Latest News

Friday, April 19, 2019

||■|| इंडिया शाइनिंग पार्ट 2 ||■||

ढेलमाउंस सँ ढेला फेकSमे निपुण फेकना
अपन दोस ठकना सँग गठजोड़ कS
कहिया नटवरलालक बाप बनि गेल
से जानि नहि मुदा
आब चलि रहल छैक ओकर सभकेँ
अपन जातिमे, समाजमे
ओ जीवी रहलैए लोकक आवाजमे
अलमस्त अपन अहंकारी अंदाजमे।
घर परिवार समाजसँ बारल फेकना
चलैत फिरैत पढ़ैत लिखैत सिखैत
जीवनपर्यंत भारत भ्रमण करैत रहलाह आब
विदेश भ्रमण पर बेसी रहैत अछि
कोनो स्थायी स्कूली शिक्षाक प्रमाण नहि मुदा
शिक्षाक सभ तरहक डिग्री धारी छथि
तकर ओ स्वयं प्रमाणित करैत अछि।
भाषणकलाक महान कलाकार
फूसि फटक गप्प बेसीर पएरक विषय पर
हाथ भाँजि कS जोर जोरसँ चिकरैत
अपना दिसि घिचिबाक प्रयासमे
लोककेँ खूब मनोरंजन करैत अछि।
ओम्हर सफाचट्ट चानि आ
अनैतिक जोड़तोड़केँ कारण ठकना आब
स्वयंकेँ चाणक्य आ फेकना सिकंदर मानि
इंडिया शाइनिंग पार्ट 2 दिसि अग्रसर अछि।
जयहिंद || जयभारत ||
जयमिथिला |★| जयमैथिली |★| जयजय मिथिलाक्षर |★|
रामबाबू सिंह मिथिला
२०.०४.२०१९
« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment