Latest News

Friday, April 5, 2019

||★||कर्तव्यनिष्ठ खबासक अधिकार केवल "जी सरकार" ||★||

"वसुधैव कुटुंबकम"मतलब समस्त संसार हमर परिवार अछि। आ तेँ जँ बहुराष्ट्रीय प्रचारमंत्री विद्यापतिकेँ बंगाली कहि संबोधन कएलक त' बेजाए की? ई एकटा ब्रह्नज्ञानीक भक्तक उक्ति छलनि। ओनहितो बकलोलीमे हमर सभक बादशाहत एहन अछि की जँ ओ पाकिस्तानीओ कहि देने रहितथिन तखनो अपन पोथी उनटा कS मूर्ख पण्डित जकाँ तर्कपूर्ण तरीका सँ सत्त सिद्ध कS सकैत छलहुँ।

मुख पोथी पर विद्वान लोकनिक अधारविहीन तर्क सुनि लगैत अछि जेना ओ महंथक दास होय,खबास होय? अपन विद्वता आत्मसम्मान स्वाभिमान सब भरणा लगौने होय। महंथक कोनो तरहक नीक बेजाए बात होय, ई सब आदेश मानि केवल "जी सरकार" कहबाक अधिकार राखैत छथि। मोन पड़ैत अछि सुनल सुनाएल एकगोट खिस्सा, महंथ जीकेँ एकबेर बीच बैसारमे पाद निकलि गेलनि त' ओ बिनु लजेने ,ओ अपन खबास सँ कहलक, महंथा पदलें रौ? त'-"जी सरकार"। तहिना आजुक कर्तव्यनिष्ठ खबास सब देखल जाएत छथि। हिनका सभकेँ अहि सँ बेसी ओकादिओ नहि छनि जे दूध केS दूध आ पानि केS पानि कहि सकथि।

आब किछु विद्वान "देश बचाउ अभियान" मे दिनराति एक कएने छथि। मुदा जानि नहि कतयसँ कोना देशकेँ खतरा छैक? ओ सब तेहन लोक छथि जनिकर संख्या नगण्य अछि मुदा "टिटही टेकल पहाड़" कहबी केर चरितार्थ करयमें लागल छथि। कन्हैयाकेँ देशद्रोही प्रमाणपत्र दए रहलैए जखन की ओ चुनाव सेहो लड़ि रहलैए। देशमे की कोनो सजायाफ्ता चुनाव लड़ि सकैए आ जँ से होयतै त' हार्दिक पटेल किएक नहि लड़ि पाबि रहल अछि।

वर्तमान सरकारक पाँच सालक उपलब्धि केवल विवादित व्यान जाति पाति अगड़ा पिछड़ा हिन्दू मुसलमान गाय गोबर पर भाषण रहल अछि आ गरीब जन मजूर रोटी रोजगार शिक्षा सुरक्षा स्वास्थ्य आदि इत्यादि सरोकारी मुद्दा पर एकदम फिसड्डी रहल अछि। चुनाव अहिबेर फर्जी आंकड़ा,भाषण पर नहि जमीनी सत्त पर होम बला अछि। तेँ माननीयकेँ दिनमे तरेगन सुझा रहल छनि।
जयहिंद जयभारत। जयमिथिला जयमैथिली। जयजय मिथिलाक्षर

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment