Writen by
Rambabu
3:05 AM
-
0
Comments
होली के हार्दिक शुभ कामना
मिथिलांचल में रहनिहार/रहनिहारि सब के हमरा तरफ स होली के हार्दिक शुभ कामना, बधाई। जीवन के प्रत्येक क्षण रंगारंग संगहि स्वस्थ मस्त चुस्त दुरुस्त रहय। हमर अशेष अभिलाषा अछि। पाबनि त्यौहार में जे आंतरिक ख़ुशी निज माटि पानि स भेटत छै से परदेश में सम्भव नै। होली जेकाँ त्यौहार में सेहो अहिठाम लोग परोसी तक स डेरायते होली मनबैत छथि कारण रहय छी एकहि ठाम मुदा आत्मीयता जेका मधुर सम्बन्ध नै। एकहि छत के निचा रहैत मुदा कोनो तरहक सुख आ दुःख में सहभागी नै।
गामक होली सर्वोत्तम होली
ई सब अर्थयुग के विडम्बना छै कि लोग आँखि मुनि मृग तृष्णा जेका भागल जा रहल अछि छुटि जायत छन्हि जनिका वास्तव में सहेज क राखक चाहि। मुदा की करबै पेटक सबाल छै, नै त कियो अपन घर परिवार समाज स दूर नै जाय चाहै छै। चलु आई किछ स्वयं के बारे में बात करै छी। हमर गाम "राज राजेश्वरी डोकहर स्थान" स लगभग 2 किलोमीटर दक्षिण "मधेपुर" अछि आ ननिहाल डोकहर स्थान स लगभग बराबर दुरी पर पश्चिम में बहरबन बेलाही भेल। भगवती स्थानक चर्चा करबाक प्रयोजन अछि की धियापुता स लक एखन धरि ज गाम जायत छी त दर्शन जरूर करै छी। दोसर बात डोकहर स्थानक महा शिवरात्रि दूर दूर धरि प्रसिद्ध अछि आ होली के रंग के विधिवत शुरुआत सेहो महाशिव रात्रि स शुरू भ जायत अछि। शिवरात्रि दिन हम सब खूब रंग गुलाल खेलाइत छलहुँ आ एखनो सब खेलैत छथि।
फगुआ गीतक आनंद
गाम में राति क प्रतिदिन फगुआ गीत होयत छल । हम डमफा बजबैत छलहुँ ते साँझ होयत, लोग हल्ला कर आबि जायत छल। गामक होलिक प्रसंग स्मृति परदेश में स्वतः आबि जायत अछि । आई के दिन अपने लोकनि स साझा कयलाक पश्चात मोन हर्षित भ रहल अछि।
स्मृति पटल पर होलिक हुड़दंग, खेलु मुदा प्रेम स
मुदा होलिक हुड़दंग ठिठोली सहजता आ स्वेक्षा स खेलु। हर्षोल्लाश आ सतरंगी पाबनि में एकटा विशेष बात के ध्यान राखु की किनको संग जबरदस्ती नै होबक चाहि। प्राकृतिक रंग गुलाल स होलिक आनन्द समाज में स्वस्थ वातावरण भाईचारा प्रेम आर बढ़त ते आग्रह अछि होली खेलु जैम क खेलु मुदा किनको आत्मा के ठेंस नै पहुंचे एकर विशेस ध्यान राखु।
जय राज राजेश्वरी भगवान भोले शंकर की
जय राज राजेश्वरी भगवान भोले शंकर की
No comments
Post a Comment