MRNS पटना चिंतन शिविर में एकटा नव अवतार में देखल गेल। सर्वसम्मति सँ मिरानसे के नेतृत्व में पृथक राज्य के लेल बहुत सुखद सर्वमान्य विचार विमर्श भेल। चिंतन शिविर के दृश्य आ सहभागी सदस्य के स्वस्फूर्त मिरानसे में गजब के जोश भरि देल। अगिला कार्यक्रम के रुपरेखा आर हल्ला बोल अभियान के तहत गामे गाम मिरानसे के कार्यकर्ता बनेबाक निर्णय लेल गेल। जमीनी स्तर पर काज करबाक प्रस्ताव पर एकमुश्त सबहक मोहर लागल आ अपन अपन प्रखण्ड पँचायत जिला में जाकय मिरानसे के झन्डा के निचा मैथिलजन जागरण अभियान चलएल जएत।
लेकिन एकटा बात बुझबा में नै अएल कि एतय जे कियो उपस्थित नै छलाह हुनका लोकनिक मत सँ चिंतन शिविर में राजनीती शिविर छल। बिहार में जनमैते लोक कोनो ने कोनो विचारधारा सँ प्रभावित रहैत छथि ओकर मटलब फेर कोनो समाजिक काज में जुड़ब राजनीतिक संज्ञा सँ देबय जे अनुचित अछि। आ जे कियो एहन अफवाह फैला रहल छथि या त संस्था सँ अज्ञान छथि आ नै त जानि बूझि कय अज्ञान बनवाक ढोंग कय रहल छथि। एतय साक्ष्य हम छी बीजेपी बाला कोनो बाते नै छल? सब तरहक विचारधारा के व्यक्ति जेना कोंग्रेस ,भारतीय कम्युनिस्ट पार्टी, बीजेपी, ABMP, आदर्श मिथिला पार्टी आ समाजवादी पार्टी के एक मञ्च पर जमाबड़ा छल।
सर्वसम्मति सँ सब कियो अगबे मिथिला राज्य निर्माण के सन्दर्भ में मन्थन कएलाह। एतय भिन्न भिन्न विचारधारा राहितौ सबहक एकहि टा विचारधारा छल मिथिला राज्य निर्माण हेबाक चाहि। ते दुर्भावना सँ ग्रसित पोस्ट नै हेबाक चाहि। आखिरी में सकारात्मक सोच संग ऊर्जा सँ ओतप्रोत चिंतन शिविर रहल जे मिथिला राज्य निर्माण के लेल निसन्देह नव आयाम स्थापित करताह।
No comments
Post a Comment