Writen by
Rambabu
10:26 PM
-
0
Comments
मिथिलाक अनुपम माटि पर
पड़लै जखन अकाल ।
चिड़ै चुनमुन जरय लागल,
मनुक्खक हाल बेहाल ।
पुण्यउर्वरा केर तट तखने,
राजा जनक भेला हरबाह ।
प्रजा जनक कल्याणक खातिर,
भेलनि मनमे हुनका परबाह ।
हर चलबिते धरतीसँ,
माँ जानकी लेलनि अवतार ।
धन्य भेल भूमि मिथिला केर,
चहुँदिस गूँजल जय जयकार ।
जानकी नवमीक मंगलकामना ।

No comments
Post a Comment