Latest News
Showing posts with label मिरानसे. Show all posts
Showing posts with label मिरानसे. Show all posts

Saturday, July 9, 2016

मिथिलाक समस्या एखन जकथक पड़ल अछि, जे पैघ चिंताजनक विषय अछि।बेरोजगारी, महँगी, भ्र्ष्टाचार, बिजली, पानि, सड़क, स्वास्थ्य, शिक्षा आ मजदूर वर्गक पलायन कतिपय  समस्याक जाल बिछाओल अछि, जेकर दूर करब बिहार सरकारक मनोदशा मिथिला के प्रति सौतेलापन जेकाँ जगजाहिर छनि। मिथिला के नितीश सरकार मजबूरी में ढो रहल छथि कारण हिनकर पूरा ध्यान अप्पन क्षेत्रक विकास पर छनि बाद में कतौ आउर? एकर पैघ कारण नितीश सरकार सेहो निक जेकाँ बुझै छथिन जे मैथिल स्वयं में बुद्धिजीवी सँग अहंकारी बेसी होय छथि। ते हिनका लोकनि के मुर्ख बनेबा में कोनो बेसी दिक्कत नहि अपितु सहज छैक। एकटा लोकोक्ति छै ने अपना तरफ कि "बेसी पण्डा सँ मठ उजाड़" ! ते मिथिला में बुद्धिजीविक बाहुल्य सँ एतौका कोनो जन आंदोलन शुरू होम सँ पहिने भसिया जएत छैक?

पटना चिंतन शिविर के पश्चात् मिथिला राज्य निर्माण के माँग मैथिल के लेल आब प्रतिष्ठा आ अधिकारक विषय बनि गेल अछि। कहल जएत अछि अतीत में सेहो कर्मठता लगनशीलता आ संकल्प सँग मिथिला राज्य अभियानी समर भूमि में कुदल छलथि सब संकट सँ लोहा लेब लेल मुदा मानवीय स्वार्थ सत्तालोलुपता स्वपोषित हित आ वर्चस्व इत्यादि कारणे आंदोलन छिन्न भिन्न भ गेलनि। हमरा सबके अतीत में कएल गेल निक काज सँ प्रेरणा आर बेजाए काज सँ शिक्षा लेबाक चाहि। एखन जे प्रमुख समस्या अछि हमरा सबके बिच में सम्बाद आ सौहार्द के कमी। पहिने एकजुट एकमत एक विधान एक संबिधान एक नेतृत्व पर सर्वसम्मति सँ संकल्प लेल जाऊ। दोसर व्यक्तिगत विचारधारा किनको कोनो राजनितिक दल सँ होय मुदा मिरानसे के मञ्च पर खाली एकहि टा विचारधारा हेबाक चाहि "पृथक मिथिला राज्य"।

हमरा सबहक आंदोलन के आवाज केन्द्र सरकार के कान धरि पहुँचक चाहि आ ई तखने सम्भव हएत जखन आगामी दरिभंगा अधिवेशन दमदार सँग लोकक जन शैलाब जमा हएत। यएह सर्वश्रेष्ठ हथियार हएत मिथिला राज्य निर्माण के लेल, तें किछ महिनाक मेहनत जँ हम सब ईमानदारी आ समर्पण भाव सँ पूरा क लेलहुँ तखन राज्य सरकार सँ लक केन्द्र सरकार के आँखि स्वतः खुलि जैतनि। एखन अहुना केन्द्र में मोदी के सरकार अछि, अहि सँ पहिने बाजपेयीक सरकार काल में मैथिली केँ आठम अनुसूची में राखल गेलैक आ पुनः समय आयल अछि जे वर्तमान प्रधानमंत्री जी के ध्यान जेबाक चाहियन्हि आ शीघ्रातिशीघ्र अहि पर मंत्रिमंडल में निर्णय लय् स्वतंत्र राज्यक दर्जा दए मिथिला के चिर-अभिलाषित अधिकार आ समुचित माँग के पूरा करबाक चाहियन्हि।

अन्त में #मिरानसे के नेतृत्व के माध्यमें समस्त सदस्यगण/ मैथिलगन, प्रवासी मैथिली/मिथिलानि किंवा मिथिलांचल में रहनिहार/रहनिहारि सबसँ आग्रह करैत छी जे जानकी भूमि के बिहार सँ मुक्त करबा में तन मन अस धन सँ अपन सहयोग करि। मिरानसे में अपने सब लोकनिक स्वागत आ आमन्त्रण अछि अपनेक विचार के। जय मिथिला जय माँ जानकी।

Saturday, July 2, 2016

मिथिलाक सांस्कृतिक शैक्षणिक आ मुलभुत सुविधा सँ उपेक्षित के लेल दोषी के छथि? माननीय महोदय तें माननीय कहाबैत छथि किएक त वो अपन भाव भंगिमा सँग अभिनय कला में निपुण भ अपन दोष दोसर के माथ पर फेक दैत छथि। राजनेता  खाली लाभ हानि के अवलोकनि कय अपन डेग बढ़ेबाक प्रयास करैछ।

आधुनिक परिवेश के नेतागण के शरीर में भावना सम्बेदना आ चेतना मरलासन बुझु। ओना शारीरिक गठन नाक नक्सा देख में मनुखे जेका लागत मुदा ओकरा माथ में "विचारधारा नामक चिप" लस्सा जेकाँ साटि देल गेल छनि जेकर नियंत्रण आन के हाथ में रहैत अछि। फेर चिप के समयानुकूल बनेबा लेल सदिखन प्रशिक्षण मोड में राखय पड़ैत छनि। अहाँ दोसर जुबान में माननीय के मनुख जेकाँ रहितो "रोबोट" प्रजाति के संज्ञा द सकय छी। कारण क्रिया आ प्रतिक्रिया दुनू चिप में जतेक उपडेट या कार्यक्रम कएल गेल छनि, ओइ सँ बेसी असम्भबे बुझु?

एकटा आर पैघ बात कि आजुक नेतागन "रोबोट" सँग साँप छुछुंदर के खेल देखाब आ करय में सेहो माहिर होय छथि। कारण स्वयं में त कोनो सम्बेदना रहै नै छनि तें दोसर के भावना सँग खेलेबा में हिनका कनिको दिक्कत नहि? अपने समाज में जखन कोनो दुखद घटना घटित होयत अछि तखन आधुनिक राजनेता अपन चिप में फिक्स कएल गेल कार्यक्रम के हिसाबे प्रतिक्रिया करैछ,  आ सबहक प्रतिक्रिया सब तरहक भेंटत, यएह छै विचारधारा बाला चिप जे जोंक जेका आजुक नेता के माथ में साटि देल गेल छनि। मुदा ओ एहन जोंक होय छै जे राजनेता के खून नै खाली जनता के खून पिब के काज करैत अछि। हमरा सबके अहि तरहक जोंक सँ बेसी अपेक्षा नहि राखक चाहि। जँ हमरा सब में सटबो करताह तखन स्वभाववश हमरा सबहक खूने चुसत।

चलु फेर सँ बिहार में, एखन जे दुर्दशा अछि बुझयत अछि अहि सँ पहिने कहियौ नहि देखल गेल हएत? बिहार में बहार त निपत्ता बुझु, बिहार में बहिर राजनेताक संख्या बाहुल्य भेल जा रहल अछि। पहिने जे भेल से एखनहुँ बिहारी के नाम कलंकित कएने अछि जकर देश विदेश में चर्चा होयत अछि आ भविष्य में सेहो होयत रहत मुदा वर्तमान में टॉपर घोटाला बिहार के शैक्षणिक ढाँचा पर कालिख पोति देलक। शिक्षा संस्थान के बाजारू,  किछू राजनेता के हाथक कठपुतली आ दोसर भाषा में  कनि बेजाए लागत मुदा रखैल बना देल गेल अछि। शिक्षा के साख पर बट्टा लागि गेल आब अहि सँ पैघ घोटाला कि हएत?  जखन जड़िए में घुन लागि गेल हएत तखन केहन फसल भेंटत तकर चिंतन करू। आरो बहुत किछू पैघ पैघ समस्या अछि शिक्षा, सड़क, बिजली, रोजगार,कल कारखाना जेकर बिहार के बहिर सरकार विशेषकय मिथिला क्षेत्र के साथ सौतेलापन व्यवहार आ दोहरा चरित्र देखा रहल अछि।

हमर आग्रह अछि #मिरानसे के नेतृत्व में आत्मविश्वास सँग माँ जानकी केर भूमिक बिहार के आन्हर बहिर सरकार सँ आजाद कराब में सहयोग करू। आगामी नवंबर 8-9 तारीख महा अधिवेशन के लेल गाम गाम में लोक सबके जागरूक बनाऊ, निक बेजाए सँ दर्शन कराउ कि हमरा किएक चाहि अप्पन मिथिला राज्य? कहिया धरि उपेक्षित रहब? मिथिला के सरकारी उपेक्षा सँ विकास काज सबटा चौपट भ गेल अछि आ ई सब नितीस सरकार निक जेकाँ जानि बूझिक कय रहल छथि।

हमर दोष एतबा अछि कि हम सब मिथिला के रहनिहार छी? जागु आ अपन बाम दहिन लोक के जागाउ, संगठित होउ फेर हल्ला बोल प्रदर्शन के लेल एकजुट संयमित मुदा संगठित प्रयास करबाक अछि। दरिभंगा में आगामी अधिवेशन जे छैठक परात 8-9 तारीख कय सर्वसम्मति सँ राखल गेल अछि ओकरा मन कर्म वचन सँग धन सँ सेहो सहयोग करि। सफलताक अग्रिम शुभ कामना। जय मिथिला जय माँ जानकी।

Monday, June 20, 2016

दुनिया में सबसँ बड़का रोग कि, की कहत लोग? कोना प्रतिक्रिया करत लोग ? लोकक काज छै निक बेजाए सोचब से सोच दियौ लेकिन अपन संकल्पित काज के प्रति ईमानदार कोशिस करैत रहबाक चाहि। ओ दिन बेसी दूर नहि जे लक्ष्य अछि समय सीमा के भीतर देखबै साकार हेबे टा करत।

ओना त परिवार में सेहो मतभिन्नता देखल जएत रहल अछि, जखन कोनो निक आ बेजाए विषय पर चर्चा करैत छी? चर्चा कयला सँ समाधान अबैत अछि लेकिन जखने विषयान्तर होयत अछि तखन घमासान सेहो होयत अछि। मुदा बुझ में आबि जएत छैक कि के विषय सँ भागि रहल छथि या टारि देबाक प्रयास क रहल छथि? समाज सेहो परिवारे सँ बनैत अछि तें एहने परिणामक अपेक्षा कमोवेश समाज सँ भेटत से बूझि लिय। लेकिन अपन डेग तखने रोकबाक अछि जखन लक्ष्य धरि पहुँच जएब अन्यथा कोनो तरहक विघ्न बाधाक मुँह तोड़ि जबाब देबाक सामर्थ राखक अछि।

मिरानसे( मिथिला राज्य निर्माण सेना) जेकर चर्चा आब मैथिल के मध्य  मिथिला में खूब भ रहल अछि। जनमन में पृथक मिथिला राज्य निर्माण के लेल मिरानसे अपन नेतृत्व में संघर्ष करबा लेल माँ जानकी के सेना जेकाँ  तैयार क जा रहल अछि। ओना मिरानसे केर स्थापना तिन साल पहिने दिल्ली में भेल छल आ तहिया सँ आई धरि छोटमोट बहुते रास प्रदर्शन आ धरना कतेको स्थान पर करैत रहलाह।

लेकिन पटना चिंतन शिविर के बाद लोकक सोच में क्रांतिकारी परिवर्तन देखल गेल। सहभागी लोकनिक वैचारिक क्रांति सँ समाज में जनक्रांति के वातावरण तैयार भ रहल अछि। जनक्रांति एकटा आंदोलन में परिवर्तित भ आगामी दरिभंगा 8-9 नवंबर दू दिनक महाअधिवेशन बिहार सँ मुक्ति के लेल गर्जना हएत। जेकर सूत्रधार मैथिलगन स्वयं हेताह। गर्जना सँ सुतल शासन प्रशासन के आँखि खोल पर मजबूर होब पड़तानि। मिथिला राज्य हमर अधिकार अछि आ हम लक रहब।

"आब मानि जाऊ" नहि त बाद में पछतेबा सँ कोनो लाभ नहि भेटत। आऊ एकजुट प्रयास कय माँ जानकी केर भूमि के बिहार सँ मुक्त कय अपन कर्ज के चुकता करू। मातृभूमि केर आजादी लेल राज्य सरकार सँ लक केंद्र सरकार धरि मिथिला राज्य के संबैधानिक दर्ज देब पर विवश होम पड़तानि।
जय हो मैथिल जय हो मिथिला जय माँ जानकी।

Wednesday, June 15, 2016

कहिया धरि अहिना मिथिलाक दुर्दशा पर बौक बनल रहब हमसभ आ उपेक्षित होयत सहिष्णुता के आवरण में झाँपने रहब? मिथिलाक अस्मितता लेल उखारि फेकू सरकारक दोगला चरित्र के, जे अपन अपन क्षेत्र के विकासक संज्ञा बिहार के विकास कहै छथि। स्वाभाव सँ मैथिलजन प्रबुद्ध आ कुशल राजनीतिज्ञ होयत अछि मुदा अपने घर में कतेको बथान बनेने छथि से सबसं प्रमुख समस्या छैक।

अइ सब में निक बात अछि कि लक्ष्य सबहक एके छनि। मात्र संकल्प लेब पड़त संघर्ष में एकजुट होबाक लेल आ घरे घर जे लक्ष्मण रेखा घींचल अछि ओकरा समाप्त करबा लेल जखन उद्देश्य एक अछि "पृथक मिथिला राज्य निर्माण"/ बिहार सँ मिथिलाक आजादी तखन सबकियो एकटा झन्डा उठाकय किये नहि शंखनाद करै छी? किएक नहि माँ जानकी केर सेना बनि मिथिला आ मैथिलहित के संघर्ष में डेग सँ डेग मिलाकय आन्हर बहिर सरकारक माथ पर तांडव करै छी?

पहिने मैथिलजन एकत्रित होउ, अगबे फांकी देने आ एक दोसर पर आरोप प्रत्यारोप वा टाँग घींचने आन्दोलन नहि हएत? आन्दोलन के मतलब अपन शारीरिक सामर्थ्य के मोताबिक सब तरहे पूरा जोश खरोश के सँग माँ जानकी केर झन्डा सँग हल्ला बोल प्रदर्शन करू। हमरा सबहक बीच में जे व्यक्तिगत द्वेष भाव ईष्र्या केर लकिर अछि, ओकरा सर्वप्रथम श्रधांजलि देल जाए।

ओना मिथिला में मैथिलजन के अन्तर आत्मा में अप्पन राज्य बनय से सुलगि रहल अछि । सर्वप्रथम मिथिला राज्य के विषय में पूर्ण जानकारी घरे घरे बुझा देल जए। हमर आशा नहि पूर्ण विश्वास अछि मैथिलजन सुतल नहि अछि, सबहक हृदय बिहार सरकारक दुष्ट प्रवृति आ मिथिला के प्रति सौतेलापन सँ व्यथित छैक जे एक बेर जँ जागि गेल तखन अपन मातृभूमि के लेल सर्वस्व न्योछावर करबा में कखनो पाछा नहि रहताह।
जय मिथिला जय माँ जानकी।

Thursday, June 9, 2016

किस्सा पिहानी सेहो हेबाक चाहि, आई चलु एकटा किस्सा स्मृति में आबि रहल अछि, सोचलहुँ जल्दी सँ कलमबद्ध करबाक चाहि। लीय अहूँ सब सुनु:-
प्राचीन काल में एकटा भरल पुरल गाम में सोझे सोझ दूटा पड़ोसी रहैत छलाह। दुनु अपन अपन विशिष्ट काज के लेल प्रसिद्ध छलाह। एकटा के प्रवृति संत महात्मा जेकाँ छल आ दोसर में ठीक विपरीत सबटा ऐब सँ भरल पुरल। महात्मा जी केर दिनचर्या भोर के 4 बजे सँ शुरू होयत छल आ राति धरि चलैत छल। ठीक विपरीत दोसर व्यक्ति केर कोनो निर्धारित दिनचर्या नहि, जखन आँखि खुजल तखने जागि गेल कारण चोरी चपाटी जुआबाज़ी आ दिन भरि अपन अहि तरहक व्यसन में समय बरबाद करैत रहैत छल।

महात्मा जी अपन तन मोन धन सँ दिन भरि भगवत भजन में लीन रहैत छल। हिनका देश दुनिया आस पड़ोस सँ कोनो काज नै बस सत्संग आ पूजा पाठ भक्तिभाव में चारु पहर लागल रहैत छल मुदा बहुत दरिद्र छलाह, कोनो तरहे दुनु पहर के भोजनक व्यवस्था होयत छलनि। पूजा पाठ सँ फुरसत भेलाक बाद एक दिन अपन पडोसी के देखलक खूब मौज मस्ती में, सब प्रकारक सुख सुविधा सँ भरल पुरल घर। ई दृश्य देखि महात्मा के मोन माहुर भ गेलनि आ भगवान के कोस लगलाह कि हम सदिखन अहाँक श्रद्धा भक्ति सँ पूजा अर्चना करैत एलहुँ अछि आर हमरा पहिने सँ आर दरिद्र बना देलहुँ जखन कि सोझे सोझ हमर पड़ोसी जे सबटा मानवीय ऐब दोष सँ भरल अछि हिनकर घर सुख सुविधा सँ भरि देने छिऐ।

महात्मा जी खिसियायत धारे कात कात भगैत चलल जएत छल कि आई हम जल समाधि लए लेब, जीवे क की करब जखन भगवान हमर सुधि नहि लैत छथि। तखने महात्मा देखलक जे हिनकर पड़ोसी सेहो आगु आगु जा रहल अछि। देखक के कारणे महात्मा जी जमीन पर खसलाह आ हिनकर पेयर टूटि गेलन्हि आ किछुए दुरी पर हिनकर पड़ोसी सेहो खसलाह आ हिनका हाथ में सोना केर अँगूठी भेटलनि आ बहुत खुश  भेलाह लेकिन महात्मा जी अहि दृश्य के देखि अन्तर आत्मा धरि द्रवित भ गेलनि आ सोचलक की आब जल समाधी लेब में कोनो दिक्कत नहि। आ भाग लगलाह समाधी के लेल तखन भगवान स्वयं ब्राह्मण रूप धारण कय महात्मा लग आबि पुछलनि महाराज अहाँ अतेक तमतमएल कत भागल जा रहल छी? महात्मा जी अपन मोनक व्यथा सबटा ब्राह्मण रूपी भगवान लग उझलि देलनि। हिनकर सब बात सुनलाक बाद भगवान जबाब देलनि हे महात्मा ई जे अपनेक पड़ोसी अछि आई सोना केर एकटा मात्र अँगूठी देखि प्रसन्न अछि आजुक दिन हिनकर भाग्य में कोनो देशक राज्याभिषेक लिखल छलनि मुदा हिनकर कर्म आई एतय धरि पटकि देलनि आ आजुक दिन अहाँ दुखी छी कि अपनेक पेयर टूटि गेल जखन पूर्व जन्म के आधार पर भाग्य रेखा में फ़ाँसी लिखल छल। अहाँक सतकर्म आई जान बचा देल।

हमरा सबके अहि सँ शिक्षा लेबाक चाहि की कर्म अपन कखनो नहि छोड़कर चाहि। सदैव सद्कर्म के मार्ग पर चलैत सर्वहित के काज करबाक चाहि। उद्देश्य अछि मिथिला राज्य तखन पहिने मैथिल बन पड़त। एकजुट भ जमीनी स्तर पर प्रत्येक गाँव घर में मिथिला राज्य हित के चर्चा कय संगठन बना कय काज करय पड़त तखन लक्ष्य भेदन सँ कियो नै रोकि सकैछ। हमरा सब के हाथ में मिथिला नामक सरकारी डाक टिकट रुपैया आ छोट छीन फोटो धरा दैत अछि आ फेर हम सब मारे ख़ुशी के नंगटे नाच लगय छी। मतलब "कान्हा कुकुड़ माड़े तिरपित" नै बनबाक अछि। जय मैथिल जय मिथिला जय जय मैथिली।

Tuesday, June 7, 2016

"जननी-जन्मभूमिश्च स्वर्गादपि गरीयसी"
अर्थात जननी(माता) आउर जन्मभूमि केर स्थान स्वर्गों सँ श्रेष्ट आ महान मानल गेल अछि। वेद पुराण आ धर्मग्रन्थ में दुनु के ममता दुलार प्यार वात्सल्य के वखान अतुलनीय कयने अछि। अतः जनिका अपन जन्मभूमि सँ प्रेम नहि छनि हुनका में मानवीय सम्बेदना कदापि नहि भ सकैए। जन्मभूमि हमरा लेल पूजनीय अछि, वन्दनीय अछि आ हिनकर रक्षा आ सम्मान के लेल हमरा सदिखन ततपर रहक चाहि।
एकटा पँक्ति मोन अबैत अछि:-
“जो भरा नहीं है भावों से, बहती जिसमें रसधार नहीं ।
हृदय नहीं वह पत्थर है, जिसमें स्वदेश का प्यार नहीं ।”

मिरानसे (मिथिला राज्य निर्माण सेना)
स्थापना 14 अप्रैल 2013 में कएल गेल अछि। संगठन बनेबाक मुख्य उद्देश्य बिहार सँ पृथक मिथिला राज्य केर संबैधानिक दर्जा देल जाए ताहि लेल अभियान चलैल जएत। विधिवत रुपे  एकर दस्ताबेज बनाएल गेल, पदाधिकारी सबहक चुनाव भेल। पृथक राज्य के कुन प्रकारे माँग राखल जए ताहि पर मिरानसे के पदाधिकारी सब विचार मन्थन कएलाह? बहुत जोर शोर सँ अभियान शुरू भेल जकर धमक बिहार सँ लक दिल्ली धरि सुनाई देलक। सबसँ पहिले त यएह बहुत पैघ चर्चाक विषय बुझु जे  पृथक मिथिला राज्य के लेल संगठनात्मक कार्यक्रम शुरु भेल। आजादीक 7 दशक होम बाला अछि मुदा आई धरि कोनो मैथिल राजनेता अपन मिथिला राज्यक मुद्दा पुरजोर तरीका सँ कहियो नै उठेलाह। तें मिरानसे के सूत्रधार लोकनि धन्यबाद के पात्र छथि जे संगठन बनाकय आंदोलन शुरू कएलाह आ स्पष्तः किछ हद धरि सफल सेहो रहलाह।

इतिहास उठाकय देखु सब तरहक आंदोलन के शुरुआत अहिना भेटत, नीव एकबेर पड़ि गेल तखन समय कनि कम आ बेसी लागि सकैए मुदा पूर्णाहुति सुखद होयत रहलाह अछि आ हम आशावादी छी तें मातृभूमि मिथिला के एक दिन संबैधानिक रूपेण पृथक राज्य के रूप में अवश्ये स्वीकारल जएत।

मुदा एकटा पैघ सबाल ई अछि कि जेकर परिचर्चा 2013 में भेल छल से अनायास कतय रहि गेल? कोना अपन उद्देश्य सँ भटकि गेल?अतेक तमाशा कयलाक पश्चात् कतय सबके सब नुका गेल? ई बड़का अफ़सोचक बात अछि नै त एखन धरि आंदोलन के रूप व्यापक भ जन जन धरि पहुँच गेल रहैत। हमरा मोताबिक एकर प्रमुख कारण आपसी कलह, तालमेल में कमी, नेतृत्व क्षमता  आ सबसं पैघ पदलोलुपता भ सकैए? वर्चस्व के लड़ाई सेहो एकटा कारण भ सकैए। मतलब साफ़ अछि बेसी पण्डा सँ मठ उजाड़ बाला स्थित सँ सेहो मिरानसे के अभियान में असर पड़ल हएत, येह सब कारण सँ जे लक्ष्य साधि कय अभियान शुरू भेल छल ओ बिचहि में भटकि गेल।

मिरानसे के जतेक करकर्ता आ पदाधिकारी गण छथि  सर्वप्रथम संगठन के विषय में जमीनी स्तर पर सम्भाबित मिथिला राज्य के सब जिला में युद्ध स्तर पर एकर प्रचार प्रसार के प्रयास करथि। जिला स्तर पर, प्रखण्ड आ फेर पंचायत स्तर पर चुनाव हुए आ चुनल गेल सदस्य के जिम्मेवारी देल जए कि अपन संगठन के  बात गाँव गाँव में लोकक बिच में राखथि, हुनकर सबहक क्रिया प्रतिक्रिया के बुझबाक प्रयास करथि। अहि सबसं पहिने मिरानसे के पदाधिकारी गण के बिच पारदर्शिता सौहार्दपूर्ण आ एकजुटता बाला वातावरण के नितान्त आवश्यक अछि। जँ जमीनी स्तर पर एखन काजक रुपरेखा बना काज शुरू करबै तखन भ सकैए समय किछ बेसी लागि जए मुदा जखन चौतरफा सँ अभियानी एकजुट भ शंखनाद करताह तखन कोनो सरकार के सोच पर विवश होम पड़तन्हि। आ फेर हमर सबहक सपना निसन्देह साकार हएत।

मातृभूमिक लेल हम एकटा सिपाही जेका सदिखन तैयार रहब जेहन आदेश भेटत ततपरता सँ काज करबाक कोशिश करब। जतय किछू हमरा त्रुटि बुझैत समय समय पर हम संगठन के अपन विचार सँ सेहो अवगत करबैत रहब। लोकतान्त्रिक रुपे संगठन केर चुनाव सेहो बहुत आवश्यक छैक। जाहि सँ किनको कोनो पद पर जबरदस्ती आसीन होबाक आरोप नहि लगाबथि।विचारधारा कोनो र्राष्ट्रीय दल के कियो मान बाला छथि ताहि सँ कोनो मतलब नहि मुदा मिरानसे के मात्र आ मात्र एकहि टा विचारधारा होबाक चाहि-        "पृथक मिथिला राज्य"। हमर विशेष आग्रह मिरानसे के सँग तन मन धन सँ जुड़ि मिथिला राज्य निर्मान में अपन बहुमूल्य योगदान दिय। माँ जानकी अपन आशीर्वाद राखथि। जय मिरानसे। जय मैथिल जय मिथिला जय जय मैथिली।।