Latest News

Thursday, October 20, 2016

कंशक झुण्ड अछि एतय पर कतौ श्याम नहि भेटैए?

कंशक झुण्ड अछि एतय पर कतौ श्याम नहि भेटैए?

नीक लोकक सदकर्मक
नीक परिणाम नहि भेटैए !
सोन सनक प्रतिमान रहितौ
ओकर दाम नहि भेटैए !!
सत्य पर सतत प्रहार होयत अछि
असत्यक केर !
कंशक झुण्ड अछि एतय पर
कतौ श्याम नहि भेटैए ?? !!

प्रश्न चिन्ह किएक लागल अछि
अपनहि कपाड़ पर !
आत्मविश्वास किएक डोलि रहल अछि
अपन आ परार पर !!
हौसलाक जमीन एतय
बाँझ भेल किएक भेटैए !
आशाक लता भांसैत
साँझ भेल किएक भेटैए !!
रावणक झुण्ड अछि एतय पर
कतौ राम नहि भेटैए ?? !!

मिथिलाराज्यनिर्मानसेना, पृथकमिथिलाराज्य !!
जयमिथिला_जयजानकी !!
रामबाबू सिंह, मधेपुर कलुआही

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment