Latest News

Friday, March 29, 2019

|| ★|| "पार्टी विथ डिफरेंस" केवल छलावा ||★||

धन्यवादक पात्र छथि कांग्रेस अध्यक्ष राहुल गांधी जनिकर लगातार प्रयाससँ अहि बेर चुनावी चर्चाक विंदु किसान मजूर गरीब बेरोजगार शिक्षा स्वास्थ सनक समाजिक सरोकारी मुद्दा एखन धरि केंद्रमे विद्यमान अछि। सत्ताधारी दल कतेको बेर रँग बदलबाक प्रयास करैत जमीनी मुद्दासँ आँखि चोराबैत अकासीय मुद्दा बनेबाक असफल प्रयास करैत रहलाह। मुदा फेर कोनो ने कोनो तरहेँ जमीनी मुद्दा केंद्रमे आबीए जा रहल अछि आ से वास्तवमे अहि चुनाव लेल शुभ संकेत मानल जा सकैत अछि।
एक दिसि एखनहुँ देशमे जतय 30 करोड़ लोक अन्न पानिक अभावमे भुक्खल पेट राति काटि रहल अछि आ दोसर दिसि सरकारी अक्षमता आ मूर्खताक कारण 44 हजार करोड़ टन अन्न गोदाममे राखल राखल सड़ि जाएत अछि। दुर्भाग्यवश ताहि पर कतहु चर्च नहि सुनल जाएत अछि।बड़का बड़का योजना आ घोषणा बला अहि देशमे किसान मजूर गरीब एखनहुँ अन्नक अभावमे सपरिवार आत्महत्या कए रहल अछि आ दुखक गप्प जे ई मुद्दा जनप्रतिनिधि लेल कहिओ मुद्दा नहि बनि सकल अछि आ नहि बनय देबाक प्रयास रहैत छनि।
सेनाक शौर्य शक्ति पराक्रम पर केओ अधर्मीए हएत जे इतरायत नहि होयत? वैज्ञानिक क्षमता अन्वेषण आ परीक्षण पर केओ एहन नहि हएत जे गुमान नहि करैत होय? अहि विशिष्ट उपलब्धि पर समस्त देश सेना आ वैज्ञानिक केँ हॄदय सँ बधाई दैत आह्लादित होयत नहि थकैत अछि। हमर सबाल अछि जे देशक एहन अति विशिष्ट प्रतिष्ठित संस्थानक छाहरिमे निज स्वार्थ हेतु वोटक भीख नहि माँगबाक चाही। हिनकर सभक गौरब गाथा भोर दुपहरिया सांझ राइत चारु पहर गायन अवश्य होय मुदा निस्वार्थ भावसँ। भगवान श्रीराम जकाँ किन्नहुँ नहि जनिकर सुविधानुकूल जयजयकार कएल जाएत अछि आ फेर तम्बूमे छोड़ि पाँच साल लेल बाई बाई कS बिसरा देल जाएत अछि। अहि देशमे नेता अभिनेता सब शहीदक सम्मान पाबि सकैत अछि पेंशन त' नेता जीकेँ विधायक आ सांसद दुनु लेल दू गोट भेट सकैत छनि मुदा अर्ध सैनिक बल देशक रक्षार्थ जे बॉर्डर पर नित अपन प्राणक दांव लगेने रहैत अछि ओकरा लेल ई सुविधा सब नहि अछि?लज्जाजनक स्थिति अछि मुदा अहि मुद्दा पर कोनो नेता चर्च नहि करत?
"पार्टी विथ डिफरेंस" केवल छलावा अछि, वास्तवमे सब घोरमट्ठा बनल अछि। सत्ता प्राप्तिक एकमात्र लक्ष्य जे' सबहक रहैत छैक वएह अछि। उत्तरप्रदेशक एकटा पुरान मुख्यमंत्री जीक बात मन पड़ैत अछि, कतहु सुनने रही से एतय राखब आवश्यक बुझना जाएत अछि। पाँच साल कार्यकाल खतम भेलाक बाद चुनावमे ओ घोषणा कएने छलाह जे हम चुनाव प्रचार नहि करब, कारण हम जे काज कएलहुँ तकर ध्यानमे राखि स्वयं जनताकेँ निर्णय लेबाक अधिकार होयबाक चाही। कि आजुक नेता सभमे एकर अनुसरण करबाक साहस छनि? जँ एहन कोनो नियम कानून बनि जाए जे सत्ताधारी दल चुनावसँ किछु महीना पहिने चुनाव प्रचार नहि कS सकैत अछि। त' वास्तवमे नेतागण अकासीय तरेगन मुद्दा बिसरि जमीन पर रहि जमीनी मुद्दा दिसि ध्यान राखैत रहैत। अहिना किछु मनोभाव अपने लोकनिक लेल समर्पित कएल।
रामबाबू सिंह मिथिला
नीक आ बेजाए जे किछु अपनेक लोकनिक प्रतिक्रियाक प्रतीक्षारत।
जयहिंद जयभारत ||
जयमिथिला || जयमैथिली || जयजय मिथिलाक्षर
« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment