Latest News

Monday, October 17, 2016

मिथिलाक उपेक्षा बिहार सरकारक संकेत

मिथिलाक उपेक्षा बिहार सरकारक संकेत

बिहार सरकारक कला संस्कृति एवं युवा विभाग 18 अक्टूबर 2016 सँ लSक 17 अक्टूबर 2017 धरि बिहार कला दिवसक रुपे मनेबाक घोषणा कएलाह संगहि 18 अक्टूबर कला दिवसक रूप में जानल जाएत।

कलाक क्षेत्र में पुरस्कारक घोषणा सेहो भ गेल जाहि में "मिथिला मखान" जेकाँ सम्मानित राष्ट्रीय पुरस्कृत फिल्म के सेहो स्थान नहि भेट सकलहि। बूझि सकैए छी जे कतेक कठिन चुनौती छैक बिहार सँग मिथिलाक कलाकारक? बिहार हमरा सभके लेल कुकुर समान छथि जे मात्र जाति पाति सँ देसी पाउच किछु सए नॉट पर एक दोसर सँ लड़बैत रहैत अछि।

हमरा सभ फुसिये केर छाती पिट्य छी? ओ सभ स्वयं हताश निराश विचार शून्य बौद्धिक शून्य चेतना विहीन आर मिथिलाक लेल अभिशाप अछि, ते ओकरा सँ कोन आशा आ किएक? अभिशप्त लोक सँ मिथिलाक लेल नीक काजक अपेक्षा करब मूर्खता थिक?

कारण मिथिलाक कलाकार सँ ओकरा कोन लाभ? आ जँ लाभ नहि तखन ओ कियैक 21 लाख पुरस्कार राशि बंटताह? देबाल में कपार मारला सँ अपने नोकसान करब। ओकर स्प्ष्ट संकेत अछि जे अपन सीमानक लोक मात्र हमर अप्पन अछि बाकि कियो कतबो बड़का सम्मानित होइथ हमरा लेल कोनो महत्व नहि?

बलौं सँ हल्ला कएने छी ? अहाँ सभ पहिने विकासक काज पर ध्यान लागाऊ, विकास हेतै तखन पाय आउतै फेर मिथिलाक सम्मान सेहो भेटतै? तेँ विकास करू चाहे कागजक पन्ना पर करू, चाहे मोहल्ला सभ जाकय करू, बाट घाट फोटो घिंचबाकय करु? लोक में चेहरा अएबाक चाहि? आई काल्हि एकरे विकास कहैत छैक ते छोड़ू पुरस्कार तुरस्कार कसि कय पकरि कय राखु विकासक डोर, छोड़ब नहि?

विकास हेतै पहिने फेर राज्य भेटैए आ नहि ओ फराक मुद्दा छैक? ओ दोसरक मुद्दा छैक जाहि में अहाँ सभ के कोन लाभ? आ जँ कोनो लाभे नहि हएत तखन हम अपन माथ किएक खराप करब? अवसर जँ भेटल तँ भांगट जरूर करबाक प्रयास करब?

मिथिला राज्यक संघर्ष बिहार सरकार सँ बाद में हेतै पहिने अपनहि में जबरदस्त होमय के आसार देखा रहल अछि आ वाकयुद्ध तँ चलिए रहल अछि। सभ कियो स्वयं में महान आ सर्वगुणी बुझय छथि आ दोसर के निचा कोना खसैल जाए से प्राथमिकता रहैत छनि।

माँ जानकी जरूर सबहक क्रिया कलाप देख रहल छथिन। ओ स्वयं अहि अभियानक सूत्रपात छथिन तकर जरूर ध्यान राखि। हमर प्रार्थना मैया सँ जे पथभ्रष्ट मिथिलाक पूत सबहक मार्गदर्शन करथि। हिनका सभके सद्बुद्धि दैथि।

पृथ्कमिथिलाराज्य
जयमिरानिसे जयमिथिला जयजानकी

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment