Latest News

Monday, May 18, 2020

मिथिलाक अस्मिता लेल जानकी नवमी 'मिथिलादिवस' रुपे मनाओल जाए।

मैथिलित्वक भाव मिथिलाक जनमानसमे किनसाइते कहिओ श्रद्धा भावे आएल हएत ! देशमे एखनहुँ अनेकानेक क्षेत्र विद्यमान अछि, जाहिठामक लोक अपन क्षेत्रीय अस्मिता लेल एकदिन धूमधामसँ उत्सव मनबैत, जनजागृति कS छिड़िआयल सभकेँ संगठित करबाक प्रयास करैत छथि। ओहि क्षेत्रक विकासक प्रति कर्तव्यबोध जगबैत छथि। ओ अपन सांगठनिक शक्तिसँ सरकारकेँ सेहो संज्ञान लेबाक लेल विवश कS दैत अछि मुदा एतय अपन अपन पसीनक खोधलीमे पड़ल एक दोसराक मुह दुसैत समय गुदश कS रहल छथि !
मैथिल समाज खण्ड विखण्ड भेल गौरवे आन्हर भेल छथि! केओ किनकोसँ कम नहि, सभकेँ सभ अहंकार रूपी रथ पर सबार दुर्योधनक प्रतिबिंब बनल ताल ठोकैत भेटैत छथि ! उजरल पजरल लूटल कुटल डीह लेल किनकोमे कनिओ दरेग नहि ! मुट्ठी भरि मगहिया नित नव नव षड्यंत्र कS मिथिलाक चीरहरण कS रहल अछि आ हमरा सभ धृतराष्ट्र जकाँ सहैत एकरा नियति मानि जीवन काटि रहल छी। आब तँ मान स्वाभिमान पर चाहे केओ कतबो प्रहार करय, फराक नहि पड़ैत अछि। कारण दिनचर्या बला विषय बनि गेल अछि। अभ्यस्त एना भेल छी जे आब कतबो केओ थुड़ैत हो किंवा गरिआबैत हो, आत्माकेँ नहि कचोटैत अछि। चेतनाशून्य मृतात्मा सँग हाड़ मांसक मनुख मात्र छी।
एकदिन अपन जन्मडीह लेल जँ किछु पल सोचि सकी, किछु अद्भुत आ अद्वितीय कS सकी तँ कदाचित मिथिलाक दुर्दिन पड़ा जाएत आ एकटा सुखद भाग्योदय देखि सकैत छी। आगामी 1 मई 2020 जानकि नवमी अछि। माँ जानकीसँ पैघ मैथिलक प्रतीक आओर किछु नहि भS सकैए ! मैथिली नामसँ सेहो माँ जानकि जानल जाएत छथिन। मिथिला आ मैथिलक अस्मिता लेल जानकी नवमी समस्त मिथिला संगहि जतय हमरा सभ रहैत छी ओतय पूजा अर्चना सँग उत्सव रुपे मनाबी से हमर निवेदन। ट्विटर पर सेहो भोरसँ सांझ धरि ट्रेंड कराबी जाहिसँ समस्त संसार जानकीनवमी जानि सकैए।
जय माँ जानकी। जयमिथिला
#जानकीनवमी
« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment