Latest News
Showing posts with label दिल्ली. Show all posts
Showing posts with label दिल्ली. Show all posts

Sunday, August 4, 2019

गुमान अछि ओहि माटि-पानिक जतय हमर जन्म भेल अछि। जाहि उर्वर धराक अन्न पानिसँ हमर देह दशा पोषित भेल अछि। महान ऋषि मुनि संत सभक जप तप सँ सृजित धराधामक पर ज्ञान ध्यान सँस्कार सँस्कृति सँ संपोषित भेल अछि। गर्व अछि अपन राग भास रीति रिवाज पर जे नहि केवल मिथिला अपितु देश विदेशमे झंडा गाड़ने अछि।

हिन्दू छी ई हमरा लेल पहिल गर्वक गप्प आ दोसर महाराणा प्रतापक वंशज, ताहिसँ छाती आओर चौरगर भS जाएत अछि। एखनहुँ पूजा पाठ पाबनि तिहार व्रत उपवास सँग प्रभात वंदन आ संध्या वंदन नित नियमित करैत छी आ से सँस्कार हमरामे परिवार आ अपन टोला समाज सँ भेटल अछि। आ ताहि सँस्कृति सँस्कारक संरक्षण आ संवर्धन हेतु यथासाध्य कर्म करैत अपन दायित्व बुझि निर्वहन करबाक चेष्टा करैत छी। हम ताम-झाम झार-फानूस,आडंबर आ देखाउंस सँ बचैत छी। जे छी जेना छी तहिना जीवाक प्रयास करैत छी।

हम कनि बेसी भावुक इंसान छी आ बहुत जल्दी भावनाक सँग प्रवाहित भS जाएत छी। एकरा  गुण आ अवगुण अपने लोकनि अपन अपन आँखि सँ देख सकैत छी। वेदना संवेदनाक प्रभाव हमरामे बेसी रहैत अछि। कोनो तरहक दुखद घटना दुर्घटना पर मन व्यथित भS जाएत अछि आ कतेक बेर आँखि सेहो अनायास डबडबा जाएत अछि।

धर्म जाति रँग लिंग गरीब मातबर आदि सब समाजिक व्यवस्थाक सर्वप्रमुख धुरी अछि। समाजिक जीवनक ई सतरँगी छवि एकटा सुखद आ सर्वसमावेसी समाजकेँ सृजित करैत अछि। समाजिक उत्थान निर्भर करैत अछि सर्वधर्म सम्भाव पर, नहि की अपन अपन जातीयता झंडा आ डंडा लहरेला सँ। हम पहिने एकटा इंसान छी फेर  हिन्दू मुसलमान सिख ईसाई मुल्ला आ पंडित। हमर व्यक्तिगत मूलमंत्र यएह अछि।

सहसा एकटा संस्कृतक श्लोक मोन पड़ि गेल जे एतय राखि रहल छी:-
तर्कविहीनो वैद्य: लक्षण हिनश्च पंडितो लोके।
भावविहीनो धर्मो नूनं हस्यन्ते तृणयते।।
तर्कविहीन वैद्य लक्षणविहीन पंडित आओर भावरहित धर्म ई दुनियामे हंसीक पात्र बनैत अछि।

जयमिथिला || जयमैथिली || जयजय मिथिलाक्षर

Thursday, August 1, 2019

लाल कक्का छथि बड्ड सोझगर
बारीक लताम जकाँ सुआदगर
सिंघहि आ माँगूर जकाँ चहटगर
दही चुरा चीनी जकाँ मिठगर
गामक मखान जकाँ फोंकगर आ
कखनो काल पिजाएल फार जकाँ नोकगर
हिनकर अलंकारमे की कहु आ कतेक कहु
कल्पनाक पन्ना भS जाएत छोट।

बहुत दिनक बाद देखल गेलाह
लाल कक्काक मनोभाव अधीर अशांत
चलैत ओ ठमकि गेलाह गामक चौबटिया पर
आ बैसि गेलाह ओतय ओछायल पटिया पर
चरण स्पर्श करैत हम पुछलिएनि
कक्का की हाल चाल?
चुप्पी तोड़ैत कहलनि हौ राम
लोकतन्त्रमे आब लोकक रहि गेल अछि केवल नाम

हम पुछलियैन्ह की भेलैक कक्का
कहलनि हौ तँत्र सभ तँ बिकाईए
साग पात जकाँ गामक हटिया पर
मनोरोगी जकाँ पड़ल अछि ओ सब
बेमार अस्पतालक खटिया पर
वेश्या आ तन्त्रमे आब बेसी फराक नहि बुझह
एकटा उदरपूर्ति लेल धँधा करैत अछि
दोसर स्वार्थपूर्ति लेल
सरेआम सभकेँ अंधा करैत अछि

एहन विषधर काल अछि ई सब जे
अपनहि नेनाक भक्षण करैत अछि
देश कोसक रक्षा सुरक्षा
की ओ खाक करताह?
निर्लज्जताक सीमा लाँघि जे
सत्ता सुख लेल केवल मरैत अछि।

डीएनए जखन गड़बड़ाए रहनि
तखन ओ साहेबकेँ फोटो देखबामे बुझथि पाप
से आई चरणमे बैसि चरणचाटन करैत
कS रहलाह हुनकहि मंत्रजाप
ऐं हौ एकाँएक की बदलि गेलइ
जे हिनकर मोन मचलि गेलनि
सभकिछ तँ अहिना जहिना
चारि बरख पहिने रहय।

मुदा ओ मनुक्ख नहि 
बनि गेल अछि रोबोटक आत्मा
मशीनक कोन अचार विचार व्यवहार
कहाँ रहैछ ओकरामे वेदना संवेदना
कतहु आगि लगौक रौदी हो व दाही हो
गामक गाम किएक नहि कालकल्पित भS जाए मुदा
ताहूमे ओ राकस अपन पेटे कुरिआबैत भेटतह

ओ तँ माथमे राखल चिपक आदेशपालक छथि
पीड़ाक भाव कतय भेटत
तेँ केहनो बिपतिमे ओ कहिओ नहि कानैत छथि
मनुक्ख जानि हमरा सभ सोचैत रहैत  छी
तेँ बेसी काल ओकरा लेल झखैत रहैत छी।

जयमिथिला || जयमैथिली || जयजय मिथिलाक्षर

Friday, July 26, 2019

जागु यौ कुम्भकरण
कहिया धरि तेसर प्रजातिक
थोपड़ी पिटय बला अद्भुत मानव जकाँ
आन लोकक बियाह मुरन पर
धोती साड़ी उठा उठाकS नचैत रहब
स्वाभिमानक श्रधांजलि दए
ओकर दुलत्ती सहैत
गरदनिमे पट्टा धारण कए
कुकुड़ जेकाँ नाङ्गैर डोलबैत  रहब

अहाँक पौरुष देखल गेल रहय जखन
मंत्री महोदय उखाड़ने छलाह
माता सीताक अस्तित्वक जड़ि
अहाँ हुनकर की उखाड़ि लेने रहियैन्ह
मैथिली माने सीता होयत छैक से तँ जनैत छी
मुदा नेता सभक मूर्खतापूर्ण आ दुष्टतापूर्ण ज्ञान पर
कल्ला नहि अलगैए
स्वामिभक्तिक तगमा नहि उतरि जाए तेँ
देखार चिन्हार होयबा सँ मात्र बचैत छी

कश्मीर केरल बंगालक मुद्दा पर
ई मुइल समाज निर्ल्लज जेकाँ
लोक सँग ढुइन्स लड़ैत रहत
मुदा अपन जननी जन्मभूमि पर
कियो कतबहु आँगुर किएक नहि उठबैत रहय
मुदा मजाल किनको बकार फुटइन्हि
उठेने रहू अपन गुलामीक झंडा उमेर भरि
मानसिक आ बौद्धिक विकलांग बनि
बजबैत रहू नपुंसक सोच सँग झमटगर थोपड़ी

यएह शाश्वत सत्य थीक जे
जहिया अहाँ मरि जाएब
मरि जाएत अहाँक सँग
अहाँक छल कपट सँ भरल जिनगीक कथा
आ अहाँक अतीत पर शोकगीत गाबि
मनायल जाएत जनमदिवस आ बरसी
बजाएल जाएत अहाँकेँ नामर्दी पर थोपड़ी
लिखि देल जाएत अहिना अहाँक तित आत्मकथा

फेर कोनो दिन एकटा अज्ञानी पागल
मिथिलाक अस्तित्व पर आँगुर उठा
कS देत फाँके फाक
उड़बैत रहत संस्कृति सांस्करक माखौल
अहाँ कानमे तुर धS निचेन भेल पड़ल रहू
हमहुँ पड़ल छी
करब की सामर्थक मोताबिक
सहैत छी आ सहैत रहब
मुदा हम अहिना अपन व्यथा सोझा अनैत रहब
मुर्दा समाजमे छी अहिना मुर्दा भेल जिबैत रहब

जयमिथिला || जयमैथिली || जयजय मिथिलाक्षर

Friday, May 10, 2019

झोराछाप गुरुकेँ सँग
गुरुघण्टाल रामचेलबाक
उजरल सफाचट्ट चानि
ओकरा आजुक अंधायुगक
बताह चेला द्वारा
चाणक्य बना देलक।

राजनीति शास्त्र आ अर्थशास्त्रक ज्ञाता
आचार्य चाणक्य सँग
अज्ञानी अहंकारी नटवरलालक मेल
जेना चंदनकेँ गाछ सँग
विषधरक होयत अछि खेल।

आचार विचार व्यवहारमे
चाणक्य नीतिक उनटा
ईष्र्या द्वेष सँग
विखंडन सोच लS विषवमन करैत
केवल स्वहित साधय लेल
अहितकारी सिद्ध भS रहल अछि।

जँ एहन दुरात्माकेँ चाणक्य कहल जाए त'
गामे गाममे झगरलगाओन लठैत
जोड़ तोड़मे बानर जकाँ कुरी लगाओनिहार
लूट खसोट करय बला खूब भेट जाएत
हं मुदा मिथिलामे खासकय
एखन मोदीफायड ब्राह्मणक बहुतायत भेटत
जनिकर चालि चरित्र चेहरा
चाणक्यक पितामह सँ मिसिओ भरि कमतर नहि।

जयमिथिला || जयमैथिली || जयजय मिथिलाक्षर ||

Thursday, May 9, 2019

पाँच सालक कार्यकालमे साहेब जँ
सेखी बघारब आ केवल अपन सौख पुरेबाक सनकमे
दुनियाक चक्कर लगेबाक धनचक्करमें नहि पड़ि
संकल्पित काजक प्रति निष्ठावान रहितथि
त' आई कल बल छल आ प्रपंची प्रतिभासँ पूर
सदीक महान नाकारात्मकताक प्रतिमूर्ति बनि
अपन देश कोसक चुनावी चौक चौराहा पर
अतेक बोमिआए नहि पड़तनि।

लहास देखि जेना गिद्ध अकासमे बिनु आमंत्रण
अनायास उगि अबैत अछि आ
अपन झुण्ड बना गीत नृत्यक कलाबाजी सँग
उत्सव मनबैत पेटक क्षुधा मेटा तिरपित होयत अछि
ठीक तहिना आजुक राजनेता सब
कतहु अगराही लागि जाउ
आ की दंगा फसादमे घरक घर तबाह भए जाउ
चाहे नार पुआर जकाँ खेत खरिहानमे लहासक ढेर लागि जाउ
वा देशक वीर सेनाक शहादत किएक नहि भए जाउ
मुदा हिनका सभलेल कोनो उत्सवसँ कमतर नहि।

गिद्ध त' नेता सभसँ लाख गुना नीक कारण
ओ शिकारी सँग मुर्दाखोरी लेल जानल जाएत अछि
वातावरणके स्वच्छ राखय लेल ओ सब सेल्फी नहि
अपन कर्मकेँ धर्म बुझि अंतिम परिणाम धरि लागल रहैत अछि
मुदा नेता नहि त' शिकारी आ नहि मुर्दाखोर होयत अछि
लेकिन एहन धूर्त प्रजाति जे सेवाभाव सँग राष्ट्रनिर्माणक
संकल्प लS सत्ता पर आसीन होयत छथि आ देशक दुर्भाग्य जे
फेर गिरगिट जकाँ रँग बदलैत निज स्वार्थ पूर्ति हेतु आ
स्वनिर्माण लेल सगर समाजमे अकानल जाएत छथि।

जयमिथिला || जयमैथिली || जयजय मिथिलाक्षर ||

Saturday, August 13, 2016

आजुक पीढ़ी देश केर आजादी लेल अपन प्राण न्योछावर कएनिहार क्रांतिकारी सपुतक नाम धरि बिसरि रहल अछि। छात्र लोकनि संचार क्रांतिक उपभोग में अतेक व्यस्त छथि जे आजाद देश आ आजादी केर महत्व सँ अनभिज्ञ जेकाँ व्यवहार करैछ। राष्ट्रभक्ति के जज्बा जेना कोनो कोना में राखि बिसरि गेल छथि। चलु आई हम सब याद करै छी स्वतंत्रता दिवस के अवसर पर देश के जांबाज देशभक्त चंद्रदेखर आजाद।

जनिका हौसला जज्बा जोश जनून के दम पर हम छी आजाद, हुनकर नाम थिक देशक सच्चा सपूत देशभक्त चन्द्रशेखर आजाद। मोंछ पर ताव दैत स्वाभिमानी फोटो धियापुता सँ देखि रहल छी। एकदम निडर आ साहसी व्यक्तित्व के व्यक्ति छलाह जे देशक आजादी के बेचैनी में किछुओ करबा लेल सदिखन तैयार रहैत छलाह। मात्र चौदह वरखक उमर में आजादी के आगि पजारब शुरू कय देलाह छल आ 25 वरखक उमर में मातृभूमि के आजादी हेतु अपन प्राण न्योछावर कS शहीद भ गेलाह।

1921 में आजाद मात्र 14 वरखक छलाह जखन गाँधी जी केर असहयोग आंदोलन में कूदि पड़लाह आ गिरफ्तारी भ गेलनि।अदालत में हिनकर उमर देखि जज पुछलनि कि तोहर नाम की? उत्तर देलनि- आजाद , तोहर बाबूजी के की नाम? उत्तर देलनि- स्वाधीन, फेर पुछलनि कि तोहर घर कतय? उत्तर देलनि- जेल खाना। जज 15 बेंत मारय के सजा सुनौलनि। पुलिस निर्दयता पूर्वक शरीर पर बेंतक प्रहार करैत रहल मुदा आजाद निडरता सँ सब बेंतक प्रहार सँग "भारत माता की जय" उद्घोष करैत रहलाह। अहि घटना के उपरान्त पंडित चन्द्रशेखर तिवारी चन्द्रशेखर आजाद के नाम सँ जानय लगलाह। हिंदुस्तान के एहन क्रन्तिकारी जे मातृभूमि हेतु शहीद भS अमर भS गेलाह।

हिनकर जनम 23 जुलाई 1906 मध्य प्रदेश के भाबरा गाम में भेल छल जेकर नाम 2011 में बदलि कय चन्द्रशेखर आजाद नगर कय देल गेल। बचपने सँ वो निडर छलाह। स्कुल समयक एकटा किस्सा छैक जे एक बेर स्कुल में शिक्षक के मुँह सँ गारि निकलि गेलनि ताहि पर चन्द्रशेखर आजाद शिक्षक के थोपिया देलकनि अहि तर्क सँ की जखन गलती के लेल बच्चा के सजा देल जा सकैए तखन पैघ लोक के किएक नहि? बाबूजी पढ़ाई के लेल वनारस भेज देलनि मुदा 1919 के जालियाबाला बाग़ नरसंघार सँ अतेक आहत भ गेलाह कि आजादी के लड़ाई में सम्पूर्ण रुपे कूदि पड़लाह। 1921 में बापू के असहयोग आंदोलन में भाग लेलाह मुदा बापू जखन आंदोलन सँ पलटि गेलाह तखन हिनकर मोह भंग भ गेलनि। ततपश्चात 17 वरखक चन्द्र शेखर आजाद क्रन्तिकारी दल हिन्दुस्तान सोशलिस्ट रिपब्लिकन ऐसोसियेशन सँग जुड़ि गेलाह। राम प्रसाद बिस्मिल के नेतृत्व में 9 अगस्त 1925 में काकोरी काण्ड के अंजाम देलाह, सरकारी खजाना के लूट में सहभागी सब क्रन्तिकारी पकड़ल गेलाह मुदा आजाद पुलिस के हाथ में नहि आबि सकलाह।

आजाद संकल्प लेने छलाह जे जीते जिनगी अंग्रेज पुलिस हमरा नहीं पकरि सकैए? लाहौर में लाला लाजपत राय के मृत्यु के प्रतिशोध में सॉण्डर्स के ह्त्या काण्ड में भगत सिंह के साथ मिलकय गोली चलेलक, सेन्ट्रल असेम्बली में बम फेकय में सेहो सँगे छलाह। तकरा बाद एक एक कय सबटा क्रन्तिकारी पुलिस के हाथ अबैत गेलाह मुदा आजाद बचैत रहलाह। 27 फरबरी 1931 के चन्द्रशेखर आजाद सुखदेव के सँग पार्क में बैसि कय चर्चा करैत छलाह तखने मुखवीर के सुचना पर पुलिस हिनका घेर कय फायरिंग शुरू कय देलक। चन्द्रशेखर आजाद गोली लगलाक बादो लड़ैत रहलाह लेकिन जखन हिनकर पिस्तौल में मात्र एक गोली बचि गेलनि आ जखन बूझि गेलाह जे पुलिस पकरि सकैए तखन अंतिम गोली अपन माथ में स्वयं मारि मातृभूमि पर अपन प्राण उत्सर्ग कय देलाह।

आजाद माने प्राण त्याग करब धरि आजाद रहल। आजुक परस्थिति में देश आजाद के नहि बिसरि रहल अछि अपितु आजादी के महत्व के सेहो बिसरि रहल अछि। देश के आजादी में एहन सब क्रन्तिकारी सपूत केर हृदय सँ कोटि कोटि प्रणाम। आजादी लेल संकल्पित कार्य के प्रति ईमानदार प्रयास समर्पण सँग निस्वार्थ सेवाभाव संगहि वैचारिक क्रांति आर्थिक सहयोग आ जोश जनून जजबा दूरदर्शी सोच के नितान्त आवश्यक थिक। जय मिथिला जय हिन्द बन्दे मातरम !!

Wednesday, June 22, 2016

अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस पर स्वस्थ बालिका-स्वस्थ समाज पर भेल परिसंबाद वास्तव में सराहनीय रहल। सत्ते बात छै स्वस्थ समाजक निर्माण स्वस्थ मानसिकता सँ शुरू हएत। जा धरि हमरा सबहक स्त्री के प्रति मानसिकता नहि बदलत ता धरि स्वस्थ समाज के परिकल्पना बेईमानी रहत। एकर प्रारम्भ अपन घरे सँ करय पड़त किएक त घर में एखनहुँ बेटा आउर बेटी में बिभेद देखल जा रहल अछि। बेटी के प्रति बेटा जेकाँ लाड़ दुलार बहुत कम देखल जएत अछि। संस्कार लेल बेटी पर दबाब दैत अछि मुदा बेटा के आजादी ओकर पोषण , शिक्षा, स्वस्थ जेका मुलभुत सुविधा पर सेहो गम्भीर नहि रहैछ । सबसँ पहिने एहन मानसिकता के बदलबाक जरुरी छैक। बहुत निक निक आ प्रसिद्ध वक्ता सब छलाह जे स्वस्थ भारत अभियान आ बेटी बचाओ बेटी पढ़ाओ अभियान सँ जुड़ल छलाह।
एतय हम किछ चर्चित व्यक्तिक चर्चा जरूर करय चाहब जेना स्वस्थ भारत ट्रस्ट के साथ स्वस्थ भारत अभियान के ब्रांड एम्बेसेडर एवरेस्ट विजेता आ साइकिलिस्ट डॉ नरेन्दर कुमार सिंह के स्वस्थ भारत के लेल योग सँग निरोग समाजक निर्माण पर अपन वक्तव्य। संगहि अपन जिनगीक अनुभव सेहो ईमानदारी सँ साझा कएलाह कि कोना एवरेस्ट विजय अभियान के सहभागी आ विजेता बनि देशक मान सम्मान बढ़ेलाह। हिनकर अनुभव सबहक लेल उत्साहवर्धक आ प्रेरनात्मक रहल। किछू देर सँग होयबाक हमरो अवसर भेटल आ भविष्यक कार्यक्रम पर सेहो चर्चा कएलाह।
दोसर चर्चा करय चाहब पुणे के डॉ गणेश राख़ जी के जे बेटी बचाओ अभियान सँग जुड़ल छथि। मेडीकेयर जनरल व मैटरनिटी हॉस्पीटल नाम केर एकटा अस्पताल केर संचालन करैत छथि। जतय गरीब माय बापक मदद स्वरूप जखन कोनो स्त्री कोंख सँ बेटी जन्म लैत अछि तखन फ़ीस बिलकुल माफ़ आ संगहि अस्पताल के तरफ सँ मिठाई बाँटि कय उत्सव मनबैत अछि कारण एखनहुँ लोकक मानसिकता बेटी के नाम सँ मनोबल खसल जेकाँ बुझैत छनि आ अस्पतालक खर्च देबय में नाकर नुकर सबाल जबाब करय लागैत अछि। ते बेटी बचाओ अभियान सँग एखन धरि लगभग 460 बालिका केर जन्म बिना कोनो खर्चा के करायलनि अछि। मुदा डॉ साहब कहैत अछि कि  “मैं लोगों और डॉक्टरों का नज़रिए बदलना चाहता हूँ. जिस दिन लोग बेटियों के जन्म पर जश्न मनाने लगेंगे, मैं अपनी फ़ीस लेना शुरू कर दूंगा. नहीं तो मैं अपना अस्पताल कैसे चला पाऊंगा.”।
तत्पश्चात बहुते रास वक्ता लोक अपन अपन विचार रखलाह जाहि में एकगोट आर चर्चित चेहरा जेना लोकसंगीत गायिका आ पद्मभूषण विजेता मालिनी अवस्थी जी अपन बेटी अनन्या अवस्थी आ संगहि सास ससुर सँग अहि कार्यक्रम में सहभागी छलिह। बहुत निक जेकाँ अपन तिन पीढ़ीक अनुभव केर साझा कय सबहक लेल  चर्चा के जीवनोपयोगी बनेलिह।
आखिरी में स्वस्थ बालिका-स्वस्थ समाज परिसंबाद के संयोजक भाई आशुतोष कुमार सिंह जी केर हार्दिक शभ कामना। योग सँग निरोगी जीवन के लेल परिचर्चा वास्तव में उपयोगी रहल।