Latest News

Tuesday, August 13, 2019

तेसर अटल मिथिला सम्मान समारोह 2019 मे सम्मानित हेताह मैथिलीक आइकॉन धीरेंद्र प्रेमर्षि।

विगत समयमे दू बेर अटल मिथिला सम्मान समारोहक भव्य आयोजन नई दिल्लीक पंच सितारा होटल ली मेरेडियनमे भS चुकल अछि। हिन्द पोस्ट मीडिया आ मैथिलीक युवा अभियानी प्रदीप कुमार झा द्वारा आयोजित ई कार्यक्रमक प्रतीक्षा दिल्ली एनसीआरक प्रवासी मैथिलकेँ बहुत पहिने सँ रहैत अछि, आ से अहिबेर आगामी सतरह अगस्त शनिदिन हेबा सुनिश्चित भेल अछि।

मिथिला आ मैथिलीक मादे कएल गेल अनुपम योगदान देनिहार व्यक्तित्वकेँ अटल मिथिला सम्मान देल जाएत अछि ओ चाहे  मिथिलाक रहनिहार हो वा कोनो न कोनो तरहेँ मिथिलामे योगदान देने होय। आ से अहिबेर सेहो एहन अनेकानेक मिथिला मैथिलीजिवी अभियानी सभकेँ अहि भव्य समारोहमे सम्मानित कएल जएतैनि।

सूत्रकेँ अनुसार कार्यक्रमक उद्घाटन भारत सरकारक प्रतिरक्षा मंत्री राजनाथ सिंह द्वारा कएल जाएत संगहि सँग राज्यसभा सांसद प्रभात झा समेत कतेको मंत्री आ गणमान्य व्यक्ति सेहो उपस्थित रहताह।

अहि आयोजनमे गीत संगीत सँ मनोरंजन हेतु मैथिल पुत्र आ बॉलीवुडक स्टार पद्मभूषण सँ सम्मानित उदित नारायण आ बॉलीवुडक प्रख्यात गायिका अलका याग्निक सेहो सँग रहतीह। अहिबेर हिनका अटल मिथिला सम्मानसँ सेहो सम्मानित कएल जा रहल अछि। एकर अतिरिक्त मैथिली ठाकुर सेहो अपन गीत सँ उपस्थित जनसमूहक मनोरंजन करतीह।

अनेकानेक व्यक्ति सँग अहिबेर अटल मिथिला सम्मान सँ सम्मानित हेताह धीरेंद्र प्रेमर्षि। जी हाँ अपन जादुई आवाज सँ मिथिलाक जनमानस पर राज करय बला व्यक्तित्व, हेलो मिथिलाक प्रस्तोता धीरेंद्र प्रेमर्षि। मूल रूपसँ नेपालिय मिथिलाक बस्तीपुरक रहनिहार सहृदय मृदुभाषी संगहि एकटा निस्सन गीतकार प्रयोगधर्मी संगीतकार आ रेडिओकर्मी रूपमे अपन फराक पहिचान बना बहुत चर्चा बटोरलाह अछि।

मैथिली साहित्यमे सेहो हिनक दखल छनि। मैथिली गीत संग्रह नेपालिय गीत कथा कविता सभक रचना तँ कएने छथि संगहि संगीत केँ क्षेत्रमे कतेको चर्चित हिनक एलबम छनि जनिका ओ अपन संगीत सँ सजाओने छथि। गीत संगीत सीरियल आदिमे मिथिलाक व्यथाक नायक रहल धीरेंद्र प्रेमर्षि सम्प्रति काठमांडूमे रहैत मैथिली अभियानक बिगुल फूंकने छथि। आ बेर कुबेर मिथिलाक प्रवासक कोन कोन जा मैथिलीक संरक्षण आ संवर्धन हेतु स्वर भरैत रहैत छथि।

अटल मिथिला सम्मान सँ सम्मानित कएल जएबाक घोषणा पर धीरेंद्र भाइकेँ हार्दिक शुभकामना आ बधाई । एहन असाधारण हरफनमौला व्यक्तित्वकेँ सम्मानित कएलासँ सम्मान सेहो सम्मानित होयत अछि।

जयमिथिला || जयमैथिली || जयजय मिथिलाक्षर

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment