Writen by
Rambabu
6:43 AM
-
0
Comments
अन्तर्राष्ट्रीय योग दिवस पर स्वस्थ बालिका-स्वस्थ समाज पर भेल परिसंबाद वास्तव में सराहनीय रहल। सत्ते बात छै स्वस्थ समाजक निर्माण स्वस्थ मानसिकता सँ शुरू हएत। जा धरि हमरा सबहक स्त्री के प्रति मानसिकता नहि बदलत ता धरि स्वस्थ समाज के परिकल्पना बेईमानी रहत। एकर प्रारम्भ अपन घरे सँ करय पड़त किएक त घर में एखनहुँ बेटा आउर बेटी में बिभेद देखल जा रहल अछि। बेटी के प्रति बेटा जेकाँ लाड़ दुलार बहुत कम देखल जएत अछि। संस्कार लेल बेटी पर दबाब दैत अछि मुदा बेटा के आजादी ओकर पोषण , शिक्षा, स्वस्थ जेका मुलभुत सुविधा पर सेहो गम्भीर नहि रहैछ । सबसँ पहिने एहन मानसिकता के बदलबाक जरुरी छैक। बहुत निक निक आ प्रसिद्ध वक्ता सब छलाह जे स्वस्थ भारत अभियान आ बेटी बचाओ बेटी पढ़ाओ अभियान सँ जुड़ल छलाह।
एतय हम किछ चर्चित व्यक्तिक चर्चा जरूर करय चाहब जेना स्वस्थ भारत ट्रस्ट के साथ स्वस्थ भारत अभियान के ब्रांड एम्बेसेडर एवरेस्ट विजेता आ साइकिलिस्ट डॉ नरेन्दर कुमार सिंह के स्वस्थ भारत के लेल योग सँग निरोग समाजक निर्माण पर अपन वक्तव्य। संगहि अपन जिनगीक अनुभव सेहो ईमानदारी सँ साझा कएलाह कि कोना एवरेस्ट विजय अभियान के सहभागी आ विजेता बनि देशक मान सम्मान बढ़ेलाह। हिनकर अनुभव सबहक लेल उत्साहवर्धक आ प्रेरनात्मक रहल। किछू देर सँग होयबाक हमरो अवसर भेटल आ भविष्यक कार्यक्रम पर सेहो चर्चा कएलाह।

तत्पश्चात बहुते रास वक्ता लोक अपन अपन विचार रखलाह जाहि में एकगोट आर चर्चित चेहरा जेना लोकसंगीत गायिका आ पद्मभूषण विजेता मालिनी अवस्थी जी अपन बेटी अनन्या अवस्थी आ संगहि सास ससुर सँग अहि कार्यक्रम में सहभागी छलिह। बहुत निक जेकाँ अपन तिन पीढ़ीक अनुभव केर साझा कय सबहक लेल चर्चा के जीवनोपयोगी बनेलिह।
आखिरी में स्वस्थ बालिका-स्वस्थ समाज परिसंबाद के संयोजक भाई आशुतोष कुमार सिंह जी केर हार्दिक शभ कामना। योग सँग निरोगी जीवन के लेल परिचर्चा वास्तव में उपयोगी रहल।
No comments
Post a Comment