Latest News

Saturday, July 2, 2016

#मिरानसे: दरिभंगा महा अधिवेशन 8-9 नवंबर में सक्षम नेतृत्व संगठित सबल जन आंदोलनके साथ हल्लाबोल प्रदर्शन सँ सरकारक आँखि खोलबाक अछि।

मिथिलाक सांस्कृतिक शैक्षणिक आ मुलभुत सुविधा सँ उपेक्षित के लेल दोषी के छथि? माननीय महोदय तें माननीय कहाबैत छथि किएक त वो अपन भाव भंगिमा सँग अभिनय कला में निपुण भ अपन दोष दोसर के माथ पर फेक दैत छथि। राजनेता  खाली लाभ हानि के अवलोकनि कय अपन डेग बढ़ेबाक प्रयास करैछ।

आधुनिक परिवेश के नेतागण के शरीर में भावना सम्बेदना आ चेतना मरलासन बुझु। ओना शारीरिक गठन नाक नक्सा देख में मनुखे जेका लागत मुदा ओकरा माथ में "विचारधारा नामक चिप" लस्सा जेकाँ साटि देल गेल छनि जेकर नियंत्रण आन के हाथ में रहैत अछि। फेर चिप के समयानुकूल बनेबा लेल सदिखन प्रशिक्षण मोड में राखय पड़ैत छनि। अहाँ दोसर जुबान में माननीय के मनुख जेकाँ रहितो "रोबोट" प्रजाति के संज्ञा द सकय छी। कारण क्रिया आ प्रतिक्रिया दुनू चिप में जतेक उपडेट या कार्यक्रम कएल गेल छनि, ओइ सँ बेसी असम्भबे बुझु?

एकटा आर पैघ बात कि आजुक नेतागन "रोबोट" सँग साँप छुछुंदर के खेल देखाब आ करय में सेहो माहिर होय छथि। कारण स्वयं में त कोनो सम्बेदना रहै नै छनि तें दोसर के भावना सँग खेलेबा में हिनका कनिको दिक्कत नहि? अपने समाज में जखन कोनो दुखद घटना घटित होयत अछि तखन आधुनिक राजनेता अपन चिप में फिक्स कएल गेल कार्यक्रम के हिसाबे प्रतिक्रिया करैछ,  आ सबहक प्रतिक्रिया सब तरहक भेंटत, यएह छै विचारधारा बाला चिप जे जोंक जेका आजुक नेता के माथ में साटि देल गेल छनि। मुदा ओ एहन जोंक होय छै जे राजनेता के खून नै खाली जनता के खून पिब के काज करैत अछि। हमरा सबके अहि तरहक जोंक सँ बेसी अपेक्षा नहि राखक चाहि। जँ हमरा सब में सटबो करताह तखन स्वभाववश हमरा सबहक खूने चुसत।

चलु फेर सँ बिहार में, एखन जे दुर्दशा अछि बुझयत अछि अहि सँ पहिने कहियौ नहि देखल गेल हएत? बिहार में बहार त निपत्ता बुझु, बिहार में बहिर राजनेताक संख्या बाहुल्य भेल जा रहल अछि। पहिने जे भेल से एखनहुँ बिहारी के नाम कलंकित कएने अछि जकर देश विदेश में चर्चा होयत अछि आ भविष्य में सेहो होयत रहत मुदा वर्तमान में टॉपर घोटाला बिहार के शैक्षणिक ढाँचा पर कालिख पोति देलक। शिक्षा संस्थान के बाजारू,  किछू राजनेता के हाथक कठपुतली आ दोसर भाषा में  कनि बेजाए लागत मुदा रखैल बना देल गेल अछि। शिक्षा के साख पर बट्टा लागि गेल आब अहि सँ पैघ घोटाला कि हएत?  जखन जड़िए में घुन लागि गेल हएत तखन केहन फसल भेंटत तकर चिंतन करू। आरो बहुत किछू पैघ पैघ समस्या अछि शिक्षा, सड़क, बिजली, रोजगार,कल कारखाना जेकर बिहार के बहिर सरकार विशेषकय मिथिला क्षेत्र के साथ सौतेलापन व्यवहार आ दोहरा चरित्र देखा रहल अछि।

हमर आग्रह अछि #मिरानसे के नेतृत्व में आत्मविश्वास सँग माँ जानकी केर भूमिक बिहार के आन्हर बहिर सरकार सँ आजाद कराब में सहयोग करू। आगामी नवंबर 8-9 तारीख महा अधिवेशन के लेल गाम गाम में लोक सबके जागरूक बनाऊ, निक बेजाए सँ दर्शन कराउ कि हमरा किएक चाहि अप्पन मिथिला राज्य? कहिया धरि उपेक्षित रहब? मिथिला के सरकारी उपेक्षा सँ विकास काज सबटा चौपट भ गेल अछि आ ई सब नितीस सरकार निक जेकाँ जानि बूझिक कय रहल छथि।

हमर दोष एतबा अछि कि हम सब मिथिला के रहनिहार छी? जागु आ अपन बाम दहिन लोक के जागाउ, संगठित होउ फेर हल्ला बोल प्रदर्शन के लेल एकजुट संयमित मुदा संगठित प्रयास करबाक अछि। दरिभंगा में आगामी अधिवेशन जे छैठक परात 8-9 तारीख कय सर्वसम्मति सँ राखल गेल अछि ओकरा मन कर्म वचन सँग धन सँ सेहो सहयोग करि। सफलताक अग्रिम शुभ कामना। जय मिथिला जय माँ जानकी।

« PREV
NEXT »

No comments

Post a Comment