अच्छे दिनक आश में देशक जनता टकटकी लगेने छथि मुदा चारु दिशा सँ एखन धरि कोनो निक आशापूर्ति के संकेत नहि देखल जा रहल अछि। ओना राजनीति बड़का गूढ़ विषय थिक। सर्वसाधारण वर्ग के लेल मृगतृष्णा जेकाँ छैक जे जतेक लग सँ बुझबाक प्रयास करब ओतेबा दूर चलि जएत। चलु किछ वरख पहिने के लोकसभा चुनावक स्मृति में जाऊ आ देखु कि समस्त देश में परिवर्तन के लेल कोना हवा तैयार कएल गेल ? सत्ताधारी दल के विरुद्ध कोना लहर चौतरफा फैलाएल गेल। ओना देश के भ्रष्टाचार के दलदल सँ बचेबा लेल सत्ता परिवर्तन बहुत जरुरी छल। अहुना बेसी दिन एकाधिकार कोनो दल के नहि होबाक चाहि नै त प्रजातन्त्र कम राजतन्त्र बेसी बुझयत।
मोदी जी के केन्द्रीय सत्ता के सिंघासन धरि पहुँचबाक लेल पहिने हिनका जबरदस्त तरीका सँ लॉन्च कएल गेल। देशक चौथा स्तम्भ मिडिया हिनकर भोर सँ लक राति धरि गुणगान करैत कनिको नै अघायत छल। भोरक चरणवन्दना सँ लक रात्रिके आरती धरि आ मध्य में हिनकर बाल लीला सेहो वर्णन करैत छलाह। कखनो अवतार पुरुष, महान सन्त त कखनो सनातन विवेकानन्द जी सँ तुलना होयत छलनि। हिनकर पठ कथा लेखक सलीम जाबेद भ सकैए किएक त सब किछ स्क्रिप्टेड जेकाँ बुझायत छल। जेना 3 घन्टा के फ़िल्म समाज पर कोना अपन पैघ छाप छोड़ि दैत छैक ? तहिना मोदी जी किछुए दिनक प्रचार में स्वयं के सुपर स्टार साबित कय देलाह। हिनकर भाषा शैली लोक के खूब प्रभावित कएलक आ फेर परिणाम जे अएल ओ स्वयं बीजेपी आ सत्ताधारी दल दुनु के चौंहिआ देलक। लोकतन्त्र के इतिहास में पहिल बेर लोकसभा में बीजेपी के सम्पूर्ण देश सँ समर्थन भेटलनि जतय सत्ताधारी दल कोंग्रेस के सेहो इतिहास में पहिल बेर सबसं निचला स्तर यानि की 44 सिट पर संतोष करय पड़लनि।
राजिन्दर कुमार अपन सुपुत्र कुमार गौरव के संग फ़िल्म "लव स्टोरी" में पहिल बेर खूब धमाका संग लॉन्च कएलक। किछू दिन धरि जलबा त रहलनि मुदा जखन असल में कलाकारी के बारी अएल तखन लोक अस्वीकार कय देलनि आ फ्लॉप हीरो के सूचि में आबि गेलाह। कहानी वर्तमान परिदृश्य में किछू अहिना बुझना जएत अछि। सबटा अस्त्र शस्त्र में आब जेना जंग लागल जा रहल छनि। हिनकर बात के आब कियो भरोसा नहि कय रहल अछि आ परिणाम स्वरूप एक के बाद एक विधान सभा चुनाव में लज्जित करय बाला हार भेल जायत छनि। देखल जाए तखन शुरुआत में अपन शपथ ग्रहण समारोह में सार्क देशक राष्ट्राध्यक्ष के न्योता देलनि जेकर वैश्विक स्तर पर खूब सराहल गेल फेर विदेश भ्रमण में रॉक स्टार जेकाँ कार्यक्रम सेहो खूब सराहल गेल। मुदा वैश्विक स्तर पर आर्थिक निवेश जे आशा छल एकदम नहि अएल। अपन देशक चौथा स्तम्भ मिडिया सेहो सरकारी मिडिया जेकाँ अप्रत्यक्ष रूपेँ प्रधान मंत्री के टूर के समाज में फ़िल्मी एक्सन आ रॉकस्टार जेकाँ परोसि रहैत छलाह।
मुदा आब एकर प्रतिकूल असर देख में आब लागल जखन धरायल पर विशेष किछू प्रत्यक्षतः नै देखल गेल। लोकक धैर्य जबाब देब लागल की अतेक जे हवाई किला बनाएल गेल छल कि सब के सब फूसिए छल ? विदेश निति सेहो कमजोर जेकाँ देखल गेल। नेपाल रहि रहि कय आँखि देखा रहल अछि। पाकिस्तान संग रिस्ता सूधरइ के स्थान पर आरो ख़राब भ गेल। मोदी जी औचक यात्रा सेहो कएलाह जकर प्रशंसा देश विदेश में खूब भेल मुदा किछुए दिनक बाद पाकिस्तान के द्वारा आदतन पठानकोटक घटना भ गेल जाहि में कतेको सेनाक जवान शहीद भ गेल। पाकिस्तान के सबटा सबूत देल गेल मुदा आतंकी के आका पर कोनो ठोस करवाई नहि उलटे हमरा अहिठाम आबि हमर एयर बेस में घुसि हमला के लेल जाँच करय लेल अएल आ रिपोर्ट देलक कि अहि घटना में एहन कोनो चीज नहि भेटल जाहि सँ पाकिस्तान के हाथ होयबाक शंका होय। सब मोर्चा पर फेल भेल वर्तमान सरकार बस कागज आर सोसल मिडिया पर अपन मजबूत पकड़ बनेने छथि जहिना पहिने बनेने छल आ एखनहुँ बनेबाक प्रयासरत छथि।
यौ विकास कत सुति गेलाह जेकर ध्वनि समस्त देशवासी के कान फाड़ने रहए छल। सबटा समस्याक एकहि टा मात्र रामवाण औषधि कहैत छलाह "विकास" मुदा जखन कुर्सी भेट गेलन्हि तखन विकास के हनीमून धरि सँग रखलाक बाद आब कोनो दूर खूँटी में खुटेस देलखिन। अहिठाम लोकक स्मृति सेहो बड़ खराब छै, "विकास" के बिसरि देलाह जेना कि हम सब धरातल पर विकास कय लेलहुँ। विकास जरूर भेल मुदा समाज में द्वेष भाव जातिवाद वर्णवाद अगड़ा पिछड़ा गाय बछड़ा हिन्दू मुसलमान आ पहिल बेर देशक भविष्य छात्र छात्राक सँग मनभेद। की यौ हम सब एहने विकासक लेल हिनका भोट देने छलिऐ ? विकास त भेल मुदा विपरीत आ दिशाहीन जतय लोक एक दोसर के देशभक्त आ गद्दार बुझ लागलखिन्ह। जेकरा जतय देखु देशभक्ति देखाब लागल जेना कानून प्रशासन सब किछ चौपट भ गेल हुए। सबाल ई अछि कि हमरा अहि सँ भेटल की ? अविश्वास के वातावरण में देश कोना निक जेकाँ ठाड़ भ सकैए ? की हमरा सभक असल समस्या जे गरीबी, दयनीय किसान, मजदूर, चौपट भेल व्यवसाय, भुखमरी, बेरोजगारी अशिक्षा, आर्थिक स्थित, रुपैयाक स्थिति जे डॉलर के समक्ष रसातल में जा रहल अछि आ ताहू सँ पैघ एखन समस्या सुखार जाहि सँ जन जीवन अस्त व्यस्त भेल अछि लगभग डेढ़ लाख गाम पानि के लेल त्राहि त्राहि कय रहल छथि से सब समाधान भ गेल ? मुदा सरकार अहि दिशा में ईमादारी सँ कम आ राजनीति बेसी कय रहल छथि। जन जन सँ सरोकार राखय बाला असली मुद्दा के झाँप लेल आलतू फ़ालतू के मुद्दा खूब प्रचार प्रसार कय रहल छथि ।
मुदा लोक सब आब बुधियार भ गेल अछि तकर परिणाम विधान सभा के चुनाव में देखल जा रहल अछि, आ जँ सरकार अहिना चलैत रहताह तखन एहने परिणाम के आशा आगा सेहो चलैत रहत। स्वस्थ सरकारे मात्र देश में स्वस्थ वातावरण प्रदान कय सकैए तें हिनका सँ आग्रह अपन लक्ष्य जे विकास छलनि ओकरा पकरि कय राखथि, देशक दिशा आर दशा दुनु एक दिन निश्चित बदलि जएत। हमर भरोसा अछि। माँ भगवती अपन कृपा दृष्टि बनेने रहथि। जय माँ जानकी।
No comments
Post a Comment