Latest News

Friday, April 5, 2019

||★|| भेड़िया धसान लोकक विचारशून्य समूह ||★||

AFPSA ( आर्म्ड फोर्सेज स्पेशल पावर्स एक्टस) सशस्त्र बल विशेषाधिकार कानून सन्दर्भमे बीजेपी केर दोगला चरित्र जगजाहिर अछि। सत्तासँ बाहर रहला पर सेनाकेँ अढ़मे राज्य सरकार पर कुकुड़ जकाँ भौंकैत रहल अछि। आ सत्ताक मलाई भेटिते सेनाकेँ विरुद्ध आचरण करबामे सेहो नहि लजाएयत अछि। सेना द्वारा दहशतगर्द केर विरोधमे कएल गेल कार्रवाई पर उनटा सेना पर मुकदमा ठोकि दैत अछि। आ असमाजिक तत्व पत्थड़बाज केS ससम्मान छोड़ि दैत अछि। अहि कुकृत्य सँ सेनाक मनोबल अवश्य बढ़ल हेतनि?

जम्मू कश्मीर मे महबूबा सँग गलबहियांक परिणाम सबहक सोझा अछि। सत्ताक सुख लेल अहिना ई वाचाल कश्मीर सँ लSक पूर्वोत्तर राज्यक मेघालय मणिपुरमे उग्रवादी सँग हाथ मिलाकS कुर्सी तोड़ि रहल अछि। सत्ता प्राप्ति एकमात्र लक्ष्य, विचारधारा, राष्ट्रवाद देशभक्ति गाँधी पटेल प्रभु श्रीराम हनुमान आदि इत्यादि हिनका लेल केवल एकटा स्टेपनी मात्र अछि। आवश्यकता अनुरूप अपन क्षुधा मेटाएबाक लेल ओतय घसीट अनैत छथि। वेदना संवेदना भावना हाथीक दाँत जकाँ देखबटी मात्र। 

हमर मैथिल तथाकथित राष्ट्रवादी विद्वतजन कांग्रेसीक घोषणापत्रसँ घोर चिंतामे डूबल जा रहल छथि। कोंग्रेस कानून समाप्त करबाक बाते कS रहल अछि मुदा मेघालय आ मणिपुरमे तथाकथित राष्ट्रवादी सरकार द्वारा केवल सत्ताक सुख लेल उग्रवादी दलसँ गठजोड़ कS ओतय सँ कानून हटाओ लेने अछि। मणिपुर मे त' किछु हप्ता पहिने हटाओल गेल।

मणिपुर केर शर्मिला इरोम अहि कानूनकेँ जनविरोधी मानि 16 साल धरि भूख हड़ताल कS संघर्ष कएलीह से अवश्य ध्यान रहय। बकैती करब आ विषय वस्तुकेँ बुझि कS विरोध आ समर्थन करब दू फराक गप्प होइछ।भेड़िया धसान सँ भरल दिशाहीन विचारशून्य समूहक बरसाती बेंग जकाँ टर्र टर्र करबाक एखन फ़ैशन अछि।

मतलब तथाकथित राष्ट्रवादी सरकार अपन सुविधानुकूल देशद्रोही कानून हटा सकैए कारण ओकरा देशभक्त होयबाक ठप्पा लागल छैक मुदा दोसर दल हटेबाक प्रयासों करत तो ओ देशद्रोही कहाओत? व्यक्तिपूजामे लोकक एहन अंध भक्तिक अवधारणा वास्तवमे असली देशद्रोही अछि।

देश सर्वोपरि होइछ, व्यक्ति कदापि नहि मुदा एतय विद्वान लोकनि आ खासकS मैथिल तथाकथित देशभक्त सब व्यक्तिकेँ देश मानि दिनराति चरण चारणमे समय काटि रहल अछि। नीक आ बेजाए केर ज्ञान जल्दिए होन्हि। भगवती हुनका सभकेँ सद्बुद्धि प्रदान करथि ताहि मंगलकामनाक सँग जयहिंद जयभारत।
जयमिथिला || जयमैथिली || जयजय मिथिलाक्षर ||

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment