Latest News

Monday, April 8, 2019

||★|| टुकड़ा गैंग पर भारी बताह मैथिलक कुतर्की गैंग ||★||

एहन निछक बला बतपदाउन मैथिल देशक कोनो आओर भूभागमे भेटब असंभव अछि। अपन सर्वस्व बौद्धिक ऊर्जाक नाश कुतर्क करबामे खपबैत अछि। विविधता सँ भरल समाजमे केवल एकटा वर्ग साइते पहिने कतहु सत्ताधारी दलक एहन गुलाम भेल हएत। आई ताहि सब कारणसँ मैथिल समाजमे 99% लोक अहि तरहक कुतर्की गैंग केर कोनो तर्क आ तथ्य सँ सहमति नहि रहैत अछि।
समय आब पूर्ण रूपेण बदलि गेल अछि। सब जाति वर्गमे आब साक्षर लोकक संख्या बढ़ि रहल अछि। अहू लेल बेशक अहाँ मोदी आ योगी सनक विद्वानक नाम जापि सकैत छी। एखने सिविल सर्विसेज परीक्षाक परिणाम आएल आ जकरा विषयमे अवधारणा बनेने छलहुँ जे 60 सालक बाद अकील खुजैत छैक से गुआर अहिबेर अहगर सँ परीक्षा पास कS समाजमे अपन उपस्थिति दर्ज कराओलक अछि। तेँ पुरनका ढर्रा पर चलि, जे हम फ्ललां बाबू से कहि केवल बात बनाकS लोककेँ आब पटाएब असंभव अछि।
आब कहु जे गुआर स्वयं हुकुमदेवक मिथिला राज्य आंदोलन पर देल गेल हालिया निंदनीय प्रतिक्रिया लेल विरोध कS रहलैए मुदा मोदीयाबिंदसँ ग्रसित ओकरा अपन कुतर्क सँ सत्त सिद्ध करबा लेल एंडी चोटीक जोर लगा रहल अछि। केंद्रीय मंत्री महींस शर्मा द्वारा माता सीताक अवतरण केर टेस्ट ट्यूब बेबीसँ जोड़ि देलक मुदा अहि अज्ञानीक मूर्खतापूर्ण टिपणी पर सेहो कुतर्की सब अपन ज्ञान गंगा सँ महींस शर्माक चरण पखारि हुनक झंडा उठा समर्थन करय लगलाह। फेर माता सीताक अस्तित्व पर सबाल ठाड़ कएलक तकरा बादो यएह कुतर्की गैंग सब ओहि महींसक जी हजूरी कS चरण चारण कएलक। प्रकाश जावेड़कर मैथिली भाषाकेँ बोली कहि प्रसारित करबाक कुकार्य कएलक तकर सेहो समर्थनमे ई गैंग सब अपन बौद्धिक तरुआरि लS रक्षामे ठाड़ देखल गेल।
निचोड़ ई अछि जे अपन समाज लेल ई कुतर्की गैंग जेएनयू केर टुकड़ा गैंग सँ बेसी खतरनाक सिद्ध भS रहल अछि। अहि गैंग सँ समाजमे एक दोसरक प्रति भरोसा विखण्डित भS रहलैए। यएह कारण सँ कोनो तरहक सांस्कृतिक आयोजन, महोत्सव, धरणा प्रदर्शन आंदोलन एकटा वर्ग विशेषमे बंटिकS क्षीनभिन्न भS जाएत अछि।
एकजुटता साइत असंभव अछि आ से शापित मैथिलक कपार सँ साइते कहिओ उतरत से लक्षण सँ स्पष्ट बुझा रहल अछि। माँ जानकी अहि कुतर्की गैंगकेँ शीघ्रातिशीघ्र सद्बुद्धि प्रदान करथि जाहिसँ मिथिला समाजमे मैथिल एकठाम एकत्र भS सकथि, ताहि मंगलकामनाक सँग नवरात्राक बहुत बहुत शुभकामना आ बधाई सँग जयमिथिला।
जयजय मैथिल || जयजय मिथिलाक्षर
« PREV
NEXT »

1 comment