Latest News

Wednesday, October 19, 2016

स्वराज्य हमर अधिकार अछि, बाकी सभ बेकार अछि !

मिथिलराज्यपुनरस्थापना

बनि झुण्ड गेल मदमस्त मतंगक
मैथिलक सन्तान के !
इंकलाबी बुलन्द आवाज आ
मरि मेटबाक आह्वान के !!

कारागार में कतेके रखबेS
आर कतेके जान लेबाS !
क्रांतिपथ पर अग्रसर रक्त सँ
अन्तिम में तों हारि जेबा !!

हम धीर छी गम्भीर छी
आ जनकभूमिक हम वीर छी !
तोहर दोगला चालि चारित्रक सँ
एतय हम सभ भेल अधीर छी !!
आब राड़ नहि कर
अपन बाट पकड़
अंतर ज्वालाक हम तीर छी !!

जनकक सपूत सभ आगि भेल !
कर्तव्य बोध सँग लागि गेल !!
सेनानिक शक्ति देखिकय
सगरो दिस पसरल क्रांति स्वर !
मिथिला राज्य पुनर्स्थापनाक
जन मन में घुसि गेल अति ज्वर !!

छनि नीतीशक निन हेराएल जेकाँ !
मिथिला में छथि डेराएल जेकाँ !!
हम चाहैत छी अहिना रहय
मिथिला छोड़ि ओ कतौ जरए !!
स्वराज्य हमर अधिकार अछि
बाकि सभ बेकार अछि !
विजय या वीरगति ध्यान में
मिथिला राज्य हो संबिधान में !!

पृथ्कमिथिलाराज्य
जयमिरानीसे_जयमिथिला_जयजानकी
(रामबाबू सिंह, मधेपुर कलुआही)

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment