Latest News

Thursday, June 20, 2019

योग दिवस

एकटा समृद्धशाली शक्तिशाली देशक संरचनामे एकएक टा राज्यक भूमिका अहम मानल जाएत अछि। देश कोनो एक व्यक्ति समूहक नाम नहि एकर निर्माण छोट छोट प्रदेशकेँ जोड़ि कS होयत अछि। स्वस्थ प्रदेश बिना स्वस्थ देशक परिकल्पना ठीक तहिना जेना स्वस्थ अंग बिना देहक परिकल्पना अछि।रोगग्रस्त अंग सँ निरोगी कायाक कल्पना करब मूर्खता अछि।

दुर्भाग्यक गप्प जे प्रदेशमे देशक भविष्य तड़पि तड़पि कS दम तोड़ि रहल अछि आ देश आ प्रदेशक मुखिया अलमस्त अपन अपन दुनियामे व्यस्त अछि। योग दिवसक धमगज्जरि सगरो दिसि मचल अछि। जेकरा योगक "यो" नहि बुझल सेहो आजुक दिन योग पर प्रवचन दैत भेट जाएत। योग सँ देश निरोग बनय से किएक नहि कियो चाहत मुदा केवल देखाबटी लेल देशक करोड़ो रुपैया एकदिनमे फुकि देब बताहपन अछि। सालमे एक दिनक योगक घुट्टी देलासँ जँ देश निरोग भए जाए तँ एहन हसीन सपना देखनिहारकेँ हमर कोटिशः नमन अछि।

हमर मन मुज्जफरपुरमे राजीनीति घिचाघिचि सँ भए रहल सामूहिक बाल हत्या पर बेकल अछि। एहन आपातकाल परिस्थितिमे डिजिटल इंडियाक डिजिटल मुखियाकेँ मौन धारण करब अन्तर्मनकेँ झकझोरि रहल अछि। जँ ई घटना गुजरातमे भेल रहितैक की तखनो साहेब अहिना चुप्प रहतथि? कदापि नहि।

मुदा डपोरशंखी सब ई कहैत भेट जाएत जे साहब मनेमन गहन चिंतन मनन कS कोनो पैघ योजना बना रहल छथि कनि थमहु फेर देखबैन्हि! हौ वंश कुरिहरि तोरे सब सनक लोकक अंतर्मनकेँ पढ़िकS फकरा बनाएल गेल हेतैक जे "रहा न कुल में रोबनहारा"।

समस्त देशवासीकेँ निरोग होयबाक शुभकामना सँग योग दिवस पर असमय काल कल्पित भेल तमाम नौनिहालकेँ अश्रुपूर्ण श्रधांजलि😢😢

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment