Latest News

Sunday, June 23, 2019

मंडी हाउसकेँ कोपरनिकस मार्गसँ हम किछु बाजि रहल छी।

सुनबामे आएल अछि जे आगामी 14 जुलाई कS अखिल भारतीय मिथिला संघक चुनाव अछि। ताहि लSक किछु चर्च एतय ठाड़ किछु मित्र लोकनिसँ सुनबाक लेल भेटल। स्वास्थ्य कारणसँ संस्थाक वर्तमान अध्यक्ष विजय बाबू आगू नहि बनल रहताह। मुदा ओ अपन अभूतपूर्व अनुभवसँ संस्थाकेँ सदैव मार्गदर्शन करैत रहताह से जानकारी भेटल अछि। बेजाए सेहो नहि, संस्थाक निरोगी काया लेल समय समय पर निरीक्षण, परीक्षण करबाके चाहि, नहि तँ संस्थाक मुखियाक एकाधिकार आ स्वार्थी सोचकें कारण  मिथिलाक कतेको प्रतिष्ठित संस्था कालकल्पित भए गेलाह आ कतेको होयबाक द्वारि पर ठाड़ अछि।

तँ मिथिलाक अहि पुरान आ प्रतिष्ठित संस्थाक अगिला अध्यक्ष केS बनताह? ई एकटा पैघ सबाल अछि। बहुत रास नाम सेहो सोझामे आएल, जनिकर नाम हम नीचामे देमय जा रहल छी।
सभसँ पहिल नाम अछि आदरणीय कैलाश कुमार मिश्र दोसर नाम भवेश नंदन झा तेसर नाम डॉ पवन कुमार झा चारिम नाम पवन सिंह यादव संगहि सँग अमरनाथ झा, विद्यानंद ठाकुर आदि इत्यादि आ की कियो आओर? ओ तँ चुनाव उपरांत जानकारी भेटीए जाएत मुदा अध्यक्ष जे कियो बनथि, ओ एहन होय जे मिथिलाक एकएक टा जिलाकेँ प्रतिनिधित्व करथि। एकएक टा जिलाक भाषायी टोनकेँ सम्मान करथि। सब जिलासँ मिथिला विभूति होय। सब जिलासँ मैथिली रत्न भेटय। सब ठामक कलाकार, बोली साहित्यकेँ सम्मान होय।

सभसँ पहिने आगामी 14 जुलाई कए अखिल भारतीय मिथिला संघक चुनाव लोकतांत्रिक तरीकासँ होय, आ दूधकेँ दूध आ पानिकेँ पानि सोझामे आबय। परिवारवाद, जातिवाद आ क्षेत्रवादसँ मिथिला संघ मुक्ति पाबि सकय, से अध्यक्षे टा नहि उपाध्यक्ष, कोषाध्यक्ष, महासचिव, सचिव सँ लSक संतुलित कार्यकारिणी बनय। एकटा एहन संस्थाक पुनर्जन्म होय जनिकर संदेश मात्रसँ समस्त मिथिलामे एकताक लहरि दौड़ पड़य। जाहिसँ समस्त मिथिलामे बिना कोनो संशय वा सबालकें आगामी जनगणनामे अपन मातृभाषा मैथिली गर्वसँ लिखाब लागय।

मिथिला मैथिली संस्था पर एखन धरि विभिन्न तरहक आरोप लगैत रहल अछि। ओ चाहे झा झा एक्सप्रेस बला होय वा मधुबनी दरिभंगा बला होय। ओहिसँ त्रस्त तँ अछिए मिथिला बाकी अभ्यस्त सेहो अछि। आ कखनो कखनो पछवा बहैए मच्छड़ कटैए केँ धुन पर मस्त सेहो अछि। मुदा मी'त जँ दिलसँ पूछी त' अहि सभसँ मिथिला आ मैथिली लगातार भए रहल पस्त अछि। अहिठाम रोटी महग आ खून सस्त अछि। आगामी 14 जुलाई कए अवसर जबरदस्त अछि।

अखिल भारतीय मिथिला संघक चुनावमे एकटा उदाहरण प्रस्तुत करी, आ विजय चन्द्र झा एहन संस्थाक समर्पित कर्मठ अनुभवी अध्यक्षकेँ संरक्षण मंडलक परामर्श मंडलमे राखि संस्थाक गौरवशाली इतिहासकेँ संरक्षित करी। अहि आसाक सँग समस्त भावी उमीदवारकेँ हमर हार्दिक शुभकामना। एखन बस एतबे, हम रामबाबू मंडी हाउस, नई दिल्लीसँ।

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment