Writen by
Rambabu
5:30 AM
-
0
Comments
चैत नवरात्रि पर्व के प्रारम्भ समय
अपने सबके सूचनार्थ हेतु एहि वर्ष चैत नावरात्रिक पवित्र पर्व 8 अप्रैल शुक्रवार स प्रारम्भ भ रहल अछि। 14 अप्रैल दुर्गाष्टमी आर 15 अप्रैल के दिन राम नवमी मनएल जएत। खेतिवारी ग्रामीण जीवन केर रीढ़ आर प्राणक रक्षा हेतु एहि ऋतू में खेत खलिहान में फसल सेहो आबि जायत अछि। फसल केर रखरखाव, व किट पतंग सब स रक्षाक हेतु, परिवार के सुखी व समृद्धि , दुःख, दरिद्र वा कष्ट स निदान हेतु प्रत्येक वर्गक लोक नौ दिन धरि विशेष साफ़ सुथड़ा व पवित्रताक महत्व दैत नौ देविक आराधना, हवनादि यज्ञ करैत छथि।
नवरात्रि पूजा ग्रामीण जीवन के लेल वरदान
यज्ञ कृयाक माध्यम स बारिस होयबाक सम्भावना सेहो बढ़ि जायत अछि, जे धन्य धान्य स परिपूर्ण आ अनेक प्रकारक संक्रमण बीमारी के अन्त करैत अछि। अपना सभक कर्मभूमिक लेल माँ दुर्गा जीक पूजा व अर्चना ठीक ओहिना लाभकारी बुझु जेना अन्हार में डूबल संसार के लेल भगवान सूर्यदेबक किरण।
तन मन धन सं पूजा अर्चनाक विशेष लाभ
नवरात्रि में नौ कन्या के पूजन कय श्रद्धा व सामर्थ्य केर अनुसार भोजन व दक्षिणा देबाक अत्यन्त शुभ व श्रेष्ठ मानल गेल अछि। एहि प्रकारे भक्तगण अपन शक्ति, धन,ऐश्वर्य व समृद्धि में बढ़ोतरी , दुःख दरिद्र स मुक्ति पयबाक हेतु सर्वशक्ति स्वरूपा माँ दुर्गाक पूजा-अर्चना कय जीवन सफल बना सकय छथि। जय माता जी। पछिला साल के किछू तस्वीर अपने सभक संग साझा करय जा रहल छी। माता रानी अपने सभक मनोरथ पूरा करथि । एक बेर फेर स बाजू जय माता जी ।
No comments
Post a Comment