Latest News

Sunday, June 16, 2019

||√|| व्याधिग्रस्त बुधि ||√||

की हम फूसि बजैत छी
रावण आ कंश सनक कुसंस्कारी अहंकारी
अपन वर्चस्व काएम करबा लेल केवल
आमजनक अंतर्भावकेँ ठेंगा पर राखि
सत्ताक भोग विलास आ विस्तार लेल
सदैव भाँटा मुरई जकाँ छकरैत रहल अछि।

दास आ खबासक कोन चॉइस
स्वाभिमानकेँ अपनहिसँ पहिने श्राद्ध करैछ आ
अपन आराध्यकेँ चालि चरित्र चेहरा जनितहुँ
विचारशून्य भेल व्याधिग्रस्त बुधिसँ
चारु पहर झालि मृदंग सँग कीर्तन कए
अरदासमे अन्हराएल बेसुध भेल
बिसरि चुकल अछि अप्पन वॉइस।

मायावीक मोहपाशमे जकड़ल मनोरोगी
मुदित अछि देशक सँग मसखरीमे
देशक दुर्भाग्य जे हत्या ब्लात्कार आ अप्राकृतिक मृत्युसँ
हाक्रोस करैत अछि यूपी बिहारक लोक
आ बताह जकाँ भनभनाएयत भकचोंहर सब
सिटी ऑफ जॉय नाम सँ प्रसिद्ध क्लकत्ताकें
सिटी ऑफ सॉरो बनएबाक तैयारी कS रहल अछि।

श्मशानक अड्डा बनल अछि बिहारक मुज्जफरपुर
जतय एक एक कS सुन्न कए रहल अछि मायक गोद
ताहि सँग सुन्न देखल जा रहल अछि सत्ताधारिक संवेदना
अस्पताल जरूर ठाड़ छैक मुदा डॉक्टर आ दवाई लापता
भविष्यक कतेको अभिनंदन
रोगग्रस्त सरकारी व्यवस्थाक सिकार भए दम तोड देलक
आ एखनहु लगातार तोड़ि रहल अछि।

#सेव_चाइल्ड
रामबाबू सिंह मिथिला
१६.०६.२०१९

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment