Latest News

Thursday, April 25, 2019

||√★√|| नेता आ कुत्ता ||√★√||

अजुका भारतक नेता अपन कार्य स्थल घर दलानमे
प्रेरणात्मक फोटू भले टँगने रहैत अछि
अपन अपन विचारधारानुकुल
नेहरू गांधी पटेल शास्त्री आदि महान व्यक्तित्वक
परञ्च हाव भाव स्वभाव आ सँस्कारमे
कुकुड़पनक प्रभाव बेस देखल जाएत अछि।

एक दोसरक पर्यायवाची आ दुनु अवसरवादी
अपन पेटक जोगार वा निज स्वार्थपूर्ति हेतु
ओ जनैत अछि
कखन द्वारे द्वारि नांगड़ि डोलएबाक अछि
आ कखन वर्चस्व स्थापित हेतु भौंक कS डेरएबाक अछि
आ पेट भरि गेलाक बाद कखन ओकरे पर हमलावर भए
काटि खएबाक अछि।

दुनु अपन अपन सीमानमे
एक दोसरकेँ फुटली आँखि नहि सोहायत अछि
शेरक कोनो सीमान नहि मुदा कुकुड़क सीमान निर्धारित होइछ
तेँ दोसरकेँ अपन सीमान दिसि देखितहि एक दोसर पर
भौंकब शुरू कS दैत अछि
आ फेर कुकुड़क झुण्ड बना घात-प्रतिघात कS
सीमा विस्तार हेतु
खूनी खेल धरि रचैत अछि, खेलैत अछि।

नेता आ कुत्ताकेँ लSक
मनुक्खक बीच आब कोनो द्वन्द्व नहि रहि गेल अछि
कुकुड़ अजुका भारतमे नेतासँ बेसी सम्मानित अछि
एकबेर कुत्ताकेँ घरक चौकीदार मानि निचेन भS सकैत अछि
परञ्च नेताक प्रजाति पर किन्नहुँ नहि
सीमा विस्तार हेतु स्वयं विष्ठापान आ
दोसरकेँ विषपान सेहो करा सकैए।

जयमिथिला || जयमैथिली || जयजय मिथिलाक्षर ||
२५.०४.२०१९

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment