।

चुनाव में उमीदबार के पहिने जाँचु परखु जेना हिनकर विगत समय में कयल गेल काज, समाजिक काज में योगदान, हिनकर बात व्यव्हार संगहि योग्यता किछ सूक्ष्म जानकारी भेलाक बाद अपन पसंद के व्यक्ति के मतदान करू। प्रलोभन में मतदान जुनि करब नै त चुनाव पश्चात पछतेबा के अलावा किछू नै भेटत। अपने सब सँ आग्रह अछि चुनाव में अपन मताधिकार के प्रयोग अवश्य करब मुदा निक सच्चा ईमानदार हुए चाहे उमीदबार आर्थिक रूप स समर्थ हुए आ असमर्थ।
💐जय माता जी💐 जय मिथिला जय मैथिली💐