Latest News

Monday, July 15, 2019

हम एन. डी. तिवारी भवनसँ बाजि रहल छी

दिल्लीक एन.डी.तिवारी भवन काल्हि मिथिला संघक त्रैवार्षिक सम्मेलन सह-कार्यकारिणी चुनावक साक्ष्य रहल। हमहुँ ससमय लगभग 2 बजे दुपहरियामे ओतय पहुँचलहुँ। नव पुरान अनजान बच्चा बूढ़ा सियान सब उमेरक मैथिलक ओतय जमघट देखल गेल। चुनावी प्रक्रियामे सहभागिता हेतु आजीवन सदस्यता पर्चीक पट्टा गरदनिमे पहिरब आवश्यक छल। सभागारमे प्रवेश हेतु गरदनिमे पट्टा धारण करब पहिल आ अंतिम सर्त राखल गेल छल।

चुकी हम संस्थाक सदस्य नहि छलहुँ तेँ हमर प्रवेश वर्जित छल।  चुनाव पूर्व हम किछु जानकारी लेबाक प्रयास कएलहुँ आ जे किछु उड़ैत उड़ैत जानकारी भेटल तखने हमरा भान भS गेल छल जे ई चुनाव केहन आ कतेक प्रासंगिकता रहतैक। कहलक जे सभागारमे उपस्थित सदस्यमे सँ कार्यकारिणी सदस्य हेतु 151 सदस्य चुनल जएतैक। आ से जेकर एखन धरि कोनो नाम अता पता सार्वजनिक नहि कएल गेल छल। आ कोन विधि विधान सँ चुनल जएतैक सेहो किनको जानकारी नहि । मुदा वएह चुनल कार्यकारिणी सब अध्यक्षक चुनाव करताह से अंतिम सत्य अछि, तकर घोषणा चुनाव सँ एक घण्टा पूर्व अवश्य कएल गेल।

हमरा अजगुत भेल जे बिना कोनो सार्वजनिक सूचनाकेँ अपनहि धियापुता आ पेड स्टाफ सँ पट्टा बनबा बनबा कS भीतर भेजबाओल जा रहल अछि। बिना कोनो सर्वसम्मति सँ अपने सदस्यकेँ चुनाव अधिकारी संगहि सँग भीतर प्रवेश हेतु जांचकर्ता बनबाओल गेल अछि। ज्ञात भेल जे सभागरमे सैकड़ो फर्जीधारी लोककेँ समर्थनमे जी हजूरी करबाक लेल पहिनहि सँ बैसाओल गेल अछि।

जखन पंकज प्रसून आ हम पत्रकारिता लेल प्रवेशक बात कहलियैन्ह तँ महासचिव विद्यानंद ठाकुरक चेहराक रँग उड़ल सन भS गेलनि। विनीत उप्पल जी सेहो पत्रकारिताक धर्म पर ज्ञान बांच लगलाह जे बिना आमंत्रण नहि जएबाक चाहि। खैर दालिमे कारी नहि एतय पूरा दालिए कारी छल से बुझबामे हमरा कनिओ भाँगठ नहि रहि गेल। आ भेल सएह जेकर आशंका छल। जूतम लत्तम घिचाघिचि गारि गंजनि मतलब मैथिलक असली चरित्र ओतय किछुए कालमे दृष्टिगोचर होमय लागल। आ एकबेर फेर दिल्लीक एन. डी. तिवारी भवन मिथिला संघक चुनावमे होयत रहल घण्टो भरि नंगटै आ निर्लज्जताक साक्ष्य बनल रहल।

दुर्भाग्यक गप्प जे काल्हि एकहु बेर मिथिलाक बाढिक विभीषका पर किनको बकार नहि फुटलनि। ओतय घर द्वार जान माल जाल भसिया रहल अछि मुदा एहन संवेदनहीन लोक जे एकबेर स्मरण धरि नहि कएलक। ई केहन सरोकारी आ सेवादार छथि सेहो सोचल जाए।

★मिथिला मैथिली आ मैथिलक नाम पर बनाओल गेल लगभग संस्था सब राजनीति वा स्वरोजगार नीति सँ पीड़ित देखल जा रहल अछि।

★ मिथिला मैथिलीक एकहु टा कोनो संस्था नहि देखल जा रहल अछि जाहिमे विधिवत आंतरिक लोकतँत्र होय। मठाधीस सब संस्थाकेँ प्रोपराइटरशिप कम्पनी बना राखि देल अछि।  जा धरि जिबैत रहताह ता धरि अप्पन थुथुन चमकाबैत रहताह आ तकर बाद अपन धियापुताके हाथमे थमा देताह तेहन जोगार कएक रखने छथि।

★ अन्य भाषा भाषीक पैघ सँ पैघ संगठन सभमे लगातार दू बेर सँ बेसी निर्वाचित नहि भS सकैत अछि। मुदा मिथिला आ मैथिलीक संगठन अपन जेबीक संगठन बना, बहुमत केर नाम पर फर्जी सदस्य, जनिका मिथिला मैथिली सँ कोनो सरोकार नहि रहैत छनि हुनका जोड़ल जाएत अछि केवल आ केवल चुनावमे वोट करबाक लेल।

★संगठनकेँ समावेसी बनएबाक कोनो सोच नहि रहैत छनि केवल दरिभंगा मधुबनी संगहि ब्राह्मण कैशत।

★मैथिल बुद्धिजीवी कहबैत अछि आ संस्थाक कुर्सिक खेलाबेलामे हाथापाई जूतम लत्तम कS समाजमे केहन सेवा भाव दर्शा रहल अछि से कनि सोचल जाए।

★20 बरिसमे कोनो एहन मैथिल संस्था जे सड़क पर आंदोलन कएने होय, केवल सभागरमे माइक विडिओ फोटू सँग भोजभात आ फेर भांग खा बिसरि जाएत अछि।

★काल्हि तँ सुनबामे आएल जे आदरणीय अमरनाथ झा जी फूल माला ढोल तासाक जोगार सँग सेहो आएल छलाह जे अध्यक्ष पद भेटलाक बाद नीक सँ उत्सव मनबैत दुनू संस्थाक अध्यक्ष बनि राज करितथि।

★एहन संस्थाक मठाधीस सब वास्तवमे मिथिला आ मैथिली आ मैथिल लेल दुर्भाग्य नहि तँ की अछि। स्वहित पुर करबाक लेल जनहितकेँ अहित करैत छथि। खून करैत छथि संस्थाक सदस्य सभक भरोसाकेँ, ओकर सेवाभावनाकेँ खण्डित करैत अछि। आ तकर बाद केवल संस्था नामसँ नीक रहि जाएत अछि काजसँ संस्थाक प्रमुखे जकाँ निठल्ला निकम्मा आ निष्प्रभावी बनि अपन आभा समाप्त कS कालकल्पित भS जाएत अछि। हे जगजननी संस्था माने सन(बेटा) आस्था, मतलब पुश्तैनी सम्पति बुझनिहार लोकसँ मुक्त कराबी, से हमर अहाँ सँ करबद्ध प्रार्थना।

प्रतिक्रियाक प्रतीक्षारत
https://www.facebook.com/nobnews/videos/351844392408084/

जयमिथिला || जयमैथिली || जयजय मिथिलाक्षर

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment