Latest News

Tuesday, April 9, 2019

||★|| पार्टी नहि देश मजबूत होयबाक चाहि ||★||

चुनाव जितबाक जुगतमे सौँसे समाजकेँ एकदोसरसँ डरेबाक  प्रयास भ' रहल अछि। हिन्दूकेँ' मुसलमानसँ, मुसलमानकेँ' हिन्दूसँ आ दलितकेँ आरक्षण आदि इत्यादि सँ। खण्ड खण्ड मे बाँटि देल अछि समाजकेँ। समाजिक समरसताकेँ बिखाह साँप छुछुन्दर सब सरिपहुँ खराप करबाक कुचेष्टा कS रहल अछि।
माथ पर कने जोर दS सोचु, अहि तरहक अवधारणा कतयसँ जनमि लS रहल अछि? की वास्तवमे हमरा सभक अगल बगलमे एहन वातावरण अछि? जँ हमरा सभ अहि सन्दर्भमे  ईमानदारी सँ चिंतन करि त' असलमे ई सभ अवधारणा चुनावी सालमे व्हाट्सएप्प आ फेसबुक पर अंधाधुंध अनर्गल उन्मादी पोस्टक प्रतिफल अछि। नमहर नमहर उन्मादी मैसेज भड़काऊ फोटो आओर वीडियो द्वारा खोदल जा रहल हिन्दू मुसलमान दलित सभक बीचमे नमहर नमहर खाइद।
जँ अहि सोसल साइट केर आभासी छद्म दुनियासँ आगू बढिकS अपन बाम दहिन ताकब त' सत्तमे एकटा सौहार्दपूर्ण भारत नजरि आओत। लोक अपन रोजी रोटीक दुख दुनियामे अतेक ओझराएल अछि जे कतय फुरसत ओकरा राष्ट्रवाद हिंदूवाद मुस्लिमवाद ई वाद आ ओ वाद पर सोचब! भूख भ्रष्टाचार बेरोजगार स्वास्थ्य शिक्षा सुरक्षा एखनहु लोकक जीवनकेँ मुख्य मुद्दा छैक आ मतदान समयमे सेहो अहि मुख्य विंदु पर नजरि राखक चाही।
परञ्च जँ एखनहुँ अनर्गल कुतर्की गैंग सँ नहि चेतलहुँ आओर अनर्गल ट्रोल केर आधार पर दोसर के'लेल अपन अवधारणा बनबैत रहलहुँ त' सम्भावना भ सकैए जे बगलमे ठाड़ मनुक्खे अनायास आक्रामक भ' जाए।
ई सब राजनैतिक प्रायोजित कार्यक्रम मात्र अछि आ ओकर उपयोग अपन राजनीतिक रोटी पकाबS लेल करैत अछि। अहिमे ओझरेला सँ जान मालक नोकसान सँग, मानसिक पड़तारना सेहो भेटत। सत्ताधारी दल त' मौज लैत रहत कारण मैसेज ट्रोल करेबाक लेल आईटी सेल हुनकहि बनाएल अछि।
तें सावधान संगहि आँखि खोलि कS अगल बगल तकैत रहु। उन्मादी पोस्ट जे समाजमे घृणा पसारैत हो ओकरा किनन्हू नैS साझा करु। भगवानक देल माथा अछि राष्ट्रभक्ति के' मतलब कोनो व्यक्ति वा दल विशेष लेल ठाड़ होयब नहि अपितु राष्ट्र लेल ठाड़ होयब होयत अछि। देशहीतमे कोनो पार्टी नहि देश मजबूत होयबाक चाहि ताहि शुभकामनाक सँग जयहिंद जयभारत।
जयमिथिला || जयमैथिली || जयजय मिथिलाक्षर

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment