Latest News

Monday, May 18, 2020

कोरोनासँ निपटबाक लेल समस्त विश्वकें केरल सरकारक अनुसरण करबाक चाही।

कोरोना महामारीसँ निपटबाक लेल जे नीति नियम केरलाक मुख्यमंत्री भारतीय कम्युनिस्ट पार्टी (मार्क्सवादी)क 'पिनराई विजयन' जीक एखन धरि रहलनि ओ केवल अपन देशहिमे नहि अपितु समस्त संसार लेल एकटा उत्कृष्ट उदाहरण अछि। भारतक दक्षिण राज्य केरलामे एहि अदृश्य आसुरि शक्तिक आगमन 31 जनवरी 2020 कS पहिल संक्रमित रोगी चाइनाक वुहानसँ छात्र द्वारा भेल। फेर 3 फरबरी कS दू गोट आओर संक्रमित छात्र ओतय पहुँचल आ ताहिमेसँ एकटा काल कल्पित भS गेलाह। विजयन सरकार एहि वायरसक प्रभावकेँ गम्भीरतासँ अध्ययन कS बिना कोनो समय खराप कएने राज्यमे 4 फरबरीसँ आपातकाल घोषित कS देलक।
दिल्लीसँ करीब 3000 किलोमीटर दूर होयबाक कारणे केंद्र सरकारक दृष्टि ओतय धरि नहि पहुंच सकलनि। जखन कि चाइना आ केरलाक दूरीमे बेसी अंतर नहि छल। एकरा दूरदृष्टि दोष कहि सकैत छी तकर एकमात्र कारण ओ अपन दृष्टिकें अर्जुन समान दिल्लीक विधानसभा चुनाव पर जमऊने रहलाह। कर्मक अनुकूल परिणाम सेहो भेटलनि आ तकर बाद जखन ओ दॄष्टिपात कएलाह ता धरि एकटा कहाबत मोन पड़ैत अछि ' अब पछताबे होत का, जब चिड़ियाँ चुग गई खेत'।
वायरसक प्रकोप सगरो दिस पसरय लागल आ फेर भोजक बेरमे कुम्हर रोपय लगलाह। अकबकाएल सकपकाएल उधेड़बुनमे पड़ल अनेकानेक प्रकारक कलाबाजी सेहो करबाक लेल आदेश देलाह। मुदा ओ सभकेँ सभ इलाजक नाम पर यथार्थसँ बहुत दूर जादू-टोना मात्र छल जे अन्ततः सभकेँ सभ बुढ़िया फूसि निकलल। हमरा सभ फेरसँ सांप-सपेड़ा बला देशमे रहय लगलहुँ, जेना कि साहेब पहिने कहैत छलाह।
आब जखन दुनियाक 213 देश एहि महामारीसँ त्रस्त अछि। असगरे अमेरिकामे 14 लाखसँ बेसी संक्रमित रोगीमेसँ मृतकक संख्या 85 हजार पार कS चुकल अछि। लन्दनमे 2.25लाखसँ बेसी रोगीमेसँ मृतकक संख्या 33 हजार पार कS चुकल अछि।इटलीमे 2.22लाखमेसँ मृतकक संख्यस 31 हजार पार कS चुकल अछि।स्पेन आ फ्राँसमे मृतकक संख्या 27 हजारक पार कS चुकल अछि।
तहिना भारतमे पहिल स्थान पर महाराष्ट्र दोसर स्थान पर गुजरात तेसर पर तमिलनाडु चारिम पर दिल्ली पाँचम पर राजस्थान छठम पर मध्यप्रदेश आ एखन सतरहम स्थान पर केरला अछि। जतय कुल संक्रमित रोगीक संख्या 535 जाहिमेसँ 490 स्वस्थ भS मौज कS रहल अछि आ 41 टा केवल सक्रिय रोगी अस्पतालमे अछि आ साढ़े चारि महिनाक उपरांत एखन धरि मात्र 4 गोटेकेँ मृत्यु भेल अछि। एहि महामारीसँ निपटबाक एहिसँ पैघ उदाहरण कतय भेटत? देशक समस्त राज्य सरकारकेँ वामी मुख्यमंत्रीक शरणागत भS हुनकर अनुसरण करबाक चाही।
बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार तँ सहजहि अहंकारक प्रतिमान छथि।मजदूरक अतेक पैघ पलायन पर कोनो राज्य सरकारसँ कहिओ गप्प धरि नहि कएलक अछि। मजदूरक दलाली पर जिवय बला परजीवीकेँ कोनो गत्तरमे लाज नहि छन्हि ! ओ सभ बाट घाट पटरी पर भूखल पियासल अविरल अथक हजारो किलोमीटरक यात्रा पर चलल जा रहल अछि।कतेको तँ बाट-घाटे पटरी पर बसमे बुखले पिआसले दम तोड़ि देलक आ एखनहुँ लगातार एहन समाचार अबैत रहैत अछि। आब रेलगाड़ी पहुंच रहल अछि तँ ओतय सैकड़ाकेँ सैकड़ा पॉजिटिव केस भेट रहल अछि। भगवान जानथि केहन टेस्ट एतय भS रहल अछि आ केहन विहारमे। हे भगवती सद्बुद्धि प्रदान करिअउन्ह देशक नेता सभकेँ। आपदा तँ वास्तवमे देशक लेल अवसर आनैत अछि आ एहिसँ कएको खद्दरधारी अपन पुस्त पुश्तैनी लेल जोगार कS राखि लैत छथि। अगिला बेर ध्यान अवश्य राखि, चुनावमे फेर नेप चुआबय लेल वएह सभ अओताह।
« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment