Latest News

Wednesday, April 10, 2019

||√|| भारतीय चुनावी राजनीति बदलैत बेगूसराय ||√||

बेगुसराय बिहारक साँस्कृतिक राजधानी, मिथिलाक सेहो कहि सकैत छी। सांस्कृतिक राजधानीक नामसँ बहुतोकेँ छकछका कS लागि सकैत अछि, मुदा बिहारक सभसँ बेसी नाट्य संस्था होयबाक गौरव बेगुसरायकेँ प्राप्त अछि तेँ साँस्कृतिक राजधानी कहबामे कोनो अतिशयोक्ति नहि। अहिना ओकर बगलमे पतित पावनी गंगा सिमरिया घाट अवस्थित अछि। रामधारी सिंह "दिनकर"क भूमि थीक, इतिहासकार राम शरण शर्माक भूमि थीक तेँ एकरा साँस्कृतिक राजधानी मानल जएबाके चाही।
राजनीतिक रूपसँ बेगुसराय सेहो उर्वरक रहल अछि आओर अहिठामसँ अनेको महत्वपूर्ण व्यक्तित्व सांसद रहलाह अछि। आ बेबाकी सँ भारतीय राजनीतिमे अपन अलग पहचान बनाओलक अछि। भारीतय जनता पार्टिकेँ 2014 मे चुनल गेल  सांसद स्व० भोला सिंह स्वयं कएक बेर मोदी सरकार पर प्रश्न चिन्ह ठाड़ कS अपन आवाज बुलंद करैत रहलाह मुदा अबैत छी एखन बेगुसराकेँ वर्तमान चुनावपर।
दू साल पहिने जाहि जेएनयू कैंपसक कन्हैया पर देशद्रोहक आरोप लागल छलैए, जे एखन धरि आरोपे लागल अछि, सिद्ध नहि भS सकल । कोना कम्पसमे छात्र प्रदर्शन बला वीडियो सँग जोड़ि तोड़ि कS जेनएयू केँ बदनाम आ कन्हैयाकेँ देशद्रोही सिद्ध करबाक साजिस रचल गेल से जगजाहिर अछि! मुदा शासन प्रशासन सब मिलिकS जतेक प्रताड़ित करबाक प्रयास कएलक ओतबे ओ निखरि कS बाहर आएल। ओ कन्हैया मूलतः बेगुसरायक बीहट केर निवासी छथि। संगहि राजनीति अखाड़ामे आबि कS बड़का बड़का स्थापित नेताक जमीनकेँ हिला रहल छथि। बीजेपी सँ गिरिराज सिंह आ जनता दलसँ तनवीर हसन उमीदवारी त' दS रहल अछि मुदा कन्हैयाक लाल लहरकेँ देखि सबहक अकील हेरायलअछि, सब समर शुरू होयबा सँ पहिने डेरायल अछि। सब एतय चिंताग्रस्त छथि आ चर्चा ई छैक जे बेगुसराय अपन भूमिपुत्रकेँ चिंहत आ बेदाग बेधड़क अहिबेर ऐतिहासिक वोट सँ चुनल जाएत।
देखल ई जाएत अछि जे कन्हैया आम लोकक बीच नीक सँ सामंजस बना रहल छथि। गरीब परिवारक त' छथिए आ ओ अपन भाषणक अधिकांश हिस्सा मातृभाषा मैथिलीमे करैत देखल जाएत अछि। जाहिसँ आम लोक हिनका सँ जुड़ैत चलल जा रहल अछि। नामाँकन दिनक कएको किलोमीटरक समर्थक सबहक हुजूम बेगुसरायक लाल केर लोकप्रियताक साक्ष्य देखल गेल। निश्चित रूपसँ जँ शैक्षणिक योग्यता देखल जाए त' जेएनयू एहन महत्वपूर्ण विश्वविद्यालयसँ अफ्रिकन स्टडीज पर ओ पीएचडी कएने छथि। तेँ लSक बहुत कमे लोक हेताह जे जेनएयू सँ पढिकय भारतीय संसदमे पहुँचल हेताह।
जँ कन्हैया बेगुसरायक बहाने संसदमे पहुँचति छथि त' नहि मात्र बेगुसराय अपितु सम्पूर्ण मिथिलाक आवाज बनताह किएक त' एखनहुँ हुनकर आवाज हुनकर भाषण खाँटी मैथिलीमे होयत अछि। बेगुसराये मैथिलीमे अछि आ ओ अपन भाषणमे मैथिलीहितक बात सेहो करैत सुनल गेल अछि। कन्हैयाकेँ हमरा सब समर्थन करि, अहि चुनावी समरमे विजेता बनाबी। आओर भारतीय राजनीति आ चुनावी जे एकटा केंद्र बनल अछि बेगुसराय। जतय देश विदेशक मीडिया सँ लSक सत्ता तक केर नजरि ठमकल अछि। ओकरा देखाबी, जे आम जनता चाहैत छथि !!
एकटा अहि माटिक सपूतक सेर मन पड़ैत अछि आ आजुक प्रासंगिक सेहो अछि की " सिंघासन खाली करो कि जनता आती है"!!
वन्देमातरम। जयहिंद जयभारत । भारत माता की जय।
जयमिथिला || जयमैथिली || जयजय मिथिलाक्षर ||
https://www.facebook.com/KanhaiyaKaPage/videos/285359722387935/
« PREV
NEXT »

1 comment