Latest News

Monday, May 18, 2020

कोरोना प्राकृतिक नहि कृत्रिम वायरस अछि

कोरोना वायरसक सन्दर्भमे अमेरिकन राष्ट्रपतिक आशंका निराधार नहि रहनि। एहि वायरसक पसरबाक गुण धर्मकेँ लSक ओ चाइना पर शुरुएसँ आँगुर उठा रहल छलाह। चाइना अपन चतुराईसँ दुनियाक सभटा वैज्ञानिककेँ निशाचर चमगादड़क पाछाँ लगा देलक। विश्व स्वास्थ्य संगठन संस्था धरिक विश्वसनीयता संदेहक परिधिमे आबि गेल अछि आ तकर कएको प्रमाण सेहो देखल गेल।
नोबल पुरस्कार विजेता जापानक प्रो० डॉ टासुकू होंजो जनिकर शोधक्षेत्रमे चालीस सालक अनुभव छलनि संगहि सँग ओ ओहि लैबमे काज सेहो कएने छथि, हुनक स्पष्ट कहब छनि कि एहि महामारी वायरसकें लैबमे जनमाओल गेल अछि आ ओ छल प्रपंच कपटसँ दुनियाकेँ प्राकृतिक कहि भरमा रहल अछि। जँ यथार्थमे ई कुकर्मक पुष्टि भS जाएत अछि तँ विश्व विरादरीकेँ एकजुट भS चाइनाकेँ सबक सिखाएबाक चाही। आई समस्त विश्व त्रस्त एहि महामारीसँ बचबाक लेल पानि डेंगा रहल अछि। निदानक नाम पर अन्हारमे लाठी भांजि लड़बाक प्रयास कS रहल अछि।
अमेरिकामे मृतकक संख्या एखन धरि 52 हजारकेँ पार, इटली 26 हजारकेँ पास, स्पेन आ फ्रांस दुनु 22500 के पास एक दोसरकेँ पछाड़ैत लन्दनमे 20 हजार धरि पहुंच रहल अछि। कहबाक तातपर्य अछि जे एखन धरि 210 देश एहि संक्रमणसँ तबाह भेल अछि आ चुटी-पीपरी जकाँ चट पट मरैत अपन जनताकेँ देखि हक्कन नोर कानि रहल अछि। भारत देशमे एखन धरि 784 रोगी कालक ग्रास बनि चुकल अछि। देशमे रोगीक संख्या 25 हजार धरि पहुँचय बला अछि जाहिमे महाराष्ट्र 6817 रोगीक संख्या सँग पहिल स्थान, गुजरात सभकेँ पछाड़ैत 2815 रोगीक संख्या आ दिल्ली 2514 संख्याक सँग दोसर आ तेसर स्थान पकड़ने अछि। राजस्थान 2062 आ मध्यप्रदेश 1846 रोगीक सँग चारिम आ पाँचम स्थान पर काएम अछि।
स्थिति समूचा विश्वमे एखनहुँ भयाभह अछि। देशमे पहिल संक्रमण ग्रस्त राज्य केरल छल जे अपन सूझबूझसँ एहि महामारीसँ निपटबाक लेल देशक लेल अनुकरणीय काज कएलक अछि। रोगीकेँ सुधार होयबाक क्रममे दिल्ली 27% क सँग पहिल स्थान, 24%क सँग राजस्थान दोसर 11% क सँग मध्यप्रदेश तेसर आओर 9% क सँग गुजरात चारिम स्थान पर अछि। वायरससँ लड़बाक लेल तँ नहि मुदा बचबाक लेल केवल एकहि टा जोगार अछि जे मनुख सभसँ कटल रहूं, घरमे पड़ल रहू, खाएत पिबैत मस्त रहू। जँ प्राण बचि गेल तँ हरो फाड़ जोति गुजर कए लेब। सभ गोटेकेँ स्वस्थ रहबाक मंगलकमना करैत छी।
न्यूज़ कट साभार : Mahendra Narayan Ram
« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment