Latest News

Saturday, March 5, 2016

मधेपुर: चैती दुर्गा पूजा अनुष्ठान के नवम साल संगहि उमंग आर उत्साह के साल।

चैती दुर्गापूजा के उद्देश्य में ग्रामीण बैठक

किछू दिन पहिने गाम में  दुर्गापूजा के सम्बंधित एक गोट बैठक भेल छल। ग्रामीण स्तर पर ऐ बेर आन बेरक अपेक्षा कने बेसी उत्साह देखल जा रहल अछि। पूजा निक जेकाँ कोन तरहे कयल जाए ताहि हेतु विचार विमर्श कयलाह संगहि ग्रामीण लोकैन अपन अपन सुझाव देलन्हि ? बहुउद्देशीय परिचर्चा में पूजा के लेल किछ साटा सेहो बनाएल गेल मुदा एखन विस्तार में जानकारी नै अछि।

दिल्ली मीटिंग में लेल गेल संकल्प पूर्ण करबाक

पोस्ट लिखबाक उद्देश्य ई अछि की समय आब सामने आबि गेल बुझु ते सब कियो परिश्रम करू अपन अपन क्षेत्र में आ बेसी स बेसी सदस्य के जोडूं । संगहि पूजा केर चन्दा यथासम्भव अग्रिम जमा कराउ आर दान राशि सेहो आन बेरक अपेक्षा ऐ बेर बढ़ा क राखु किएक त पूजाक संग मन्दिर निर्माण काज सेहो करबाक अछि जेकर हमरा सभ दिल्ली मीटिंग में निर्णय ल चुकल छी।

अनुष्ठान केर नवम साल अछि,मुदा एखनहुँ नव बुझाइत अछि

हमरा सभक लेल सौभाग्यक बात अछि की चैती दुर्गापूजा अनुष्ठान के ई नवम साल अछि, मुदा एखनहु जेना कल्हिये के बात अछि तहिना बुझा रहल अछि। सब सदस्य में ऐ बेर बेर उमंग उत्साह देखल जा रहल अछि। आर ई सब माँ भगवतीक प्रसाद बूझि अपन उमंग के आर दुगुना कय जे संकल्पित कार्य अछि पूरा करबाक चेष्टा करक अछि ।

मतभेद मनभेद अहम के करू तिलांजलि, मिलजुलि कय सहभागी बनि पूण्य के भागि बनु

ई हमर आशा नै पूर्ण विश्वास अछि की अपन अपन व्यक्तिगत मनभेद आ मतभेद के तिलांजलि दैत, व्यक्तिगत अहम के विसर्जन करैत ऐ बेर पूजाक स्तर के सम्मानीय ऊँचाई पर पहुँचेबा में सब कियो सहभागी बनब। माँ भगवती अपने सब लोकैनि पर दया दृष्टि बनेने रहथि हमर अशेष अभिलाषा अछि। जय माता जी। अपने सभक विचार आ सुझाब के स्वागत रहत।

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment