Latest News

Wednesday, August 14, 2019

ताड़ परसँ खसल, खजूर पर अटकल

हमरा सब अहिबेर आजादीक तिहत्तरवां वर्ष गाँठ मना रहल छी। संसद भवन सँ लSक लुटियन जोन रँग विरँगक इजोत सँ नहा रहल अछि। लालकिलाक प्राचीर सेहो सजि धजिकS तैयार अछि आ संगहि गणमान्य अतिथि सभक आदर सत्कारक हेतु लालकिलाक मेदान सेहो तैयार अछि। अहि महापर्वक उप्लक्षमे ओतहुका लग लगीचक बाट घाट चौबटिया सेहो अनेकानेक तरहक रँग सँ अतिथि सत्कारमे सजल पड़ल अछि। शासन प्रशासन विधि व्यवस्था सब चाक चौबंद भS अतिथिक प्रतीक्षारतमे नजरि गड़ेने अछि।
ई साज सज्जा नाच गान सब कोनो नव नहि अछि।आजादी सँ लSक एखन धरि अहिना सब किछु होयत आबि रहल अछि जहिना देशक महापर्व मनेबाक आरंभ भेल छल। लालकिलाक प्राचीर सँ प्रधानमंत्री भाषण सेहो करताह जहिना आजादीक पश्चातसँ सत्तासीन प्रधानमंत्री सब करैत आबि रहलाह अछि। झंडा फहराएब , सलामी , जन गण मन गीत सब अहिना देख सकब जहिना पहिने सँ देखैत आबि रहल अछि। अहिबेर जे नव अछि से केवल आ केवल ई अछि जे तारीख पन्द्रह अगस्त 2019 अछि शेष सब जस केS तस।
बहत्तर साल पुरान आजाद भारत एखनहुँ मूलभूत सुविधासँ वंचित अछि। रोटी रोजगार शिक्षा सुरक्षा स्वास्थ्य समस्या एखनहुँ देशक सभसँ पैघ समस्यामे सँ एक मानल जाएत अछि। बेमार थाकल झमारल अस्पतालमे जेना कैंसर रोगीक रोग प्रतिरोधक क्षमता दिनानुदिन क्षय होयत रहैत अछि तहिना सम्प्रति देशक स्वास्थ्य अछि। फर्जी डॉक्टरक नवका नवका प्रयोगसँ रोगी अपन रोग सँग जीवाक नियति मानि लेने अछि। भूख गरीबी बेरोजगारी बेमारी आदि सनक रोगक इलाज केवल वाचन आ भाषण सँ करबाक प्रयास भS रहल अछि।
देशक अर्थव्यवस्था सेहो द्रुत गति सँग गोता लगबैत रसातल दिसि अग्रसर अछि। हमरा सँ नीक सभसँ गरीब देश मानल जाए बला भूटान अछि। ओतय सरकार देखाबटी आ कागजी बला फर्जी रिपोर्ट नहि जारी करैत अछि। जनहितमे सरकार ओतय फर्जीबाड़ा जीडीपी पर नहि जीएनएच मतलब (ग्रॉस नेशनल हैप्पीनेस) पर फोकस करैत अछि।
भूटानक प्रधानमंत्री लोतेय त्शेतेय केर एकटा साक्षात्कार अविश्वसनीय लागल। हुनक कहब छलनि जे, स्कूली शिक्षा सँ लSक सर्जन बनबा धरि शिक्षाक प्राप्ति हेतु हुनका जेबीसँ एकहु गोट टाका नहि खर्च भेल छनि। जँ एहन सरकारी व्यवस्था नहि रहितैक तँ साइत हम आई नहिए प्रधानमंत्री आ नहिए डॉक्टर बनल रहितहुँ। ओतय पढ़ाई आ दवाई सेवा सरकार द्वारा एकदम मुफ्त छैक। अहि पर भूटानक सभ जनताकेँ बरोबरि अधिकार अछि। जहिना अपना देशमे नीति आयोग अछि तहिना ओतय जीएनएच बनाओल गेल अछि। जेकर उद्देश्य जनताकेँ मूलभूत सुविधा सँग कोना खुश राखल जाए, ताहि दिसि नीति निर्धारण करैत अछि।
अर्थव्यवस्था पर नजरि घुमाबय लेल घुरि आउ आब अपन देशमे, एतय रोजगारमूलक क्षेत्रमे सभसँ अऔल क्षेत्र टेक्सटाइल्स ऑटोमोबाइल इंफ्रास्ट्रक्चर आदि इत्यादि रहल अछि मुदा ई सब सेक्टर वर्षो सँ भयंकर महामारीक चपेटमे अछि। ऑटोमोबाइल सेक्टर लेल सभसँ खराप समय आबि गेल अछि।लाखो लोकक रोजगार संकटमे पड़ि गेल अछि कारण व्यापार घाटा अछि। टेक्सटाइल्स इंडस्ट्री पहिने सँ हक्कन कानि रहल अछि आ इंफ्रास्ट्रक्चर सैक्टर तँ मटियामेट भेले अछि। जाहिसँ लाखो लोकक रोजगार सृजन भS सकैत छल ताहि पर कान बात नहि देब नीक व्यवस्था तँ किन्नहुँ नहि मानल जाएत?
बीतल बहत्तर वर्षमे देश लगभग सब क्षेत्रमे आगू बढ़ल अछि मुदा अहि बीच भ्रष्टाचार एना बढ़ल की ओ आब शिष्टाचार बनि गेल अछि। की नेता आ की जनता जेकरा जतय फबैत अछि ओतय चाभि देबाक अवसर नहि छोड़ैत अछि। देशमे भ्रष्टाचारी संस्कारी मानल जाएत अछि। बलात्कारी व्यभिचारी दुराचारी लोकतंत्रक पवित्र मंदिरक शोभा बढ़बैत देखल जाएत अछि। आभास भS रहल अछि जेना गोरा सभसँ आजादी तँ भेट गेल मुदा ओहने मानसिकता बला अपनहि देशकेँ सत्ताक दलालक बीचमे माँ भारती फँसि गेल छथि। मतलब ताड़क गाछ सँ खसल आ खजूर पर अटकल अछि।
बहत्तर सालमे माननीय लोकनि कोनो भाषाकेँ एखन धरि राष्ट्रभाषाक रूपमे संवैधानिक दर्जा नहि दिया सकलाह। 29 राज्यमे 20 राज्य हिंदी बाहुल्य रहितौ वोट बैंक डरे हिंदीकेँ राष्ट्रभाषा बनबै सँ डेराएत रहल अछि। एखनहुँ उच्च न्यायालय आ सर्वोच्च न्यायालयमे अदालती भाषा अंग्रेजीए अछि। हमर सभक राष्ट्रभाषा हिन्दी अछि से हमरा सब सनक बहुतों लोकक भ्रम छलनि मुदा साँच यएह थीक जे हिंदी हमर सभक राष्ट्रभाषा नहि अछि।
आजाद देशमे आजादीक असल आनंद तखने भेटत जखन अहिसभ सँ मुक्ति भेट जाएत। आजादी भेटबाक चाही पुरान रूढ़िवादी नियम कानून सँ, शिक्षामे व्यापार सँ, बेमार सरकारी अस्पताल सँ, समाजिक कुरीतिसँ,गरीबी सँ, बेरोजगारी सँ ,बलात्कारी, दुराचारी सँ असलमे आजादीक तखने महत्व मानल जाएत नहि तँ फर्जी लोकक भाषण पर सत्ताक रंग ताल पर गाँजा भांग दS नाचैत रहू जहिना आजादीक उपरांत नाचैत आबि रहल छी। जयहिंद जयभारत
हमरा दिसि सँ समस्त देशवासीकेँ तिहत्तरवां स्वतंत्रता दिवसक हार्दिक शुभकामना आ बधाई ।
« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment