Latest News

Friday, April 12, 2019

||◆|| नीतीश कुमारक जेडीयू वेंटिलेटर पर ||◆||

पहिने केंद्रीय पर्यटन एवम सँस्कृति मंत्रीक सँस्कारी वचनसँ शरू करैत छी। बेजाए की कहलकै केंद्रीय मंत्री महींस शर्मा, जे सीता एकगोट काल्पनिक पात्र छथि, अस्थाक पात्र छथि। एकर ऐतिहासिक कोनो प्रमाण नहि अछि? 21वीं सदीक जेना टेस्ट ट्यूब बेबीक परिकल्पना अछि ठीक तहिना हिनक जन्म भेल हेतनि। रामायनमे श्री राम जरूर जीवंत पात्र छथि जनिकर साक्ष्य  प्रमाण आ आशीर्वाद सँ सत्ताक शीर्ष धरि पहुँचबामे सफल भेलाह, तेँ रामक अस्तित्व स्मरण रहलनि, सीता सँ हिनका कोन काज?
बीजेपी मतलब बनिया बेकालक पार्टी, मतलब बहीर अकानक पार्टी। अपनहि मनसँ अपनहि ताल पर नाच करय बला पार्टी। जतय देशमे सगरो दिसि हाहाकार मचल छैक। रोजी रोटी शिक्षा सुरक्षा स्वास्थ्य किसान मजूर सनक सरोकारी मुद्दा दिसि गप्प करबा लेल हिनकर बकार बन्द बहस जाएत छनि। अगबे अपन नफा नोकसान देखि बोमिआएब हिनक धर्म रहलनि। पहिने राम आ राम नाम केवलम हिनक मूल मंत्र छलनि, आब सेहो बदलि गेलनि।
आई काल्हि हिनका लेल राम सेहो अकाजक भए गेलाह। आब राष्ट्रवादक नाममे नफा छनि राममे नहि, पाकिस्तानक नाममे नफा छनि किसानमे नहि। सुरक्षा नाममे नफा छनि शिक्षा नाममे नहि। मतलब भावनात्मक आ नकारात्मक सभटा काज बातमे नफा छनि, समाजिक सरोकारी आ सकारात्मक विषयमे नहि।
आब सुशाशन बाबू दिसि अबैत छी त' शराबबंदीक ढ़ोल पिटिकS अपन पीठि ठोकि सफल सिद्ध करनिहार नीतीश कुमारक सत्त, धरातल पर ओतबे असफल आ फुस्स बुझा रहल अछि। बनिया सँग मिलिकय शराबक कालाबजारीमे खूब नोट कुटि रहल अछि। टेंटमे खाली ढ़उआ रहबाक चाहि, तीन चारि गुणा बेसी दाम पर दारू अहाँ लग दौगल दौगल स्वतः परोसि जाएत।
जेडीयू त' साफ गेल गुजरल पार्टी छथि। बिहारमे कहिओ राष्ट्रीय जनता दल त' कहिओ बीजेपी केर ऑक्सीजन पर जीवय बला परजीवी मात्र छथि। हिनका वेंटिलेटरे पर बुझु कहिओ टें बाजि सकैए। असगरे ई दल बिहारमे एकहु गोट सीट नहि जीति सकैत अछि। कोनो विशेष जनसमर्थन नहि छनि, मात्र बैसाखीकेँ भरोससँ टीकल छथि आ से अहिबेरक आम सभा चुनावमे सेहो देखार भए जएताह। ओकादिसँ बेसी सीट देल गेलनि जकर नोकसान होयब अवश्यम्भावी अछि।
जयमिथिला || जयमैथिली || जयजय मिथिलाक्षर ||
« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment