Latest News

Saturday, March 30, 2019

||◆|| बीजेपी मतलब आब " भ्रष्टाचारी जनता पार्टी" ||◆||

आजुक नेता गाँधी आ पटेल जीक आदर्शकेँ आत्मसात करबाक बात करैत छथि। राजनीति लेल ई नीक गप्प।सुचिता स्वच्छता विनम्रता संयमता संवेदनशीलता उदारता जे सम्प्रति समाजसँ लगभग विलुप्त भेल सन जा रहल अछि से पुनः लोकक अंतःकरणमे स्थान पाओत। किएक त' नेता आ अभिनेताक व्यक्तित्वक प्रभाव समाजकेँ सभसँ बेसी प्रभावित करैत अछि। मुदा की माननीय लोकनि वास्तवमे देशक अहि महान सपूतक जीवनसँ प्रभावित छथि से हिनकर आचार विचार व्यवहार आ लाइफ स्टाइल देखि स्वयं अनुमान लगाओल जा सकैए।

"सादा जीवन उच्च विचार" आजादीक संघर्षसँ सृजन भेल नेताक मूल मंत्र  रहल अछि। समाजसेवा एकमात्र हिनकर सभक उद्देश्य आ संकल्प रहलनि। एकटा सिपाही जकाँ देशहितमे ओ सब अपन जीवनकेँ बलिदान करय गेलाह। देशक ओहन महान सपूतक विचारकें एखुनका कोनो नेता जँ एको प्रतिशत आत्मसात कS लिए त' देश धन्य भS जाएत।

जतय एक तरफ देशक अर्थव्यवस्था लगातार गोंता लगा रहल अछि। मध्यम वर्गीय मैनुफैक्चरिंग सेक्टरक हालत त' ठीक मध्यम वर्गीय लोक जकाँ भेल अछि। मतलब प्रतिष्ठे प्राण गंवा रहल अछि। जतय एकदिसि प्रतिष्ठित सरकारी कम्पनी एयर इंडिया, बीएसएनएल आदि सनक कतेको कम्पनी आर्थिक संकटमे फँसल अपन स्टाफ केर वेतन नहि दए पाबि रहल अछि। जतय रुपयाक अभावमे अस्पतालमे ऑक्सीजन सप्लाई बंद होयबाक कारण सैकड़ो नवजात बच्चा सभ कालक ग्रास भए जाएत अछि। एखनो देशक 30 करोड़ लोक भुखले सुतय पर विवश अछि। ओतय केवल अपन सेखी बघारबाक चक्करमे माननीय देशक हजारो करोड़ रुपैया मूर्ति पर खर्च कS दैत अछि।

नवका अस्पताल, शिक्षा संस्थान, अर्ध सैनिक बलकेँ पेंशन, किसानके कर्जमाफी आदि समाजिक सरोकारी बला नामसँ फाटल जेबी देखा भीखमंगा बनि जाएत अछि। गैस सब्सिडी छोड़बाक लेल जनतासँ भीख मांग लगैत अछि मुदा देशक हरेक कोनामे करोड़ो करोड़ बला अपन फाइव स्टार कार्यालय बनाबय लेल बीजेपी अपना लेल राजा बनल अछि। ई केहन आ कतेक बड़का बला राष्ट्रवाद अछि से विचारमंथन करबाक विषय अछि। देशक उद्धार की भगवान श्रीराम जीकेँ तंबूमे बिसरि केवल अपन आलीशान दफ्तर बनलासँ भ' जएतैक? आई जे हजारो करोड़ रुपैया अपन आरामगृह बनएबामे खर्च कए रहल अछि तकर श्रोत की छनि, सेहो स्पष्ट करथि? कोन तरहक व्यापारसँ बीजेपी हजारो करोड़ रुपैया कमाकS ई दफ्तर बना रहल अछि?

की आलू सँ सोना बला मोदी जीक ओरिजिनल फार्मूला जेकरा कुपात्रा जी एडिथ कS पप्पू नाम सँ प्रसारित कएलक तकर असरि अछि? आ की नोटबन्दी संगहि अनेकानेक तरहक  भ्रष्टाचारक असरि अछि? किछु त' गड़बड़ छैक नहि त' जाहि देशमे एखनो अन्न पानिक अभावमे परिवार सहित लोक आत्महत्या करैत होय ओतय अपन प्रजाकेँ बिसरि फाइव स्टार दफ्तर पर ध्यान केंद्रित करब मुर्खताक प्रतीक नहि त' की? आ अहि सभटा सन्दर्भकें देखैत जँ बीजेपीकेँ मतलब भ्रष्टाचारी जनता पार्टी कहल जाए त' कोनो बेजाए!
https://m.facebook.com/story.php?story_fbid=3044226082261578&id=100000226480951
प्रतिक्रियाक प्रतीक्षारत
जयहिंद || जयभारत ||
जयमिथिला || जयमैथिली || जयजय मिथिलाक्षर ||

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment