Latest News

Thursday, July 14, 2016

मिरानसे: मिथिला राज्य निर्माण सेना सन्दर्भ "पृथक मिथिला राज्य" के लेल अभियान !

"की थिक मिथिला आ के छथि मैथिल", ई प्रमुख सबाल अछि एखन जेकर स्पष्टीकरण अतिआवश्यक अछि? "मैथिल" के पतिभाषा अछि मिथिला में जनम लेनिहार उ कोनो जाति धर्म वर्ग के होथि मुदा मिथिलाक माटी पानि में चाहे हिन्दू मुसलमान सिख ईसाई कोनो धर्म सँ जुड़ल हुए सबकियो मैथिल छी।

"मिथिला" विदेह राज जनकक पुर्वजक यज्ञ भूमि ,जगत जननी जानकीक जन्मभूमि के नाम थिक। सभ वर्ण ,जाति एबं समस्त समाज मे महा विभूतिक प्रादुर्भाव एतय होइत रहल अछि | हिनका लोकनिक  ज्ञानमय , कर्ममय , साधनामय , कल्याणमय एबं मंगलमय आलोक सँ चेतना ,प्रेरणा तथा पथ प्रदर्शनक दान स्वरूप मानव जगत केँ लेल देल अछि | मिथिलाक पवित्र भूमिपर जते डेग चलब ततेक ऐतिहासिक, पुरातात्त्विक आ धार्मिक स्थल भेटि जायत। धार्मिको स्थलमे अधिकांश अपना मे इतिहास आ पुरातात्त्विक महत्वकेँ समेटने अछि।

आब "मिथिला राज्य किएक", मिथिलाक अप्पन समृद्ध भूगोल आ वैश्विक स्तर पर सम्मानित इतिहास अछि। मुदा बिहार सरकार मिथिला क्षेत्र के ओरहि सँ उपेक्षित करैत रहलाह। कहियौ बिहारक अंग नै बूझि मात्र राजनीती मजबूरी बूझि काज करैत रहलाह? सरकारी योजना के लाभ पहिने बिहार सँ शुरू करैछ आ जँ बचि गेल तखन इम्हरो सुंघा देल जएत मुदा मंशा सदिखन सौतेलापण रहैत छनि। एकहुटा विकासक कार्य योजना मिथिला में नै शुरू भेल आ नै निकट भविष्य में सम्भावना अछि। तखन बिहार सँ रहिए क कि करब मात्र बिहारी नामक गारि सुनब?

मैथिल के लेल सबसँ पहिने बिहारी ठप्पा हटेबा लेल,  अपन स्वाभिमान के रक्षा लेल, मातृभूमिक स्वराज्य के लेल, अप्पन पहचान के लेल एक बेर समस्त मैथिलजन एक मञ्च एक मत एक विचार एक संबिधान सँग संकल्प लिय कि आब छोड़S के नै अछि चाहे लड़S पड़त मुदा लSक रहब आजादी। बिहार सँ मुक्त मिथिला चाहि, हमर अप्पन मिथिला चाहि। आउ स्वाभिमानी मैथिल अन्तरात्मा के जगाउ आ सँग बाम दहिन लोक के मिरानसे के अभियान सँ जोड़ि माँ जानकी के सेना बनि मिथिला राज्य के संबैधानिक दर्जा लेल अपन तन मन धन सँ सहयोग करू। जय मिथिला जय हो मैथिल जय मास जानकी।

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment