Latest News

Tuesday, May 31, 2016

बिहार: 12th परीक्षा परिणाम बिहार टोपर के नाम पर कलंक; टोपर नै सब गोबरक चोथ अछि।

काल्हि खन बिहार के बारहवीं क्लास में सर्वोच्च स्थान प्राप्त कएनिहार के टीवी पर रिपोर्ट देखि रहल छलहुँ। जँ रिपोर्टर होइतहुँ तखन हिनका सभके शुभकामना स्वरूप दू दू चमेटा पहिने लगैतहुँ फेर कॉलेज प्रशासन पर देशक भविष्य के सँग मजाक करबाक लेल गदहा पर बैसाक कय मुह पर कालिख पोति गामे गामे फेरी लगैबतहुँ। मुदा अफ़सोच अछि ई सब सम्भव नहि छैक लेकिन शिक्षा के नाम पर बिहार के सँग गन्दा मजाक देखिकय करू कि कुपित छी दुखी छी,मोन जहर जेकाँ भ गेल अछि।

विशुन राय कॉलेज एहन ओछ काज के लेल पछिला साल सेहो अपन पहचान बनेने छल जाहि लक परिणाम के रोकि देने छल मुदा अहि बेर त गजबे कय देलक, कहू जे आर्ट के टोपर अछि ओकरा अपना विषय धरि के बारे में ज्ञान नै छनि? पोलिटिकल साइंस के पोडिकल साइंस कहलखिन आ दोसर सबाल कि की पढाई कएलहुँ ? तखन कहैए छथिन खाना बनाब के बारे में,आब कहू की ई पूरा बिहार के नाम माटि में फेंट देलक की नै? नाक कटबा देलक ई छुतहर सब ? साइंस के टोपर सेहो फुस निकलालाह। हिनकर माय बाप के सेहो बूझक चाहि के विद्यार्थी के मार्क शीट कहिया धरि के याद राखै छैक? याद मात्र ओकर ज्ञान आ आत्म विश्वास छैक जे जिनगी भरि लोकक स्मृति में रहैत अछि।

नीतिश जी अपन दारूए के लक जतय ततय बौरा रहल छथि। हिनका अपन राज्य में ई सब आफद नै देखाय दैत छनि। दारु की भेट गेलनि बुझै छथिन 2019 धरि चाँद पर चलि जएब, मुदा बुझा रहल अछि जे परिस्थिति बनि रहल छै कहिं एकटा लोकोक्ति छै ने कि "चौबे गेलाह छब्बे होम दुबे भ कय अएलाह"। आ जँ एहने स्थित रहि गेल मतलब नितीश जी दारू बोतल लक बौआइत रहत इमहर ओम्हर तखन धोबी के गदहा नै घर के नै घाट के रहताह से निश्चित बुझु।

एकटा बात आर कह चाहब की एकरा सब के लेल वास्तव में हम सब जिम्मेदार छी। हम कालिदास जेकाँ अपने बैसल ठाड़ के कुल्हारी सँ काटि रहल छी, अपने हाथ सँ अपन बच्चाक भविष्य के गला घोइंटि रहल छी? लग्गी सँ घास खुएब से नहि हएत, सबके आगु आब पड़त आ लालू यादव के नजदीकी विशुन राय कॉलेज के संस्थापक बच्चन राय के खिलाफ आवाज बुलन्द करय पड़त। कारण बिहार में शिक्षा के नाम पर जनमानस के ठकबाक इतिहास बहुत पुरान अछि आ अहि सँ जे वास्तव में निक निष्ठावान बुद्धिमान छात्र थिक हुनका लोकनि के समस्या बढ़ि रहल अछि। निक लोक के आगु बढ़य पड़त , एखन अनपढ़ मूढ़ लोकक सरकार में चारु कात बोलबाला अछि, देश में सबस बेसी एखन शोषण छात्र संग भ रहल अछि जे भविष्य के लेल शुभ संकेत कदापि नहि भ सकए?

एखनहुँ ध्यान दियौ की जँ किछ बेसी नै त एहन गलत काज जे भविष्य पर प्रभावित करय बाला अछि, ओकरा सकारात्मक रुपे प्रतिकार करू। जय मैथिल जय मिथिला जय जय मैथिली।
« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment